पटना। बिहार मे ग्रामीण विद्युतीकरण क सपने कए साकार करबा लेल आब विदेशी विशेषज्ञ क सहयोग लेल जा रहल अछि। रूरल यूटिलिटिस सर्विस यानि आरयूएस, अमेरिका क टीम बिहार दौरे पर अछि। टीम मे शामिल छह सदस्य हॉवर्ड डब्ल्यू बार्नस, रोनाल्ड जेनीज कैरे, नीथ जे लुट्ज, लैरी ऐलन बेलूजो, मेलिसा सै फ्रेजर, मोनाली हाजरा आ देवेन्द्र कुमार ऊर्जा विभाग क प्रधान सचिव अजय वी नायक आ बिजली बोर्ड क अधिकारी संग बैठक करि चुकल छथि आओर ग्रामीण विद्युतीकरण पर एकटा प्रस्तुति देलथि अछि। बिजली बोर्ड क अधिकारी राज्य मे ग्रामीण विद्युतीकरण क स्थिति, बिजली क कमी, डिस्ट्रीब्यूशन आ ट्रांसमिशन मे भ रहल बिजली क क्षति, विद्युतीकरण मे भ रहल परेशानी आ राजीव गांधी ग्रामीण विद्युतीकरण योजना क तहत हासिल कैल गेल उपलब्धि क बारे मे हुनका सब कए बतेलथि।
ऊर्जा विभाग क प्रधान सचिव अजय वी नायक आरयूएस क टीम कए कहला जे बिहार क कईटा इलाका बाढ़ क समस्या झेलैत अछि। गंगा दियारा इलाका मे विद्युतीकरण नहि भ पाबि रहल अछि। जाहि गाम मे विद्युतीकरण भ चुकल अछि ओहि ठाम सेहो बिजली आपूर्ति कए नियमित बहाल राखब मुश्किल भ रहल अछि। बैठक मे बिजली बोर्ड क सदस्य प्रशासन डॉक्टर राणा अवधेश, सदस्य वित्त आ राजस्व विनायक चंद्र गुप्ता, सदस्य उत्पादन ललन प्रसाद आदि मौजूद छलाह।