नर्मदा कुमारी
सीतामढी। अगिला सत्र स प्रदेश क सबटा आईटीआई मे छात्र लेल ड्रेसकोड लागू कैल जाएत। श्रम संसाधन मंत्री जनार्दन सिंह सिग्रीवाल कहला अछि जे वातवरण निर्माण, छात्र मे आत्मविश्वास आ एकरुपता अनबा लेल आईटीआई संस्थान मे डेÑस कोड अगिला सत्र स लागू कैल जाएत। ओतहि ओ कहला जे अप्रासंगिक भ चुकल किछु टेÑड कए हटाउल जाएत। ओ कहला जे सबटा संस्थान मे खास ट्रेड क प्रशिक्षण देल जाएत ताकि गुणवत्तापूर्ण कौशलप्राप्त छात्र देश-विदेश मे नीक प्रदर्शन क सकथि। मॉडल आईटीआई क निर्माण क दिस सेहो सरकार प्रयास तेज क देलक अछि। श्रम संसाधन मंत्री जनार्दन सिंह सिग्रीवाल पटना मे आईटीआई क प्राचार्य आ उप प्राचाय क राज्यस्तरीय समीक्षा बैठक कए संबोधित करैत इ जानकारी देलथि। ओ कहला जे विभागीय सक्रियता बढ़ेबा लेल, संस्थान मे बुनियादी आवश्यकता क बहाली आ शिक्षक-छात्र हित स जुड़ल मामला क निष्पादन मे तेजी अनबा लेल आब चारि मास पर राज्यस्तरीय बैसार क आयोजन कैल जाएत। श्री सिंह उप प्राचाय क वेतन विसंगति शीघ्र दूर करबाक आ बकाया वेतन क शीघ्र भुगतान क सेहो भरोस देलथि। मंत्री सीतामढ़ी, बेगूसराय सहित गया आ मोतिहारी महिला आईटीआई कए अतिक्रमणमुक्त करबाक दिशा मे सेहो ठोस पहल करबाक आश्वासन देलथि। ओ कहला जे पीपीपी मोड आ विश्वबैंक क सहायता स सरकार कईटा संस्थान कए सेंटर आफ एक्सीलेंस बनेबाक योजना पर अमल शुरू क देलक अछि। श्री सिंह क अनुसार मुंगेर, हाजीपुर, डेहरी-आॅन-सोन, महिला आईटीआई मुजफ्फरपुर, महिला आईटीआई पटना, बेगूसराय, बक्सर, मढ़ौरा, फतुहा, बेतिया, सुपौल, घोघरडीहा आ वीरपुर आईटीआई कए सेंटर आफ एक्सीलेंस बनेबा लेल 3,056 लाख टका खर्च कैल जाएत। प्रति आईटीआई ढाई करोड़ टका खर्च करबाक योजना अछि। एकर अतरिक्त विश्वबैंक क सहायता स भागलपुर, मुजफ्फरपुर, गया, कटिहार, दरभंगा, मोतिहारी, फारबिसगंज आ सीतामढ़ी कए सेंटर आफ एक्सीलेंस बनेबा लेल 1960 लाख खर्च कैल जाएत। ओ दावा केलथि जे कईटा आईटीआई क भवन निर्माण शुरू भ गेल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa