• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

अप्रैल स देत कांटी बिजली

March 7, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

मुजफ्फरपुर। आखिरकार कांटी थर्मल पावर क बंद पडल इकाई स धुआं निकलबाक तारीख तय भ गेल। एकर एकटा इकाई अप्रैल त दोसर अक्टूबर मे पूरा भ जाएत। कांटी थर्मल मे वायलर ड्रम लिफ्टिंग क शिलान्यास क बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे 250-250 क इकाई लगेबा मे पताही हवाई अड्डा बाधा बनल, जाहि स 195-195 क दूटा यूनिट लगाउल जा रहल अछि। शिलान्‍यासक बाद एकटा सभा कए संबोधित करैत ओ कहला जे आब बेसी दिन नहि बस दू तीन साल मे बिहार बिजली उत्पादन मे आत्मनिर्भर भ जाएत। बिहार मे बिजली क समस्‍या पर विपक्षक आरोप कए उत्‍तर दैत ओ कहला जे किछु लोक कए अपन काबिलियत पर बड़ गर्व छै। की बिजली पुतला फूंकबा स आबि जाएत? की थर्मल प्‍लांट कोना तरकारी छी, जे दू मास मे लगा कए उत्‍पादन देखा दी? मुख्‍यमंत्री कहला जे विरोधी दल क सुझाव आमंत्रित अछि कोना बिजली समस्‍या दूर होएत। 24 घंटा क त गप छोडू अगर ओ 18 घंटा तक बिजली देबाक सुझाव राखि दथि त हुनका सत्ता सौंप देब। अटल जी बिहार कए विशेष योजना देने छलाह। मुदा राजद सरकार मे मामला अटकल रहल। नव इकाई लगायब त दूर पुरान सेहो ठप भ गेल छल। राजग सरकार आयल त 2006 मे काज शुरू करबाक प्रयास केलक। कांटी मे पुरान इकाई क जीर्णोद्धार लेल एनटीपीसी स समझौता कैल गेल। एहि मे ओ कईटा शर्त राखि देलक। कहलक, प्रबंधन हाथ मे देल जाए। बिजली बोर्ड क बकाया अछि, से शेयर सेहो बेसी चाही। मुदा राज्य हित कए देखैत थर्मल बंद रहबा स नीक बुझाएल जे एकर शर्त मानि ली। नीतीश कहला जे प्रबंधन देलाक बाद राज्‍य सरकार सेहो एनटीपीसी क सामने एकटा शर्त रखलक जे पुरान इकाई चालू करू, मुदा 250-250 मेगावाट क दूटा नव इकाई जे अटल जी देने छलाह ओकरा स्थापित कैल जाए।’ मुख्यमंत्री कहला जे 250 त नहि मुदा 195-195 मेगावाट क यूनिट लागि रहल अछि। ओ कहला जे बिजली नव समस्या नहि अछि। इ समस्‍या हुनका विरासत मे भेटल। ओ कांटी क बंद आ बरौनी क कोमा मे चलि रहल इकाई कए एनटीपीसी कए सौंप देलथि अछि। दूनूक इलाज चलि रहल अछि। मुदा किछु लोक बिजली लेल पुतला फूंकबा मे लागल छथि। विरोधि पर कटाक्ष करैत नीतीश कहला जे राजनीति करबाक चाही, मुदा राजनीति वास्‍तविकता स दूर नहि हेबाक चाही। अगर बिहार क वास्तविक भला चाहैत छी त समस्या क जडि (कांग्रेस क असहयोग) पर सेहो चोट करू। ओ कहला जे ओना पुआल जडेबा स अगर बिजली पैदा हुए त किछु पुआल हमहूं देबा लेल तैयार छी।

Tags: Biharnitish kumar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

लनामिवि भवन क रखरखाव लेल पांच करोड़ स्वीकृत

26 साल बाद फेर सजत दरबार हॉल

Esamaad Epaper Website

नरगौना पैलेस क आगू भ रहल निर्माण रुकल

Comments 1

  1. girijesh jha says:
    10 years ago

    सब स पहिल बात अच्छी की हम सब मिल क एक विचार करी की बिजली बचाबी / और बिहार के आगू बनाबी /हम अपन मिथिला नगरी में रहे वाला वाशी चहेत छी की दरभंगा या मधुबनी में हवाई पट्टी के ऊपर जल्दी ध्यान दियो /और हमरा मिथिला में कतेक ट्रेन के आवागमन अछी से सब बुझे छी / हमर विचार रे हवाय मार्ग स यात्रा करी / हमहू सब सीता माता के नगरी के छी /

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

विद्यापति स्मृति पर्व समारोहमे : जिंस ढ़ीला क’ र’…

by संपादक
August 16, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि