• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

आखिर बिहारक किसान संग इ अन्‍याय किया

May 20, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। गेहूम क बंपर पैदावार बिहारक किसान लेल मुसीबत बनि गेल अछि। बिहारक किसान कए उम्‍मीद छल जे दोसर हरित क्रांतिक अगुआ कहबाक बाद केंद्रीय पुल मे ओकर हिस्‍सा बढेबा लेल सरकार सामने आउत आ ओकर गहूम कीनत। मुदा एहन कोनो प्रयास सरकार दिस स नहि भेल। सरकारक एहि उदासी स बाजार मे गेहूम क दाम, न्यूनतम खरीद मूल्य (एमएसपी) 1170 टका स करीब 150 टका पर आबि गेल अछि। बिहार क 80 फीसदी किसान एमएसपी स कम मे गेहूम बेचबा लेल मजबूर छथि। दोसर दिस भारतीय खाद्य निगम (एफसीआई) आओर दोसर एजेंसी क कहब अछि जे एहि वित्त वर्ष क शुरुआती दू मास मे एतबा गेहू क खरीद भ चुकल अछि जेतबा खरीद पिछला वित्त वर्ष क पूरा मार्केटिंग सीजन मे भेल छल। गौरलब अछि जे एहि बेर केंद्रीय पुल मे गुजरात आ मध्‍यप्रदेश क हिस्‍सा बढल, मुदा बिहार फेर धकिया देल गेल। गुजरात आ मध्‍यप्रदेश क सेहो पहिने बिहार सन हाल छल मुदा एहि बेर सरकार ओकरा दिस ध्‍यान देलक अछि। आंकडा क अनुसार गुजरात मे कुल 47,471 टन गेहूम क खरीद भ चुकल अछि। पिछला साल क समान अवधि मे केवल 624 टन गेहूम खरीद भेल छल। एहि साल केंद्रीय पूल मे सबस बेसी योगदान देनिहार राज्‍य क सूची मे मध्य प्रदेश तेसर नंबर पर आबि गेल अछि। शीर्ष दू स्थान पर पंजाब आ हरियाणा अछि। आधिकारिक जानकारी क अनुसार एखन धरि पंजाब मे 103 लाख मीट्रिक टन, हरियाणा मे 64 लाख मीट्रिक टन, मध्य प्रदेश मे 4 लाख मीट्रिक टन, उत्तर प्रदेश मे नौ लाख मीट्रिक टन आओर राजस्थान में सात लाख मीट्रिक टन गेहूम क खरीद भ चुकल अछि। गौरतलब अछि जे पंजाब आओर हरियाणा मे फसल क कटाई मे देरी क बावजूद गेहूम क सरकारी खरीद 167.75 लाख टन भ चुकल अछि। जखन कि उत्तर प्रदेश मे सरकारी एजेंसी क व्‍यवहार बिहार स भिन्‍न्‍ा नहि अछि। एहि ठाम 2011-12 मे पिछला साल क 10.4 लाख टन क तुलना मे 36.5 फीसदी कम खरीद कैल गेल अछि। जहां धरि बिहार क सवाल अछि त रिकार्ड पैदावार भेलाक बावजूद एहि साल महज 27,221 टन गेहूम क खरीद कैल गेल अछि। जे पिछला साल क समान अवधि क तुलना मे 85 फीसदी कम अछि। जखन कि राजस्थान मे पिछला साल क समान अवधि क तुलना मे गेहूम खरीद 64 फीसदी बेसी कैल गेल अछि।
भारतीय खाद्य निगम (एफसीआई) द्वारा जारी नव आंकडा क अनुसार बीतल वित्त वर्ष क समान अवधि क दौरान दौरान सेहो पंजाब आ हरियाणा स 177 लाख टन गेहूम क खरीददारी भेल छल, जे कुल खरीददारी 85 फीसदीक करीब छल। सवाल उठैत अछि जे एखनो देशक आत जनता कए इ बुझउल जाइत अछि जे पंजाब देश कए भोजन द रहल अछि, जखन कि पैदावार क हिसाब स बिहार देशक दोसर सबस पैघ गहूंम उत्‍पादक राज्‍य अछि। एहन मे अगर बिहार क किसान स सरकारी एजेंसी खरीद नहि करत त बिहार किसान देश मे दोसर हरित क्रांतिक अगुआ कोना बनत। बिहारक किसान लग पंजाब क किसान स कम सुविधा उपलब्‍ध अछि। मुदा एकर बावजूद पैदावार रिकार्ड स्‍तर पर अछि, मुदा सरकारी नीति मे कोनो बदलाव नहि भ रहल अछि। सरकार जाहि राज्‍य स पहिने खरीद करैत छल, ओहि राज्‍य पर एखनो निर्भरता अछि। बिहार कए प्राथमिकता देल जेबाक चाही, मुदा एहन कोनो प्रयास सरकारी स्‍तर पर नहि भ रहल अछि। पंजाब क किसान कए गहूम क दाम सेहो बेसी भेट रहल अछि आ सम्‍मान सेहो भेट रहल अछि जखन कि बिहार क किसान कए न दाम भेट रहल अछि आ न देश कए खुएबाक सम्‍मान भेट रहल अछि। बिहार संग एहि प्रकारक व्‍यवहार पर अधिकारी क कहब अछि जे बिहार मे भंडारण क सही व्यवस्था नहि हेबाक वजह स खरीदारी बाधित भेल अछि। दोसर इ जे बिहार आयूपी मे धीमी खरीदारी लेल ओहि ठाम स्थानीय प्रशासन कए सेहो जिम्मेदार मानल जा रहल अछि। आंकडा क मुताबिक एफसीआई आओर अन्य सरकारी एजेंसी मिलकए एखनधरि कुल 2.25 करोड़ टन गेहूम क खरीदारी क चुकल अछि। पिछला पूरा सीजन मे इ आंकड़ा 2.25 करोड़ टन रहल छल। एहि साल 2.6 करोड़ टन सरकारी खरीद क लक्ष्य राखल गेल अछि। एहन मे इ उम्‍मीद बहुत कम जे लक्ष्य कए हासिल करबा लेल सरकार बिहार क किसान पर ध्‍यान देत।
मशहूर कृषि विज्ञानी आओर सीएसीपी (कमीशन फॉर एग्रीकल्चर कॉस्ट एंड प्राइसेस) क चेयरमैन अशोक गुलाटी क मुताबिक एफसीआई क लग मे अनाज रखबाक जगह नहि अछि आ बरसात लग आबि गेल अछि। एहन मे बिहार क किसान कए भारी नुकसान भ सकैत अछि। निजी खरीद सेहो ठीक स नहि भ पाबि रहल अछि किया कि सरकार गहूम क निर्यात पर रोक लगा रखने अछि। अगर इ रोक तत्‍काल हटा लेल जाए त खुलाबाजार मे सेहो कियान कए गहूम क किछु नीक दाम भेट सकैत अछि। सीएसीपी चेयरमैन अशोक गुलाटी क मुताबिक बिहार मे किसान 1000-1100 टका पर गहूम बेंच रहल छथि। कतहु कतहु त किसान 950 टका मे सेहो गहूम बेचबा लेल मजबूर भ रहल छथि। किया कि ओहि किसान लग गहूम क ज्यादा पैदावार भ गेल अछि आ ओकरा रखबा लेल जगह नहि अछि। ओ इ सेहो मानैत छथि जे गहूम निर्यात क फैसला मे काफी देरी भ चुकल अछि किया कि बिहारक अधिकतर किसान फसल बेच चुकल छथि। अशोक गुलाटी क मुताबिक बिहार मे पिछला 1 साल मे किसान क लागत 20 फीसदी बढल अछि, मुदा फसल क अधिकता क चलते घरेलू बाजार मे गहूम क दाम काफी नीचा आबि सकैत अछि।

Tags: Biharकिसानबिहार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

दूध संग्रह मे गुजरात स आगू बढत बिहार क सुधा डेयरी

Esamaad Epaper Website

सुपौल आ दरभंगा मे सेहो खुलत नदी थाना

बिहार मे विलियम्स बहिनक अछि लंबा कतार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि