पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे बिहार क पिछडापन क लेल वर्ष क उपेक्षा जिम्मेदार अछि। ओ कहला जे आजादी क पहिने अंगरेज आ बाद मे अपन लोक प्रदेश क अनदेखी केलक।
बिहार क 99म स्थापना दिवस समारोह क ऐतिहासिक गांधी मैदान मे उद्घाटन करैत नीतीश कहला, ‘‘ बिहार पर समुचित ध्यान नहि देल गेल।’’ बिहार कए विशेष दर्जा देबा मे केंद्र सरकार क टालमटोल रवैया दिस संकेत करैत मुख्यमंत्री कहला जे इ मांग बिहार क पहिल मुख्यमंत्री श्रीकृष्ण सिंह क समय क अछि, जे प्रदेश क लेल विशेष मदद क मांग केने छलाह।
बिहार क जनता क आहवान करैत ओ कहला जे विशेष दर्जा हमर हक छी आओर हम एकरा ल कए रहब। बिहार कए अपन पुरुषार्थ क बल पर आगू बढ़बाक अछि आ केंद्र स अपन हक क लेल लडै़त प्रगति करबाक अछि।
ओ कहला जे एक समय गन्ना उत्पादन क लेल बिहार कए सिरमौर मानल जाइत छल, अंगरेज काल मे एहि ठाम ढेर चीनी मिल छल आ बेसी सिंचाई क बिना नीक उत्पादन होइत छल, मुदा आजादी क बाद अपन लोक सब एहन नीति बनेलक जे कुसियारक खेती लेल पश्चिम आ दक्षिण भारत क राज्य मे प्रोत्साहन भेटैत रहल, जतए एखनो 30 बेर स बेसी पटवन करै पड़ैत अछि।
मुख्यमंत्री कहला जे आजादी क समय मे भारत क चीनी उत्पादन क एक चौथाई हिस्सा बिहार मे होइत छल आ आब इ स्थिति अछि जे राष्ट्र मे कुल उत्पादित चीनी क मात्र दू स तीन फीसदी हिस्सा बिहार मे होइत अछि।
मुख्यमंत्री कहला जे हम जाति आ धर्म क संकीर्णता क दीवार कए तोड़िकए बिहार दिवस मना रहल छी । एक समय बिहार जात-पात क लेल बदनाम छल, मुदा आइ क बिहार कियो देख लिये त राय बदलि जायत। इ बिहार क लेल एकटा उपलब्धि अछि आ संकेत अछि जे बिहार बदलि रहल अछि। ओ कहला जे बिहार मे विहार सेहो अछि आ बहार सेहो अछि। हमरा सब कए मिलिकए एकटा विकसित राज्य बनेबाक अछि। हम पिछड़ल छी, मुदा तरक्की क बाट पर आगू बढ़ि रहल छी।
नीतीश कहला जे के कहि सकैत अछि जे एहि ठाम अन्हार अछि ? हम नव पीढ़ी स्वास्थ्य गारंटी योजना शुरू करि रहल छी, जेकर तहत तीन करोड़ 40 लाख विद्यार्थी कए हेल्थ कार्ड उपलब्ध कराउल जा रहल अछि। इ योजना हर साल चलाउल जात।
ओ कहला जे बिहार दिवस क उद्देश्य बिहारीपन जगेबाक अछि आ बिहार क विकास क संग राष्ट्र कए विकसित करब अछि। हमर संकल्प होएत जे नव पीढ़ी स्वस्थ रहए आ शिक्षित बनए। एकर बाद गांधी मैदान मे विशाल जनसमूह कए जय बिहार क नारा लगा नीतीश बिहारक पहिल मुख्यमंत्री बनि गेलाह जे अपन भाषणक समापन जय बिहार स केलथि अछि।