• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

आकाश भेल अप्‍पन, जल्द शुरू होएत दरभंगा आ पूर्णिया स हवाई सेवा

August 20, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

दरभंगा/पटना/ नई दिल्‍ली । आखिर आकाश अप्‍पन भ गेल। एकटा सपना छल जे अक्टूबर मे पूरा भ जाएत। दरभंगा, पूर्णिया, गया आ पटनाक बीच हवाई सेवा अक्टूबर क अंत तक उपलब्‍ध भ जाएत। एहि गप क जानकारी स्प्रीट एयर लाइन क पटना एयर पोर्ट मैनेजर सुरेश प्रसाद इसमाद स एकटा विशेष चर्चा में देलथि अछि। प्रसाद कहला अछि जे केंद्र सरकार स पटना हवाई अडडा जहाज रखबा लेल स्‍थान आ अनुमति भेट गेल अछि आ छह सितंबर कए जर्मनी स विमान दिल्ली पहुंच गेल। किछु कागजी प्रक्रिया पूरा केलाक बाद 20 दिन मे जहाज पटना आबि जाएत। प्रसाद कहला जे किछु व्‍यावहारिक तैयारी क बाद उम्‍मीद अछि जे 15 स 30 अक्टूबर तक  बिहार क चारिटा शहर हवाई सेवा स जुडि जाएत। प्रसाद कहला जे एखन दरभंगा, पटना, पूर्णिया आ गया स इ सेवा उपलब्‍ध रहत। प्रसाद क अनुसार कंपनी भागलपुर लेल सेहो प्रयासरत छल मुदा राज्‍य सरकार भागलपुर मे विमान उतारबा लेल 63 हजार टका मांगि रहल अछि जखन कि दरभंगा आ पूर्णिया मे विमान उतारबा लेल भारतीय वायुसेना केवल नौ हजार टका ल रहल अछि। प्रसाद कहला जे दिल्‍ली आ कोलकाता एखन जोडब संभव नहि अछि मुदा बगलक राज्‍य झारखंडक दूटा शहर रांची आ जमशेदपुर सेहो एहि सेवा स जुडि जाएत। ज्ञात हुए जे इ कंपनी पिछला साल सेहो एहन प्रयास केने छल मुदा तकनीकी कारण स सफल नहीं भ सकल। एकर बाद लोक एहि सेवा कए लकए नाउम्मीद भ चुकल छल। महाराज दरभंगा क दरभंगा एयरलाइंसक बाद इ पहिल मौका छल जखन कोनो निजी कंपनीक सेवा दरभंगा हवाई अड्डा स शुरू हुए जा रहल अछि।
देर आये दुरुस्त आये क कहावत कए चरितार्थ करैत स्प्रीट एयर लाइन यात्री क बढैत संख्‍या कए देखैत अपन तीन सीटर क स्‍थान पर दस सीटर विमान उतारि रहल अछि। नव सेवा कई मायने मे फायदेमंद साबित भ सकैत अछि। तीन क जगह 10 यात्री कए लकए उड़ान भरला स विमान किराया कम भ सकैत अछि, आ पटना क अलावा महानगर क लेल सेहो सेवा आरंभ हेबाक संभावना बढ़त। यात्री कए सामान लकए चलबा मे सेहो सहूलियत होएत। सुरेश प्रसाद कहलथि अछि जे एकरा लेल जर्मनी क एकटा कंपनी स भाड़ा पर विमान लेल गेल अछि, जे दिल्ली पहुंच चुकल अछि। दिल्ली स विमान एलाक बाद समय सारणी आ आन तरहक जानकारी उपलब्‍ध करा देल जाएत। उम्मीद अछि जे एहि माह मे सब किछु तय भ जाइत आ अगिला माह विमान उपलब्ध भेला पर तिथि घोषित करि देल जाएत। प्रसाद कहला जे सरकार अगर मदद करए त भगलपुर आ मुजफ्फरपुर स सेहो इ सेवा शुरू भ सकैत अछि। हालांकि मुजफ्फरपुर जिला प्रशासन क दिस स हवाई अड्डा कए उड़ान लायक बनेबा लेल आहूत बैठक बेर-बेर टलला स स्प्रीट एयर लाइन निराश अछि। पटना एयर पोर्ट मैनेजर श्री प्रसाद कहैत छथि जे अगर मुजफ्फरपुर क एयर पोर्ट दुरुस्त भ जाए त सीधा कोलकाता, मुंबई क लेल सेहो सेवा शुरू करबा क विचार भ अछि।

Tags: airportBihardarbhangaगयादरभंगापटनापूर्णियाहवाई सेवा
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

आब यू-ट्यूब पर देख सकैत छी बिहारक घूसखोर कए

Esamaad Epaper Website

जब्‍त होएत आइएएस वर्मा क सम्पत्ति

Esamaad Epaper Website

आखिर बांटल गेल बिहार राज्य बिजली बोर्ड

Comments 13

  1. Saga Mishra says:
    11 years ago

    Bahut Bahut badhai aa dhnyabaad esamaad.com ke ete nik samachaar ke lel 🙂

    Reply
  2. Sunil Kumar Jha says:
    11 years ago

    Bah bahut neek samachar acchi, mon prasann bhae gel.

    Reply
  3. Dr. Shashidhar Kumar says:
    11 years ago

    बहुत प्रशन्नताक गप्प ।
    बहुत नीक समाद देल अपने ।
    एहि समादक चिरप्रतिक्षा रहए, आ लगैत छल जे शायद कहियो नञि भेटत ।
    अपने केँ, भारतिय वायुसेना केँ आ स्प्रीट एअरलाइंस केँ हार्दिक शुभकामना आ संगहि धन्यवाद ।

    Reply
  4. Dr. Shashidhar Kumar says:
    11 years ago

    आ रहल टाँग घिचबाक गप्प, से ओ तऽ अवश्ये कि ने बिहारक पुराण गुणधर्म जे थिक आ तकरे फल एखनहु भोगि रहल अछि बिहार ।

    लोक अप्पन उन्नतिक लेल विचार आ प्रयत्न नञि करत, पर दोसराक अवनति करबाक हेतु सतत् विचारशील प्रयत्नशील रहत ।

    उदाहरणक लेल बिहारक नामे रेल्वे द्वारा बहुते रास परियोजना सभ घोषित भेल जकरा देखि आन आन प्रांत सभ केर भौंह तनि गेलैक, पर यथार्थ मे बहुत कम्महि परियोजना पूरा भेलैक । कारण अपनहि राज्यक बाद मे आबय वाला रेल मण्त्री पहिलुका द्वारा घोषित परियोजना सभ केँ बन्न कऽ देलक, नवीन परियोजना घोषित कयलक ओकरा अगिला मण्त्री बन्न कऽ देलक आ चक्र – कुचक्र चलैत रहल ।

    Reply
  5. shishir kumar thakur says:
    11 years ago

    wah wah wah, mon gad gad bhai gel….. Sab gotay ke bahut bahut dhanyabad…. Mithila desh mahan, gaaun mili sab akre gun gaan….. Mithila desh mahan.

    Reply
  6. Komal Kislay says:
    11 years ago

    एहि सँ यातायातक सुविधा बढ़त।

    Reply
    • DR. SHEFALIKA VERMA says:
      11 years ago

      Asim prasannta bhel , MITHILA RAJYA dis badhait pahiluk mahatwpurn deg…………..badhaai…

      Reply
  7. Dr. Shashidhar Kumar says:
    11 years ago

    July ta aabi gel ……………… aab kahiya ?

    Reply
  8. sushant jha says:
    11 years ago

    grt news. I am really enthusiastic for Bihar.

    Reply
  9. Anand kumar jha says:
    11 years ago

    vahut vahut subh samachar aichi….

    Reply
  10. Vishwa Mohan Prasad says:
    11 years ago

    E ta bad nik samachaar aichh Darbhanaga aa Mithilawasi la. Dhanyawaad pag-pag par update dey la.

    Reply
  11. प्रकाश झा says:
    11 years ago

    waah… bahut neek hoyat…

    Reply
  12. Ranjit says:
    11 years ago

    Man harkhit bha gel… company ke subhkamna

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि