पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे हुनक संग-संग समस्त भारतीय क मन मे नेपाल क प्रति असीम लगाव अछि। हम नेपाल कए अपन दिल मे रखैत छी। नेपाल मे किछु होइत अछि त ओहि मे ओनो आन देशक मुकाबले हमरा बेसी दिलचस्पी रहैत अछि। नेपाल आ भारत मे काफी समानता अछि। अगर नेपाल क लोकक मन मे भारत क प्रति कतहु कनिको गलतफहमी अछि त ओकरा त्यागि देबाकचाही। मुख्यमंत्री नीतीश कुुमार पटना मे विदेश मंत्रालय द्वारा नेपाल पर आयोजित सेमिनार मे बाजि रहल छलाह। एहि मौका पर भारत मे नेपाल क राजदूत राकेश सूद सहित नेपाल स आयल एकटा पैघ प्रतिनिधिमंडल सेहो मौजूद छल। मुख्यमंत्री नेपाली प्रतिनिधिमंडल कए बिहार मे भेल बदलाव कए विस्तार स कहला आ हुनकर प्रश्न क उत्तर सेहो देलाह। एहि पर नेपाल क आर्थिक अध्ययन संस्थान बिहार मे भेल विकास पर शोध करबाक इच्छा जतौलक अछि।
मुख्यमंत्री कहला जे नेपाल मे लोकतंत्र मजबूत भेल अछि एहि स हमसब खुश छी। नेपाल क सीमा बिहार स सटल अछि। जखन हम आहि क्षेत्र मे अपन सभा करैत छी, त सभा मे खुलल बार्डर हेबाककारण स नेपाल क लोक सेहो हमरा सुनबा लेल अबैत छथि। हुनका लोकनि कए सेहो बिहार मे दिलचस्पी छैन। ओना एकटा प्रश्न पर मुख्यमंत्री कहला जे सीमा पर चौकसी बढ़बाकचाही। किया किएकर फायदा दूनू देशकलोक स बेसी आइ-काल्हि तेसर देशक लोक उठा रहल अछि।
नेपाली प्रतिनिधिमंडल क सदस्य मे डा. बाबू राम भंट्टाराई, वर्षा मान, प्रदीप गिरि, विमलेंद्र निधि, गगन थापा, अनिल झा, जितेंद्र नारायण देव, प्रदीप गयावली, नेपाल क राष्ट्रपति क राजनीतिक सलाहकार हरि शर्मा आ भारतीय प्रतिनिधिमंडल क सदस्य क तौर पर लोकसभा क पूर्व सेक्रेट्री जनरल सुभाष कश्यप आ नेपाल क पूर्व राजदूत देव मुखर्जी एहि मौका पर मौजूद छलाह।