• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आउ-पाउ -नौकरी-चाकरी

November 1, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

DSC_296310 सेक्टर क लेल अलग-अलग सलेक्शन सेंटर
चैंबर, बीआईए, सीआईआई क सेहो भागीदारी
उज्जवल कुमार

पटना । देश मे चारूआत मंदी क मारि छल। पहिने स सेहो बेरोजगार क लंबा फौज नौकरी लेल परेशान छल। उम्मींद क सबटा किरण नदारत छल। तैयारी त भ रहल छल, मुदा आसरा कोनो दिस स नहि भेट रहल छल। सब दिन चेहरा पर कालिमा क एक नव लकीर उभरि रहल छल, मुदा कहल जाइता छल जे सब राति क भोर होइत दैक, त शायद सूर्य उगि रहल छथि। सितंबर-अक्तूबर दिल्ली स इ संकेत आयल छल् जे मंदी क असर आब कम भ रहल अछि। जाहिर अछि दिल्ली कहि रहल अछि त ओहि मे सच्चाई त होएत। एखन संकेत आ सच्चाई क आकलन भ रहल छल कि बिहार सरकार मंदी क कम हेबाक असर क घोषणा कए सच साबित करि देलक। जखन चारूआत नैकरीक दिक्कते दिक्कत अछि एहन मे बेरोजगार नौजवान कए पता चल जे ओकरा लेल 25 हजार नौकरी बाजार मे एकसंग आबि चुकल अछि। जाहिर अछि मुंह क कालिमा लालिमा मे बदलए लागल। खुशखबरी इ अछि जे 125 कंपनी करीब 25 हजार नौकरी लए कए आइ पटना मे छथि।

अलग-अलग सेक्टर क लेल अलग अलग चुनाव केंद्र
श्री कृष्ण मेमोरियल हॉल, गांधी मैदान -इंश्योरेंस आ बैंकिंग सेक्टर
बिहार इंडस्ट्रीज एसोसिएशन -दंत चिकित्सा आ पारा मेडिकल
यूथ हॉस्टल, फ्रेजर रोड- मैनेजमेंट प्रोफेशन
तारा मंडल – टेक्निकल आ इंजीनियरिंग
बिहार चैम्बर आफ कामर्स – कंप्यूटर साफ्टवेयर
बांकीपुर गल्र्स हाई स्कूल- डिफरेंट तरह के जॉब
मिलर हाई स्कूल – स्पिनिंग मिल सेक्टर
अवर प्रादेशिक नियोजनालय, बेली रोड- सिक्यूरिटी गार्ड-सुपरवाइजर
बीएन कॉलेज अशोक राजपथ-सेल्स आ मार्केटिंग
आईआईबीएम, बुद्ध मार्ग -लाइब्रेरियन आ बीपीओ सेक्टर

पहिल दिन भेटल एक लाख 20 हजार आवेदन
रोजगार मेला क पहिले दिन लगभग एक लाख 20 हजार आवेदन जमा भेल। सबस बेसी आवेदन बीएन कॉलेज क सेंटर पर जमा भेल। एहिमे भाग लेबा लेल पांच लाख स बेसी युवक पटना मे जमा छथि।
रविदिन पहुंचल सेहो कंपनी
रविदिन दर्जन भरि आाओर कंपनी नौकरी ल कए पटना पहुंचल। एहि कंपनीक एलाक बाद कुल नौकरी संख्या 25 हजार स बढि़ कए 45 हजार तक जा पहुल अछि । इ सबटा कंपनी बेंगलुरू स आयल अछि।
उदासीन रहलथि लड़की वर्ग
मेला कए ल कए लड़की वर्ग मे उदासीनता रहलथि। कुल 1.20 लाख आवेदन मे हिनकर भागीदारी महज 20 हजार रहल। एकर पाछु कंपनीक मानब अछि जे एखनो बिहार मे महिला नौकरी करबा लेल मानसिक रूप स तैयार नहि अछि।
गांधी मैदान बनल दलान
एक संग करीब पांच लाख गोटे शहर मे आबि गेलथि अछि। एहि स शहर क पूरा व्यवस्था चरमरा गेल अछि। एकर असर सांझ होइत-होइत गांधी मैदान, पटना जंक्शन आ हनुमान मंदिर सन सार्वजनिक स्थल लोकक दलान बनि चुकल अछि। एकर अलावा कईटा महत्वपूर्ण सड़क क फुटपाथ सेहो आवेदक स पटल अछि। राजधानी क होटल्स क सबटा कोठली पहिने स बुक भ चुकल अछि।

Tags: Biharpatnaरोजगार मेला

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

खुशी स नोरायल अधिकतर आंखि

नौकरी भेटल कई हजार, लाखों कए एखनो इंतजार

आब त लाज करू राज ठाकरे!

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि