• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

आखिर महेश्‍वर बाबू हारि गेलाह

January 22, 2012
in विचार, समाचार
A A
311
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

मिथिलेश/ प्रीतिलता मल्लिक
पटना । दिल्‍ली स्थित कांग्रेस मुख्‍यालय क सामने लागल दरभंगा लेन क बोर्ड हटा देल गेल, त ककरो एकर विरोध क उम्‍मीद नहि छल। उम्‍मीदक अनुरूप विरोध सेहो नहि भेल। दरअसल कांग्रेस एहि तरह विरोध करबा लेल जनता कए कहियो तैयार नहि केलक। कांग्रेस मे पुरान नाम कए बदलबाक नीति शुरू स विवादित रहल अछि। दरभंगा लेन क मामला एहि नीति पर बहस कए एक बेर फेर शुरू क दलेक अछि। बहस शुरू भेल त नाम बदलबाक इतिहास आ ओकर मानसिकता तकबा लेल दस्‍तावेज उलटबाक इच्‍छा भेल। बिहार एहन शोध लेल उपयुक्‍त स्‍थान अछि ताहि लेल शुरूआत बिहार स केलहुं।
दस्‍तावेज देखला स साफ भ जाइत अछि जे कोनो स्‍थानक नामकरण मे कांग्रेस नीति सकारात्‍मक सोच पर आधारित नहि रहल अछि। कांग्रेस क भीतर सकारात्‍मक सोचक जे छलाह ओ कालांतर मे धकिया देल गेलाह। भारतक आजादी क बाद स्‍थापित नाम कए बदलबा पर पहिल बहस बिहार मे भेल छल। बिहार विधान परिषद मे एक अप्रैल,1948 कए शुरू भेल बहस कालातंर मे सरकारक नामकरण नीति कए स्‍थापित करबाक काज केलक। दस्‍तावेजक अनुसार पुण्यदेव शर्मा सदन मे कहला जे राजधानी क हार्डिग पार्क मे लॉर्ड हार्डिग क प्रतिमा क जगह पर महात्मा गांधी क प्रतिमा लगा देल जाए। पार्क मे गांधी क उपदेश कए अंकित कैल जाए। पुण्यदेव शर्मा क कहब छल जे हार्डिग क प्रतिमा साम्राज्यवाद क प्रतीक अछि आ जखन हम ओहि रास्‍ता स जाइत छी त इ तुरंत झलकि जाइत अछि जे हम गुलाम छलहुं। एहि लेल इ मूर्ति क एहि ठाम रहब नीक गप नहि। एकरा एहि ठाम स हटा देल जाए। ओना एहि प्रस्‍तावक संग वर्मा इ जरूर कहला जे ओ एहि मूर्ति क अपमान नहि करए चाहैत छथि ताहि लेल लॉर्ड हार्डिग क मूर्ति कए पटना संग्रहालय मे सुरक्षित राखल जाए। शर्मा जी क एहि प्रस्‍ताव पर महेश्वनर नारायण सिंह कडा विरोध केने छलाह। हुनकर कहब छल जे एहि प्रकारक प्रस्ताव क जरूरत नहि अछि। हुनकर तर्क छल जे एहन प्रस्‍ताव स अंगरेज क प्रति द्वेष भाव प्रकट होएत। गांधी क प्रतिमा लगेबा लेल हार्डिग क प्रतिमा हटेबाक कोनो औचित्‍य नहि अछि। दूनू क प्रतिमा लगा सकैत छी। हुनकर कहब छल जे लॉर्ड हार्डिग क मूर्ति केवल साम्राज्यवाद क प्रतीक नहि कहल जा सकैत अछि। ओ बिहार निर्माण मे महत्‍वपूर्ण योगदान देनिहार छथि। पार्क मे लागल मूर्ति वो वायसराय आ गर्वनर जेनरल छी जिनकर बिहार प्रांत कए बंगाल स अलग करबा मे अहम भूमिका रहल। अगर हम सब एहि तथ्‍य कए बिसरैत छी त इ दुखद अछि। अपन भाषणक अंत मे महेश्वर सिंह कहने छलाह जे जखन महात्‍मा गांधी अंगरेज क प्रति खराब सोच नहि रखैत छथि त हम सब एहन काज करि लड़कपन किया करि ओनाओ हम हिंदुस्तानी उपकार नहि बुसरैत छी। महेश्‍वर सिंह क एहि भाषणक बाद लॉर्ड हार्डिग क प्रतिमा हटेबाक प्रस्ताव वापस ल लेग गेल। मुदा पुण्यदेव शर्मा आ महेश्‍वर सिंह कए व्‍यक्ति क रूप मे नहि देखल जाए, बल्कि ओ एकटा मानसिकता क प्रतिनिधित्‍व करैत छलाह। ताहि लेल दू व्‍यक्तिक बीच क बहस नहि छल। इ दू टा मानसिकता क बीच क बहस छल। लोहिया क कहब अछि जे इतिहास अपना कए दोहरबैत नहि अछि बल्कि ओ समाजक उपर नीचा होइत मानसिकता कए देखबैत अछि। समाज मे जखन सकारात्‍मक मानसिकता क लोग बेसी होइत अछि त इतिहास नीक बनैत अछि आ समाज मे अगर नकारात्‍मक मानसिकता क लोग बेसी भ जाइत अछि त इतिहास खराब बनैत अछि। 1 अप्रैल 1948 मे वापस भेल प्रसताव पर 1969 मे क्रियान्‍वयन ताहि लेल भेल किया कि बिहार मे नकारात्‍मक सोच समाज पर प्रभावी भ गेल। महेश्‍वर सिंहक इ कहब कोनो मायने नहि रखलक जे हम भारतीय उपकार नहि बिसरैत छी। बिहार आइ 100 साल पूरा क लेलक मुदा हार्डिंग क उपकार कए मानबा लेल महेश्‍वर सिंह आब नहि छथि आ हुनका सन मानसिकता वाला लोक सेहो समाज मे कम होइत गेल अछि। नहि त 1969 मे तत्‍कालीन नगर विकास मंत्री भोला प्रसाद शास्‍त्री जखन मूर्ति कए हटा रहल छलाह तखन एकर विरोध करनिहार कोई नहि छल। नकारात्‍मक सोच क प्रमाण छल जे हार्डिंग मूर्ति त हटा देल गेल मुदा गांधी क मूर्ति लगेबाक सकारात्‍मक पहल नहि कैल गेल। इ काज तखनो नहि भेल जखन भोला प्रसाद शास्‍त्री मुख्‍यमंत्री बनलाह। 1977 मे तत्‍कालीन मुख्‍यमंत्री कर्पूरी ठाकुर कांग्रेस क नामकरण नीतिक घोर विरोध केलथि आ ओहन लोकक नाम मिटेबाक निर्देश देलथि जेकर नाम नकारात्‍मक सोच क तहत थोपल गेल छल। एकर नतीजा छल जे मूर्ति नहि रहलाक बावजूद पार्क क नाम नहि बदली सकल आ ओ हार्डिंग पार्क बनल रहल। मुदा 90 क दशक मे लालू राज आयल आ आयकर गोलंबर पर कुंवर सिंह क मूर्तिक लोकार्पण समारोह में तत्‍कालीन मुख्‍यमंत्री लालू प्रसाद यादव हार्डिंग पार्क क नाम वीर कुंवर सिंह पार्क राखि देलथि। एहि प्रकार स महेश्‍वर सिंह क 1948 मे देल भाषण दस्‍तावेज मे सिमटि गेल आ पुण्यदेव शर्मा क इच्‍छा जमीन पर उतरि गेल। कुल मिला कए आइ वीर कुंवर सिंह पार्क जाहि अवस्‍था मे अछि ओकर कल्‍पना पुण्यदेव शर्मा आ महेश्‍वर सिंह दूनू गोटे नहि केने हेताह। सवाल ओहि नकारात्‍मक सोच क अछि जे कोनो नाम बदलबा लेल नहि बल्कि कोनो वजूद कए मिटेबा लेल पैदा होइत अछि। जरूरत नाम बदलबाक नहि ओहि मानसिकता कए बदलबाक अछि किया कि कोनो चीज बेहतर अवस्‍था मे तखने रही सकैत अछि जखन सोच सकारात्‍मक होएत। नकारात्‍मक सोच स नाम बदलनिहार स सकारात्‍मक सोच स ओकर रख-रखाव क उम्‍मीद करब बेमानी अछि। एकर इतिहास गवाह अछि।

Tags: बिहार
Share311TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

'सर, एडवांसे मे दिया दियउ ने...'

Esamaad Epaper Website

बिहार संग्रहालयक डिजायन तैयार, नवंबर मे होएत शिलान्‍यास

Esamaad Epaper Website

नवीनगर सुपर थर्मल पावर परियोजना क शिलान्यास

Comments 1

  1. B.N.THAKUR says:
    11 years ago

    bahut badhiyan achi , chalit rahak chahi

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि