• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home तकनीक

Tech reviews -नोकिया 6 (2018) Vs रेडमी नोट 5 Pro – बेहतर के?

April 22, 2018
in तकनीक, समाचार
12
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

की Nokia क ऐंड्रॉयड वन प्रोग्राम दए सकत Xiaomi क RedMi Note 5 Pro कए टक्‍कर?

माइक्रोसॉफ्ट स अपन करार खत्‍म केलाक बाद नोकिया अपन सेगमेंट मे नित नव प्रयोग कए रहल अछि। नोकिया 6 आ 8 ओकरे प्रतिफल अछि, मुदा शाओमी क टक्‍कर देनाय अखनो नोकिया लेल पहाड़ चढ़नाय जेहन अछि। शाओमी जहिया स मार्केट मे आएल अछि अपन धमक स सबहक पानि छोड़ैने छल। अपन कीमत आ फीचर क कारण ई अखन भारतक नंबर वन स्‍मार्टफोन कंपनी बनि गेल अछि। जे हरेक 1 मिनट मे नहि केवल एकटा फोन बेचि रहल अछि बल्‍कि चारि टा फोन बना सेहो रहल अछि। फ्लीपकार्ट सनक कंपनी सेहो रेडमी क सेल लगा ट्रैफिक मे नंबर वन बनल अछि। मुदा सबहक आशंका अछि ऑफलाईन मॉर्केट मे एलाक बाद शाओमी अपन कीमत मे बढ़ोतरी करत। अपन सबसे सस्‍ता फोन रेडमी 5A क कीमत बढ़ा शाओमी एकर शुरूआत कए देने अछि। आब देखबाक लेल ई अछि जे आँगा शाओमी अपन कीमत संगे की प्रयोग करैत अछि। ओतहि ई सेहो देखबाक अछि कि जे ग्राहक नोकिया स दुरी बना लेने छल ओकरा वापस नोकिया अपना दिस खींच सकत कि नै। 

नई दिल्ली । नोकिया क लाइसेंस रखनिहार एचएमडी ग्लोबल एहि महिना भारत मे अपन लेटेस्ट स्मार्टफोन लॉन्च कए देलक । कंपनी अपन फ्लैगशिप स्मार्टफोन नोकिया 6 (2018) आ नोकिया 8 भारत में लॉंच केने अछि । बता दी जे नोकिया क ई तीनू स्मार्टफोन गूगल क ऐंड्रॉयड वन प्रोग्राम क हिस्सा अछि आओर एकरा नियमित तौर पर अपडेट आ सिक्योरिटी पैच भेटैत रहत । अझुका टेक रिव्‍यू मे हम नोकिया 6 (2018) क तुलना बाज़ार मे सबसे बेसी प्रचलित ब्रांड शाओमी क रेडमी नोट 5 प्रो स करब ।

डिस्प्ले

नोकिया 6 (2018) मे 5.5 इंच फुल एचडी डिस्प्ले अछि जेकर रेज़ॉलूशन 1080×1920 पिक्सल अछि । जखनकि शाओमी रेडमी नोट 5 प्रो मे 5.99 इंच फुल एचडी+ डिस्प्ले अछि आओर एकर रेज़ॉलूशन 1080×2160 पिक्सल अछि । नोकिया 6 (2018) आस्‍पेक्‍ट रेशियो क मामले मे पिछैड़ जाएत अछि किएक एकर आस्पेक्ट रेशियो 16:9 अछि जखनकि रेडमी नोट 5 प्रो क आस्पेक्ट रेशियो 18:9 अछि ।

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021

प्रोसेसर

नोकिया 6 (2018) मे क्वालकॉम स्नैपड्रैगन 630 प्रोसेसर देल गेल अछि जे कि बजट सेगमेंट वला फोन लेल ठीक अछि । ओतहि रेडमी नोट 5 प्रो मे क्वालकॉम स्नैपड्रैगन 636 प्रोसेसर अछि । प्रोसेसर क मामला मे सेहो नोकिया 6 (2018) शाओमी आ आन एहि बज़ट क फोन स पिछैड़ रहल अछि ।

ऑपरेटिंग सिस्टम

नोकिया 6 (2018) एकटा ऐंड्रॉयड वन स्मार्टफोन अछि और ई ऐंड्रॉयड 8.0 ओरियो ऑपरेटिंग सिस्टम संगे आबैत अछि । फोन कए समय पर अपडेट आ सिक्योरिटी पैच भेटैत रहत । एहिक अलावा, फोन कए जल्दिए ऐंड्रॉयड पी अपडेट सेहो भेटि सकैत अछि । शाओमी रेडमी नोट 5 प्रो ऐंड्रॉयड 7.0 नूगा पर चलैत अछि जे कि ऐंड्रॉयड क पुरान वर्ज़न अछि । एहिलेल Nokia 6 (2018) ऑपरेटिंग सिस्टम क मामले मे शाओमी से बेस आगाँ अछि ।

रैम और स्टोरेज

नोकिया 6 (2018) मे 3 जीबी/4 जीबी रैम आ 32 जीबी/64 जीबी इनबिल्ट स्टोरेज देल गेल अछि । ओतहि शाओमी रेडमी नोट 5 प्रो 4 जीबी रैम आ 64 जीबी स्टोरेज आओर 6 जीबी रैम आ 64 जीबी स्टोरेज मे भेटैत अछि । दुनू स्मार्टफोन्स मे एक्सपेंडेबल स्टोरेज क विकल्प सेहो भेटैत अछि । हालांकि, शाओमी क फोन समान कीमत मे बेसी रैम ऑफर कए रहल अछि ।

कैमरा
नोकिया 6 (2018) में ज़ाइस क 16 मेगापिक्सल रियर कैमरा आओर ड्यूल टोन एलईडी फ्लैश अछि । एहिक अलावा, स्मार्टफोन मे अपर्चर एफ/2.0 क संगे 8 मेगापिक्सल सेल्फी शूटर सेहो अछि । शाओमी रेडमी नोट 5 प्रो मे एकटा ड्यूल रियर कैमरा सेटअप अछि । फोन मे रियर पर एलईडी फ्लैश क संगे 12 मेगापिक्सल आओर 5 मेगापिक्सल क दूटा सेंसर सेहो अछि । प्राइमरी 12 मेगापिक्सल कैमरा अपर्चर एफ/2.2 आओर सेकंडरी 5 मेगापिक्सल कैमरा अपर्चर एफ/2.0 क संग अबैत अछि । डिवाइस मे आगू दिस 16 मेगापिक्सल आओर 2 मेगापिक्सल क ड्यूल रियर कैमरा सेटअप अछि । ओतहि सेल्फी क लेल 8 मेगापिक्सल क फ्रंट सेंसर देल गेल अछि । एतय सेहो नोकिया 6 (2018) शाओमी स पिछैड़ जाएत अछि।

बैटरी
Nokia 6 (2018) मे 3000 एमएएच क बैटरी अछि जखनकि रेडमी नोट 5 प्रो 4000 एमएएच क बैटरी देल गेल अछि । शाओमी रेडमी नोट 5 प्रो बैटरी क मामला मे सेहो नोकिया स बेस आगू अछि ।

कीमत
नोकिया 6 (2018) की कीमत 16,999 रुपये अछि जखनकि रेडमी नोट 5 प्रो क शुरुआती कीमत भारत मे 13,999 टका आओर 12,999 टका अछि ।

Tags: Nokia 6Red Mi Note 5 ProTech-ReviewsXiaomi
Share12TweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post

बिहार संवादी मे आयोजक मुर्दाबाद केर लागल नारा, प्रो वीरेंद्र झा केर मुंह पर MSU कार्यकर्ता पोतलक कारिख

आर्थिक अपराध अध्यादेश कए भेटल मंजूरी, नीरव-माल्या सनके भगोड़ा पर कसत सिकंजा

देशक इंटरनेशनल एयरपोर्ट्स के 'ड्यूटी फ्री स्टोर्स" सँ खरीदारी पर देबय पड़त जीएसटी : एएआर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

एखनो अछि मिथिलाक छाती पर गरल सुगौली कील क टीस

by संपादक
March 5, 2017
1

Read more

इंग्लैंड क टावर ब्रिज सन बीपी मंडल सेतु पर अगस्त सँ दू पहिया वाहनक परिचालन संभव

by संपादक
June 25, 2018
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि