• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

आखिर जमीन पर आएल बैंक

March 15, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बिहार क किसान कए 16 हजार टका ऋण देबा लेल तैयार

पटना। रिजर्व बैंक क चेतावनी आ बिहार सरकारक धमकी क बाद आखिरकार बैंक बिहार क किसान कए कर्ज देबा लेल तैयार भ गेल अछि। बैंक नव वित्त वर्ष मे बेसी-स-बेसी कर्ज देबाक फैसला केलक अछि। एहि बेर ओ खास तौर पर किसान क लेल अपन तिजोरी खोलत। कृषि कार्य क लेलनव वित्त वर्ष मे 16 हजार करोड़ टका कर्ज क रूप देल जाएत। एकर अलावा, बैंक राज्य मे कर्ज जमा अनुपात (सीडी रेश्यो) कए सेहो 35 फीसदी क स्तर पर अनबाकलक्ष्य रखलक अछि। उप-मुख्यमंत्री सह वित्त मंत्री सुशील कुमार मोदी कहला, ‘बैंक राज्य मे धीमा सही, मुदा बीतल चारि साल मे नीक प्रगति दर्ज केलक अछि। एहि राह मे नव वित्त वर्ष मे बैंक राज्य मे कर्ज क रूप मे 37,000 करोड़ टका बांटबाक इरादा रखने अछि। बीतल किछु साल मे बैंक एहि राह मे प्रगति करि रहल अछि।Ó चालू वित्त वर्ष मे राज्य मे बैंक 21,127 करोड़ टका कर्ज क रूप मे बांटबाकलक्ष्य रखने छल, जाहि मे स ओ दिसंबर, 2009 तक 12,879 करोड़ कर्ज बांट चुकल अछि। सूत्र क मानी त एहि वित्त वर्ष क अंत तक बैंक 17-18 हजार करोड़ टका बांटबा मे कामयाब रहल अछि।
दोसर दिस, अगिला वित्त वर्ष मे बैंक किसान पर सेहो मेहरबान रहत। बैंक एहि साल राज्य क किसान कए 16 हजार करोड़ टका क कर्ज देबाकफैसला लेलक अछि। मोदी कहला, ‘इ बहुत पैघ लक्ष्य अछि। हम बैंक सबस कहलहूं अछि जे जखन ब्याज क दर कए हम 4 फीसदी तय करि चुकल छी, त एहन मे हुनकर कर्ज कए डूबबाक उम्मीद सेहो कम भ गेल अछि। एहि लेल आब कोनो बहाना बनेबाक जरूरत नहि अछि आ बेसी स बेसी ऋ ण बांटू।Ó
शनिदिन सेहो ओ विभिन्न मसला पर राज्य स्तरीय बैंकर्स कमेटी क बैठक मे भाग लेलथि आ ऋ ण वितरण क समीक्षा करबाक निर्देश देलक। हुनकर मुताबिक एक अप्रैल 2010 स 7 क बदला मे 4 फीसदी क दर स किसान कए ऋ ण पर ब्याज अदा करबाक अछि। तीन फीसदी अनुदान भेटत। केन्द्र सरकार एहि साल कृषि ऋ ण पर दू फीसदी अनुदान क घोषणा केलक अछि। हालांकि पिछला साल सेहो एक फीसदी अनुदान क घोषणा भेल छल, मुदा राशि अदा नहि भेल। ओ आश्वस्त केेलथि जे केन्द्र सरकार स अनुदान क राशि नहि भेटला पर किसान कए 4 फीसदी क दर स ब्याज अदा करबाक अछि। मार्च 2012 तक दू हजार स बेसी आबादी वाला गाम मे बैंकिंग सुविधा मुहैया कराउल जाएत। एहि श्रेणी क 10749 गाम अछि, जाहिमे 8009 गाम मे कोनो सुविधा नहि अछि। बैंकिंग कियोस्क, बायोमेट्रिक सिस्टम या फेर बिजनेस करसपोंडेंट क माध्यम स बैंकिंग सुविधा उपलब्ध कराउल जा रहल अछि। तखन गाम क लोक कए बैंक जेबाक सेहो जरूरत नहि होएत। बैंक एहि दिशा मे काज प्रारंभ करि देलक अछि। 367 गाम मे बैंक करसपोंडेंट क सुविधा प्रारंभ भ चुकल अछि। जाहि गाम मे बिजली नहि अछि, ओतह सौर ऊर्जा स एटीएम चालू कैल जा रहल अछि। बैंकिंग क मामला मे ग्रामीण बिहार क तस्वीर जल्द बदलल भेटत।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे बदलाव पर विश्व बैंक क मुहर

Esamaad Epaper Website

टीम गडकरी मे बिहारी खनक

Esamaad Epaper Website

पटना मे खुलल पंजाब टेक्निकल विवि क अध्ययन केन्द्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि