• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

आखिर कए रोकने अछि बिहार क कोल लिंकेज

March 18, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नई दिल्ली। लोकसभा मे बिहार मे नव ऊर्जा संयंत्र लेल कोल लिंकेज क सुविधा उपलब्ध करेबाक मांग पर जे गप सामने आयल हो एकटा नव बहस कए जन्म द देलक अछि।
कोयला मंत्री श्रीप्रकाश जायसवाल क कहब अछि जे हुनकर विभाग एहि लेल कतहु स जिम्मेदार नहि अछि, दरअसल एहि लेल ऊर्जा मंत्रालय जिम्मेदार अछि, ओकर सिफारिश प्राप्त होइत देरी कोयला मंत्रालय जल्द स जल्द बिहार कए कोयला उपलब्ध करा देत। जायसवाल क साफ कहब अछि जे कोल लिंकेज क सुविधा तखने प्रदान कैल जा सकैत अछि जखन एहि विषय पर ऊर्जा (बिजली) मंत्रालय स सिफारिश प्राप्त होएत।
बिहारक विकास लेल बिजलीक केतबा जरूरत अछि इ ककरो स नुकायल नहि अछि। बिहार मे स्थापित कैल जा रहल नव ऊर्जा संयंत्र क लेल कोल लिंकेज क सुविधा क बारे मे केंद्र सरकार रवैया शुरू स उदासीन रहल अछि। इ सवाल उठैत अछि जे आखिर केंद्र सरकार अगर कोल लिंकेज उपलब्ध नहि करा रहल अछि त एकर पाछु की कारण अछि।
कोयला मंत्री जेना कहला ओ साफ अछि जे ऊर्जा मंत्रालय बिहार क लेल वाधा उत्पन्न करि रहल अछि। किया कि बिहार मे जे ऊर्जा संयंत्र लागल अछि ओकरा लेल कोल लिंकेज क सुविधा रोकल नहि गेल अछि। एतबे नहि दूटा अतिरिक्त कोयला ब्लाक सेहो उपलब्ध करा देल गेल अछि। कोल इंडिया लिमिटेड राज्य क बिजली संयंत्र लेल जरूरत क 95 प्रतिशत कोयला क आपूर्ति करैत अछि।
सवाल उठैत अछि जे मनमोहन सिंहक दोसर कार्यकाल मे एना बिहार विरोधी काज किया भ रहल अछि। गप केवल एकटा कैबिनेटक नहि अछि। दूनू मंत्रालय एकहि टा दलक नेताक लग अछि, अंतर अछि त बस राज्यक।
आजाद भारतक इ पहिल एहन कैबिनेट अछि जाहि मे एकोटा बिहार क प्रतिनिधि नहि अछि। 60 साल तक बिहारक नेता राज्य कए बिसरि देश कए बनेबा मे लागल रहलाह, आइ पूरा देश लग बिहार कए बनेबाक मौका अछि, मुदा मनमोहन क कैबिनेट क सदस्य हर मामला मे एक दोसर पर जिम्मेदारी देबाक अलावा किछु नहि करि रहल अछि। एकटा खास राज्यक मंत्री सब एकजुट भ बिहार कए विकास मे रोडा ठार करि रहल छथि। बिहार मे सबस पहिने एथोनॉल क मामला सामने आयल, अनुमति नहि भेटल, फेर बिहार मे विमान सेवा क विस्तारक योजना आयल, फाइल गरदा फांकि रहल अछि, फेर इ कोयला आपूर्तिक नव मामला, सबटा मे एकटा खास राज्यक नेताक नाम लगातार सामने आबि रहल अछि जे बिहारक योजना कए रोकबा मे जी जान लगा देने छथि। बीटी मक्का लेल बिहारक जमीनक प्रयोग लेल एकटा खास कैबिनेट मंत्री जेना चारू दिस स दबाव बनेने छथि ओ सेहो आपत्तिजनक अछि। कुल मिला कए कहल जा सकैत अछि जे केंद्र मे बिहारक विरोध एतिहासिक अछि। आर जे मनमोहन सिंह क रवैया अछि ओहि मे बिहार लेल कोनो शुभ संकेत नजरि नहि आबि रहल अछि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

इंजन पहुंचल पुल क करीब, मुदा पुल बनबा लेल ताकू बाट

Esamaad Epaper Website

रेलवे मे जगह नहि, एयरलाइंस मे भाडा भेल चारि गुना बेसी

Esamaad Epaper Website

10,000 युवा कए नौकरी देबाक तैयारी...

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि