• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

साहस आ धैर्य सँ मृत्यु केर धोबिया पछाड़ देल

July 13, 2018
in विचार, समाचार
9
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
रामबाबू सिंह 
मधेपुर । थाईलैंड सँ पछिला कएको दिनसँ एकटा खबरि संसार भरिक लोकक मन मस्तिष्क केर झकझोरि रहल छल। असलमे थाईलैंड केर वाइल्ड बोर नामक नेना भुटकाक फुटबॉल टीमक तेरह सदस्य एकटा गुफाकें भीतर जाक’ भटकि गेलाह। बाहर झमाझम बरखा होयबाक कारण गुफामे पानि भरैत रहलैए आ ओ सभ आगु बढ़ैत सुरक्षित स्थान तकैत तकैत चारि किलोमीटरसँ बेसी जा बढलाह आ अंतमे घुप्प अन्हार गुफामे जतय चारु कात बन्द छल ओतय फँसि गेलाह। आब चारु कात अथाह पानि आ ओहिमे एकटा पाथड़क कछेड़ धेने अठारह दिन धरि जिनगी आ मृत्युक बीच संघर्ष करैत रहलाह। हप्ता बाद त थाई सरकार खोजबीन शुरू कएलक मुदा ओ सभ एहन विषम परिस्थितिमे मजगुति सँ एकदोसरकें उत्साहित करैत जिनगीक पैघ परीक्षामे सफल भेलाह।
अठारह दिन धरि पानि सँ भरल गुफामे तेरह लोकक जान बचेएबाक लेल थाई नेवी सील आओर सेनाकेँ अलावा ब्रिटेन, अमेरिका, फ्राँस, ओस्ट्रेलिया, जापान म्यंमार आओर चीनक विशेषज्ञ सभ दिन राति ओहि प्रकृतिक दुर्गम खेलक सामने डटल रहलाह। कनिओ टा चूक तेरह टा जान पर आफ़द आनि सकैत छलैए तेँ सभटा रणनीति झाँपल तोपल बिना हो-हल्लाकें संयमित पूरा कएलक। थाई नेवी सीलकें एकटा सैनिक बचएबाक क्रममे ऑक्सीजन सिलेंडर खतम होयबाक कारण कालक ग्रास सेहो बनलाह। थाईलैंड सरकार अहि मिशनकें अति सावधानी सँ, मीडियाकें दूर रखैत सेहो बिना कोनो सनसनी पसारने धैर्य सँग काज कएलक। नापल जोखल बुलेटिन समयानुकूल दैत मिशन पुर होयबाक धरि श्रेय लेबाक कोनो होड़ नहि देखौलक।
मिशन खतम भेलाक बाद थाईलैंड सरकार फेसबुक माध्यम सँ लिखैत अछि जे जतय बचबाक रत्ती भरि आस नहि छल ओतय मृत्युकें पछाड़ि सभकेँ बचा लेल गेल से हमरा लेल कोनो चमत्कार सँ कम नहि। एहन दुष्कर परिस्थिति मे कोच बच्चा सभक मनोबल मजगूत करैत भरोसा दैत रहलाह। जाहिसँ बच्चा सभ विचलित आ प्रतिकूल मनोस्थिति केर सिकार नहि भ’ जाए। अहि साहस आ धैर्य हेतु कोचकें जतेक प्रशंसा कएल जाए से कमतर हएत। हिनकर पहाड़ सन मजगुति इच्छाशक्ति केर समक्ष दुनिया लोक नतमस्तक अछि।
अहि बिन बजाओल खतरनाक प्राकृतिक घटनासँ मनुक्ख मात्र लेल एकटा पैघ शिक्षा भेटैत अछि जे “नौबति चाहे केहनो भयाबह किएक नहि होय मुदा साहस आ धैर्य नहि छोड़बाक चाहि”। आ छुच्छे ढोल पिटला सँ जग हँसाई के’ सिवा किछु नहि भेटैत छैक। नीक काजकें प्रचार करबाक बेगरता नहि आ चाइनीज मालकें कतबहु प्रचार होय लोककेँ भरोसा नहि। काज स्वतः लोकक लेल जबाब होयत अछि। तेँ फुसीआहि सनसनी पसारबा सँ नीक जे काजक सनसनी पसरै आ सभक मानस पटल पर स्वतः अंकित होय।
Tags: ThailandThailand Cave Resque
Share9TweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post

एपीएल श्रेणीक रोगी मंगनी मे पौताह डायलिसिस सुबिधा

कलाकार कयलनि प्रर्दशन, रोकलथि रेल

संस्कृत भाषा क उत्थान हेतु प्रधानमंत्री सँ भेँट करत शिष्टमंडल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

एखनो अछि मिथिलाक छाती पर गरल सुगौली कील क टीस

by संपादक
March 5, 2017
1

Read more

इंग्लैंड क टावर ब्रिज सन बीपी मंडल सेतु पर अगस्त सँ दू पहिया वाहनक परिचालन संभव

by संपादक
June 25, 2018
0

Read more

नहि रहलाह रामानंद रेणु : साहित्य गगनक एकटा आर नक्षत्रक अस्त

by संपादक
August 14, 2011
4

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि