• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

अंतिम दूनू चरण मे भेटत ब‍िहारक बदरंग राजनीति

November 6, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021


पटना। एखन धरि चारि चरण मे विधानसभा लेल 182टा सीट पर मतदान भ चुकल अछि। बाकी दू चरण पिछला चारि चरण स एकदम अलग अछि। अगिला दू चरण मे बिहारक ओ राजनीतिक झलक देखबा मे भेटि सकैत अछि, जे पिछला दू दशक स बिहार कए बदनाम केने अछि। पांचम आ छठम चरण मे बाहुबल आ जातिवाद क संग-संग परिवारवाद सेहो अपन रंग देखेबा मे पाछु नहि रहल अछि। जदयू समेत सबटा दल एहि तीनू कलंक कए धोबा मे कोनो योगदान नहि देलथि अछि। सबटा दल दिलखोली कए जातिक आधार पर, नेताक परिवार कए आ अपराध स जुडल लोककए टिकट देलथि अछि। कुल मिला कए कहि त सब तरहे सबटा दल अपन पूरा ताकत पांचम आ छठम चरण मे 61टा सीट पर होइवाला मतदान क लेल झोंकि देलक अछि। एहन मे नक्सलग्रस्त इलाका, भाकपा (माले) क मजबूत दावेदारी आ उच्च जाति क आकांक्षा पांचम आ छठम चरण क मतदान कए दिलचस्प बना देलक अछि। नीतीश कुमार लेल इ चरण किछु राहतवाला भ सकैत अछि, किया जे आब जहि इलाका मे मतदान हुए जा रहल अछि ओहि इलाक मे महादलित क पैघ संख्या अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क महादलित क अवधारणा एहि ठाम अपन रंग देखा सकैत अछि। पिछला चुनाव मे एहि इलाका मे सबस बेसी सीट राजग जीतने छल, मुदा एहि बेर राजद-लोजपा आ भाकपा(माले) क अलावा किछु जगह पर बहुजन समाज पार्टी (बसपा) क तीन-तरफा हमला भ रहल अछि।
पांचम चरण मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क गृह जिला नालंदा सेहो अछि, जतए अन्य जिला क तुलना मे विकास कार्य क लेल बेसी राशि देल गेल अछि। आर्डिनेंस फैक्ट्री बनि रहल अछि। सैनिक स्कूल आ अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय खुली रहल अछि। मुदा टिकट बंटवारा मे स्थानीय लोक क राय कए नजरअंदाज करबाक कारण स किछु लोकक नाराजगी जदयू पर भारी पडी सकैत अछि। राजग क टिकट बंटवारा कए लकए अरवल, घोसी, विक्रम, ब्रंापुर, रामगढ़ जइसन सीट पर हाई-वोल्टेज ड्रामा भ चुकल अछि। अरवल मे भाजपा पांडव सेना क सरगना चितरंजन प्रसाद सिंह कए प्रत्याशी बनेलक अछि, ओतहि घोसी मे जदयू अपन परिवारवाद क नीति स समझौता करैत सांसद जगदीश शर्मा क पुत्र कए प्रत्याशी बनेलक अछि। भाजपा विक्रम स पहिने त सिटिंग एमएलए अनिल कुमार क टिकट काटिकए रामजनम शर्मा कए प्रत्याशी बनेलक, मुदा विरोध क बाद कुमार कए उम्मीदवार बना देलक। रामगढ़ मे भाजपा राजद क वरिष्ठ नेता आ सांसद जगदानंद सिंह क पुत्र सुधाकर सिंह कए उम्मीदवार बनेलक अछि। एकर अलावा शेरघाटी, फुलवारीशरीफ, जहानाबाद, मखदूमपुर, ओबरा जइसन सीट पर अधिकृत प्रत्याशी क खिलाफ जदयू प्रदेश कार्यालय मे स्थानीय पार्टी कार्यकर्ता हंगामा करि चुकल छथि। एहि दूनू चरण मे माओवादी क सेहो कईटा विधानसभा क्षेत्र मे प्रभाव देखबा मे आबि सकैत अछि, मुदा भाकपा(माले) क सक्रियता माओवादी कए मुख्य रूप स गोविंदपुर आ रजौली विधानसभा क्षेत्र मे सीमित करबाक काज कैलक अछि। माले काराकाट, तरारी आ पालीगंज क अपन सिटिंग सीट क अलावा अरवल, ओबरा, संदेश, अगियांव, जगदीशपुर, मसौढ़ी आ नोखा जइसन सीट पर सेहो अपन ध्यान केन्द्रित केने अछि। बसपा उत्तर प्रदेश क सीमा स सटल किछु सीट कए लकए उत्साहित अछि। सामाजिक समीकरण पर नजर दी त एहि दूनू चरण मे राजपूत, भूमिहार, कोईरी, यादव आ महादलित क वोट निर्णायक साबित होइत रहल अछि। नालंदा क्षेत्र मे ओना कुर्मी मतदाता हरदम स प्रत्याशी क जीत सुनिश्चित करैत रहलाह अछि। भोजपुर क इलाका मे जतए राजपूत आ यादव क नीक संख्या अछि, ओतहि मगध क्षेत्र मे यादव, पासवान आ किछु ठाम मुसहर बेसी अछि। जहानाबाद आ अरवल क इलाका मे भूमिहार क अलावा कोईरी क नीक संख्या अछि। पांचम आ छठम चरण मे विधानसभा अध्यक्ष उदय नारायण चौधरी, मंत्री हरिनारायण सिंह, प्रेम कुमार, छेदी पासवान, भगवान सिंह कुशवाहा क अलावा सत्तारूढ़ दल क मुख्य सचेतक श्रवण कुमार आ राजद क वरिष्ठ नेता इलियास हुसैन, शकील अहमद खां, कांति सिंह आ राघवेंद्र प्रताप सिंह प्रमुख प्रत्याशी छथि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

एकटा आओर क्रिकेटर पलायन लेल तैयार

नालंदाक बाद आब विक्रमशिला पर ध्यान, संरक्षित होएत धरोहर

Esamaad Epaper Website

पुरान लक्ष्य लेल नव स्वरूप

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिजली क ग्रिड फेल, सरकार पास!

by संपादक
August 7, 2012
0
Esamaad Epaper Website

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि