• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

समस्‍तीपुर मे भेटल 6000 साल पुरान सभ्यता

February 3, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार क ऐतिहासिक विरासत मे एकटा आओर अतिप्राचीन कालखंड जुडि गेल अछि। आर्कियोलाजिकल सर्वे आफ इंडिया (एएसआइ) क अनुमति स काशी प्रसाद जायसवाल शोध संस्थान समस्तीपुर क पांडव (पांड) नामक स्थान पर उत्खनन मे छह हजार वर्ष पुरान मानव सभ्यता तकलक अछि। बीरबल साहनी इंस्टीच्यूट आफ पालियोबाटनी, लखनऊ उत्खनन मे प्राप्त पुरावशेष क रेडियोकार्बन डेटिंग स एकर पुष्टि केलक अछि। काशी प्रसाद जायसवाल शोध संस्थान द्वारा उत्खनन क उद्देश्य एहि क्षेत्र मे मानव सभ्यता आ संस्कृति क उत्पत्ति आ विकास क काल-क्रम क पता लगेने छल। 1999 मे पहिल बेर संस्थान द्वारा पांडव स्थान मे उत्खनन कार्य प्रारंभ करौल गेल छल। मुदा अपरिहार्य कारण स बीच-बीच मे उत्खनन कार्य कए रोकल गेल आ फेर 2010 मे खोजकर्ता कए सफलता भेटल। खुदाई मे टेराकोटा क कलाकृति, ईटा स बनल कईटा संरचना सेहो प्राप्‍त भेल अछि। एतबे नहि, एहि पुरास्थल स नवपाषण युग स लकए गुप्तकाल तक क पुरातात्विक संस्कृति प्रकाश मे आयल अछि। ओना संस्थान द्वारा उत्खनन मे हासिल वस्तु आओर ओहि स संबंधी रिपोर्ट कए सार्वजनिक नहि कैल गेल अछि। मुदा पूरा रिपोर्ट कए वैज्ञानिक तरीका स लिपिबद्ध आ सूचीकरण कराउल जा रहल अछि, ताकि एहि पुरातन इतिहास कए भविष्य क लेल सुरक्षित रखल जा सकए।
दोसर, दिस गुमनामी क अन्‍हार सुरंग मे समा चुकल बौद्ध विहार स जुड़ल स्थल कए तकबाक आ ओकर सूचीकरण क जिम्मा सरकार पुरातत्व निदेशालय आ अन्य संबंधित संस्था कए देने अछि। आब एहि दिस सेहो काज आगू बढि गेल अछि। ताजा जानकारी क अनुसार नव स्‍थल भेटब शुरू भ गेल अछि। नालन्दा जिला मे घोसरामा आ तेतरामा एहन स्‍थल अछि जे बुद्धकालीन बताउल जा रहल अछि आ ओकर संबंध बौद्ध विहार स अछि। खोज क दौरान लखीसराय मे अशोकधाम आ जहानाबाद क कौआडोल क संदर्भ मे जे शिलालेख आ मूर्ति भेटल अछि ओहि स सेहो इतिहास क गर्भ में नुकायल कईटा रहस्‍य क ऊपर स परदा उठबाक संभावना अछि। राज्य पुरातत्व निदेशालय क एकटा आला अधिकारी क कहला जे केवल नालन्दा जिला मे साढ़े चार सौ स बेसी एहन पुरातत्व स्थल क पता चलल अछि, जेकरा टूरिज्म सर्किट स जोडि देल जाए त राज्य मे नालन्दा पर्यटन क पैघ केन्द्र भ जाएत। मुदा राज्य सरकार क प्रयास अछि जे राज्य मे जितबा पुरातत्व स्थल अछि, सबटा कए समान रूप स पर्यटन क मानचित्र पर स्थापित कैल जाए। एकरा लेल संबंधित एजेंसी कए योजनाबद्ध तरीका स काज करबाक निर्देश देल गेल अछि।

Tags: Biharmithilasamastipur

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

विकास ललित बाबू क सोच मे शामिल छल

Esamaad Epaper Website

आब भाजपा विधायक क संपत्ति होएत जब्‍त

Esamaad Epaper Website

मिथिला कए एहि सप्‍ताह भेटत दूटा सनेस

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि