पटना। पहिल बेर जखन ककरो कान तक इ समाद जाइत त निश्चित रूप स अपन कान सुनल गप पर विश्वास नहि होएत, मुदा पटना पुलिस क मानल जाए त पिछला 24 घंटा मे एहि शहर मे कोनो अपराध नहि भेल। कोनो थाना मे कियो कोनो प्रकारक प्राथमिकी दर्ज नहि करेलक अछि। एफआइआर लिखबा लेल रजिस्टर दराज स बाहर नहि निकलल अछि। पटना क संदर्भ मे इ समाद कोनो सपना स कम नहि अछि। राजधानी क पुलिस क आंकड़ा पर भरोसा करि त अपराध शून्य रहल जखन कि एहि दौरान उपलब्धि क दौर चलैत रहल। दूटा देसी पिस्तौल आ कारतूस क अलावा टाप टेन कए दूटा अपराधी समेत सात गोटे कए गिरफ्तार कैल गेल। जिला मे विभिन्न मामला मे जतए 291 गोटे कए गिरफ्तार कैल गेल, ओतहि 151 वारंट आ 17 कुर्की-जब्ती मामला क निष्पादन कैल गेल।
एसएसपी कार्यालय क मुताबिक जक्कनपुर थाना पुलिस अमरजीत पासवान आ मलमू चौधरी कए गिरफ्तार केलक अछि। इ दूनू गोटे टाप टेन अपराधी क सूची मे शामिल छल। जक्कनपुर मे दू दिन पूर्व चोरी भेल मोटरसाइकिल लावारिस हालत मे बरामद भ गेल। आलमगंज थाना क्षेत्र मे वृजकिशोर गुप्ता कए आ दुल्हिनबाजार थाना पुलिस द्वारा रमेश प्रसाद कए देसी पिस्तौल आ कारतूस क संग गिरफ्तार केल गेल। कादिरगंज थाना पुलिस सेहो रीतलाल कए गांजा क संग गिरफ्तार करि जेल पठा देलक। फुलवारीशरीफ थाना पुलिस चोरी क टेम्पो कए बरामद करैत जितेन्द्र राम कए गिरफ्तार केलक। एहि प्रकार स पता नहि केतबा साल क बाद पटना अपराध शून्य हेबाक रिकार्ड दर्ज केलक अछि।