• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

आखिर बिहार कए की बुझैत छैक लोक

March 17, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। इ सही अछि जे बिहार में बहुत दिन त प्रशासन निष्क्रिय रहल आ सरकार नामक चीज नहि छल, मुदा देश दुनिया क नजरिया बिहारक प्रति एखनो ओहिने अछि, जखनकि बिहार बदलि चुकल अछि। विदेशी कंपनीक दुस्साहस आ केंद्रक लापरवाही स बिहारक जमीन संग दुष्कर्म करबाक खेल शुरू भ चुकल छल। मुख्यमंत्री क अनुमति क बिना बीटी मक्का क प्रयोग शुरू करबाक मामला सामने एलाक बाद पूरा बिहार हैरान अछि। बिहार कए बीटी मक्का क प्रयोगशाला नहि बनेबाक फैसला किसान संग सरकार क सेहो अछि। मुख्यमंत्री क बयान क बाद इ तय भ गेल छल जे एहन प्रयोग लेल बिहारक जमीन नहि देल जा सकैत अछि। मुदा एहन प्रयोग बिना अनुमति कए विदेशी कंपनी बिहार मे शुरू करि देलक, इ सूचना पाबि पूरा राज्य मे हड़कंप मचि गेल अछि।
दोसर दिस राज्य सरकार कए बिना जानकारी देने बीटी मक्का उत्पादन क प्रयोग शुरू कोना भेल एहि पर केंद्र स कठोर शब्द मे उत्तर मांगल जा रहल अछि। ज्ञात हुए जे शरद पवार लगातार इ दबाव बना रहल छथि जे बिहार मे एकर प्रयोग हुए। राज्य सरकार कंपनीक एहि दुस्साहस आ केंद्रक लापरवाही कए गंभीरता स लेलक अछि। बिहारक जमीन पर एहि प्रकारक भ रहल प्रयोगक जानकारी भेटला स स्तब्ध मुख्यमंत्री तत्काल केन्द्रीय पर्यावरण मंत्री कए पत्र लिखलाह अछि आओर मामला क जांच क आदेश देलथि अछि। ज्ञात हुए जे बिना राज्य सरकारक अनुमति कए एहन प्रयोग कोनो राज्य मे संभव नहि अछि। मुख्यमंत्री केंद्र सरकार कए टूक जवाब देलथि अछि जे पूसा मे बीटी मक्का क ट्रायल नहि कैल जाए। ओ केन्द्र स कहला अछि जे बिना जेनेटिक इंजीनियरिंग एप्रुवल कमेटी क अनुमति क प्रयोग कोना शुरू भेल।
ओ मोन्सैंटो क रवैया पर आपत्ति जतेलाह आ कहला जे ओ जखन 21 फरवरी कए ट्रायल करि चुकल छल तखन राज्य सरकार स 24 फरवरी कए एकरा लेल अनुमति किया मांगल गेल। मुख्यमंत्री क बयान क बाद पूसा क वैज्ञानिक आ प्रबंधन क होश उडल अछि। ओ आनन-फानन मे बीटी मक्का क बीज आ पौधा कए राता राति काटिकए फेंक रहल अछि।
दोसर दिस पूसा मे किसान मेला मे गेल राज्य क कृषि मंत्री बीटी मक्का पर सरकारक राय साफ करैत कहला जे बिहार मे एकर प्रयोग कोना शुरू भेल इ केंद्र कए बतेबा लेल कहल गेल अछि, बिहार संग एहन व्यवहार कोनो हालत मे बर्दाश्त नहि कैल जाएत। इ बिहारक बजूद संग छेडछाड अछि।
वैज्ञानिक क सेहो मानब अछि जे विदेशी धरती क फॉर्मूले पर आधारित एहि तरह क बीज किसान क लेल बेसी कारगर नहि अछि, जखन कि खेत लेल खतरनाक अछि। बहरहाल राज्य सरकार क सख्ती कए देखैत कंपनी हड़बड़ी मे बखेड़ा ठार नहि हुए ताहि लेल खेत साफ करबा मे लागल अछि। एकर बावजूद जे भ चुकल अछि ओ गंभीर मामला अछि आ इ तुरंत थमि नहि सकैत अछि। मुख्यमंत्री रूख कए देखैत केन्द्रीय पर्यावरण मंत्री एहि मामला क जांच क आदेश द देलथि अछि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

आखिर कए रोकने अछि बिहार क कोल लिंकेज

इंजन पहुंचल पुल क करीब, मुदा पुल बनबा लेल ताकू बाट

Esamaad Epaper Website

रेलवे मे जगह नहि, एयरलाइंस मे भाडा भेल चारि गुना बेसी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि