भागलपुर। विदेशी सैलानी कए गंगा क सैर करबैत तीन मंजिला मिनी इंडियन टाइटैनिक क्रूज ‘आरवी पांडव-4Ó सोमदिन दुपहरिया मे कहलगांव क बाबा बटेश गंगा घाट पर पहुंचल। एहि स पूर्व सैलानी स भरल क्रज रवि दिन कटिहार जिला क मनिहारी गंगा क्षेत्र मे तकनीकी कारण स रुका छल। क्रूज पर सवार 52 विदेशी सैलानी मुख्य रूप स इंग्लैंड, अमेरिका, बेल्जियम, आस्ट्रेलिया, न्यूजीलैंड आ बैंकाक क नागरिक छथि। जहाज जहिना गंगा घाट पर लंगर लेलक सभहक कैमरा क फ्लैश एक संग चमकी गेल। अतिथिक स्वागत लेल गंगा घाट पर लोक क भीड़ जमा छल। एहि मे कहलगांव अनुमंडल मे तैनात किछु पदाधिकारी, पुलिसकर्मी क अलावा भारतीय पर्यटन विभाग क अधिकारी क दल सेहो शामिल छल। सैलानी क अगवानी क लेल पहुंचल अधिकारी हुनका भारी सुरक्षा क बीच गंगा तट पर उतारलथि। क्रूज पर सवार 52 सैलानी मे स 22 गोटे ऐतिहासिक विक्रमशिला विश्वविद्यालय क खुदाई स्थल पर जेबा लेल उत्सुक छलाह। शेष सैलानी क्रूज पर सवार रहिकए गांगेय डाल्फिन क अभयराण्य स्थल पर जगह-जगह कुलांचे भरैत गांगेय डाल्फिन कए लग स अपन कैमरा मे कैद करबा मे व्यस्त रहलाह । सैलानी कहलगांव क प्रसिद्ध बटेश स्थान पर डेग रखैत पहाड़ पर मंदिर कए देखि कए कहा-‘इंडिया इज द ग्रेटÓ। विदेशी सैलानी ऐतिहासिक विक्रमशिला विश्वविद्यालय क भग्नावशेष कए सेहो काफी सराहना केलथि। इंग्लैंड क 36 वर्षीय डायना टूटल-फूटल हिन्दी मे कहलथि-‘सचमुच भारत महान है।Ó मनिहारी मे क्रूज बेस काल रुकल एकर वाबजूद कोनो सैलानी गपशप क दौरान असुरक्षा क चर्चा नहि कलथि। सब प्रसन्न मुद्रा मे छलथि। भारतीय पर्यटन विभाग क दिस स गंगा क सैर करबैत कोलकाता स बनारस तक प्रकृति क मनोरम झांकी देखेबाक लेल इ खास अभियान चलाउल गेल अछि। 14 दिन क एहि टूर मे 10 क्रूज लगाउल गेल अछि। प्रत्येक क्रूज मे 52टा सैलानी क बुकिंग अछि, जे मार्च तक बुक अछि। पर्यटन विभाग गांगेय जल-जीव क जानकारी दैत 14 राति वाला एहि टूर मे कोलकाता स वाराणसी तक क ओहन तमाम दर्शनीय स्थल क सेहो भ्रमण करा रहल अछि जे गंगा स लग मे अछि।