पटना। राजधानी पटना मे भूमिगत बिजली वितरणक पहिल फेज पूरा भ गेल अछि आ दोसर फेज क डीपीआर तैयार भ चुकल अछि। कहल जा रहल अछि जे मुख्यमंत्री पहिल फेज कए कहियो चालू करबाक घोषणा करि सकैत छथि। पहिल फेज मे मुख्य रूप स वीआईपी क्षेत्र क पोल-तार हटा भूमिगत केबिलिंग कैल गेल अछि। आब दोसर फेज मे राजधानी क संपूर्ण क्षेत्र क बिजली आपूर्ति व्यवस्था कए भूमिगत करबा पर काज कैल जा रहल अछि। तार कए भूमिगत करबा लेल पावर ग्रिड कारपोरेशन आफ इंडिया डीपीआर तैयार केलक अछि। एकरा लेल 1600 करोड़ टकाक अनुमानित खर्च बताउल गेल अछि। डीपीआर कए पावर ग्रिड बिहार राज्य विद्युत बोर्ड कए सौंप देलक अछि। सूत्र क कहब अछि जे डीपीआर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क निर्देश पर तैयार भेल अछि। दोसर दिस बिहार राज्य विद्युत बोर्ड डीपीआर भेटलाक बाद भूमिगत केबलिंग क लेल राशि क व्यवस्था मे जुटल अछि। एखन इ तय नहि भेल अछि जे कोन कात स भूमिगत बिजली आपूर्ति व्यवस्था करबाक काज शुरू होएत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार वीआइपी क्षेत्र क भूमिगत केबिलंग व्यवस्था क शुभारंभ कहियो करि सकैत छथि। अनुमान अछि जे ओहि अवसर पर ओ एकर खुलासा करताह। पटना विद्युत आपूर्ति प्रतिष्ठान (पेसू) नूतनराजधानी क्षेत्र क वीआईपी इलाका क भूमिगत केबल कार्य कए पूरा भेलाक पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स समय भेटबाक प्रतिक्षा करि रहल अछि।
 
			 
		    



 
                                

