
नीतिन नीरा चंद्रा क निर्देशन मे बनल इ सिनेमा विदेश मे सेहो रीलीज कैल जायत। ओना कनाडा समेत कई ठाम एखन धरि एकर विशेष प्रदर्शन कराउल गेल अछि। सिनेमाक निर्देशक श्री चंद्रा क कहब अछि जे मैथिली मे भोजपुरी स बेसी संभावना अछि, किया त भोजपुरी जेका मैैथिली एखन धरि अश्लील नहि बनल अछि। लोक मैथिली सिनेमा देखबा लेल हॉल तक जेबा लेल तैयार छथि। ओ इ सेहो कहैत छथि जे प्रवासी मैथिल मे अपन भाषा आ संस्कृति लेल भोजपुरिया स बेसी स्नेह अछि। श्री चंद्रा क कहब अछि जे इ सिनेमा गैर मैथिल लेल सेहो अछि, ताहि लेल हमसब एकरा भारत क 13टा राज्य समेत नेपाल आ किछु आओर देश मे सब टइटिल क संग रीलीज करै जा रहल छी।
उल्लेखनीय अछि जे अपन दादाक खंडहर भ चुकल कारखाना कए फेर स जीवित करबाक एकटा पोताक कहानी पर आधारित इ सिनेमा क शूटिंग कनाडा, नेपाल आ दरभंगा मे भेल अछि।