26टा जिला देलक सौ फीसदी स बेसीक राजस्व
जमुई आओर मधुबनी जिला कए क्रमश: पहिल आ दोसर स्थान हासिल भेल
पटना। कई साल स घाटा मे गेल बिहार राज्य परिवहन विभाग लेल शुभ दिन लौटबाक बाट देखा रहल अछि। नव सरकार एलाक बाद एहि विभाग मे कोनो प्रकारक परिवर्तन एखन धरि नहि देखा रहल छल। एहि विभागक कईटा कर्मचारी दरमाहाक अभाव मे मरी गेलाह, कई गोटे एखनो मरनासन्न छथि। मुदा निराशाक एहि माहौल मे एकटा टिबिया देखा रहल अछि। विभाग समाप्त भेल वित्तीय वर्ष मे बेजोड़ उपलब्धि हासिल केलक अछि। राजस्व वसूली क जे रिपोर्ट सामने आयल अछि ओकर अनुसार 38 मे स 26टा जिला सौ फीसदी स बेसी संग्रह करि लेलक अछि। पटना जिला क वार्षिक लक्ष्य 7500 लाख टका राखल गेल छल जखनकि जिला 7865.80 लाख टकाक वसूली करि लक्ष्य क 104.88 फीसदी उपलब्धि हासिल केलक अछि। राजस्व संग्रह मे उपलब्धि क लिहाज स पटना जिला कए बीसम स्थान हासिल भेल अछि। राजस्व संग्रह क दृष्टि स जमुई आओर मधुबनी जिला कए क्रमश: पहिल आ दोसर स्थान हासिल भेल अछि। जमुई जिला कए वित्तीय वर्ष 2010-11 मे 128 लाख क लक्ष्य देल गेल छल आओर जमुई जिला 195.76 लाख संग्रह केलक अछि। इ लक्ष्य क 152.94 फीसदी अछि। एहि प्रकार स मधुबनी 152.70 फीसदी राजस्व वसूल करि दोसर स्थान पर रहल। मधुबनी जिला कए 336 लाख क लक्ष्य देल गेल छल जखन कि वसूली 513.07 लाख टका भेल अछि। राजस्व वसूली क लिहाज स शीर्ष क दस जिला मे जमुई आओर मधुबनी क बाद क्रमश: सहरसा, दरभंगा, बांका, सीतामढ़ी, समस्तीपुर, किशनगंज, पूर्णिया आओर वैशाली जिला शामिल अछि। भागलपुर क संबंध मे कहल जाइत अछि जे वित्तीय वर्ष 2010-11 मे एहि जिले कए 1000 लाख क लक्ष्य देल गेल छल आ एहि जिलाक उपलब्धि रहल 1100.05 लाख। राजस्व वसूली कए लेल जिला क जे रैंकिंग बनल अछि ओहि मे भागलपुर जिला कए तेरहम स्थान हासिल भेल अछि। विभाग क इ उपलब्धि ओकर घाटा कए पाटबा लेल काफी नहि अछि, मुदा इ कहबा मे आब हर्ज नहि जे परिवहण विभागक आर्थिक चक्का घुमल अछि आ उम्मीद कैल जा सकैत अछि जे इ अपन घाटा कए इतिहास बना लेत।