• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आखिर विनोद कए भेटल साहित्‍य पुरस्‍कार

February 8, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्‍ली। मैथिली मे वर्ष 2011 क लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार क चयनक सूचना भेट रहल अछि। जानकारिक अनुसार एहि साल इ पुरस्‍कार उदय चन्द्र झा विनोद कए काव्य संग्रह ‘अपक्ष’ लेल देल गेल अछि। ओना एकर आधिकारिक घोषणा 13 फरवरी क बाद होएत। पुरस्कार क संभावना पर उदय चन्द्र झा विनोद क कहब अछि जे एकर आधिकारिक घोषणा तक बाट तकबाक चाही। ओना ओ कहला जे अगर एकर आधिकारिक घोषणा होइत अछि त हुनका परम संतोष होएत। एहि काव्य संग्रह क दीर्घ काव्य ‘मृत्यु नहि जीवन’ काफी चर्चा मे रहल अछि। भ्रूण हत्या पर हिनक लिखल कविता ‘अंतिम पत्र’ सेहो काफी चर्चित रहल अछि। कवि उदय चन्द्र झा विनोद मूल रूप स मधुबनी जिला क बिस्फी प्रखंड अन्तर्गत दुलहा गांव क निवासी छथि। 2003 मे सीनियर आडिटर पद स सेवानिवृत्त भेलाह। ओ 2008-09 मे लनामिवि क वित्त पदाधिकारी सेहो रहलाह। विनोद क पहिल कविता 1967 मे आयल। विनोद जी क मैथिली मे करीब दर्जन भरि पुस्तक प्रकाशित भ चुकल अछि। 1971 मे हिनक पहिल कविता संग्रह ‘संक्रांति’ प्रकाशित भेल छल। 1972 मे ‘धूरी’, 1978 मे ‘मौसम अयला पर (एकरा मैथिली अकादमी क प्रोत्साहन पुरस्कार भेटल छल)’, 1982 मे ‘एहन स्थिति मे’, 1985 मे ‘भरि देह गौरा’, 1989 मे ‘एहि जनपद मे’, 1991 मे ‘दोहा 302’, 1996 मे ‘कहलनि पत्नी’, 1999 मे ‘शहर जमीन’, 2001 मे ‘अपक्ष’ काव्य संग्रह प्रकाशित भेल। 1984 मे हिनक मैथिली कहानी संग्रह ‘जांत’ आ 1992 मे नाटक ‘उदास गाछक बसंत’ सेहो प्रकाशित भ चुकल अछि।
श्री विनोद कए पुरस्‍कार भेटला पर साहित्‍य जगत सेहो गदगद अछि। मैथिली अकादमी पटना क अध्यक्ष कमलाकांत झा मौलिक पुरस्कार लेल उदयचंद्र झा विनोद क पुस्तक क चयन पर खुशी जाहिर केलथि अछि। ओ कहला ले श्री विनोद क मैथिली सेवा क इ परिणाम छी। अनुवाद पुरस्कार लेल खुशीलाल झा क चयन कए सेहो ओ उचित कहला। लना मिथिला विवि स्नातकोत्तर मैथिली विभाग क अध्यक्ष डॉ. वीणा ठाकुर कहलथि जे श्री विनोद कए पुरस्कार देब सराहनीय अछि। साहित्यकार डॉ. अशोक कुमार मेहता कहला जे विनोदजी सन साहित्यकार क सम्मान उचित अछि। डॉ. चंद्रमणि कहला अछि जे श्री विनोद लंबा समय स मैथिली साहित्य क सेवा करि रहल छथि। हुनकर पुस्तक अपक्ष कए पुरस्कृत देब स्वागत योग्य गप अछि। पुरस्कार क घोषणा मे देरी पर दुख व्‍यक्‍त करैत चंद्रमणि कहला जे अतिवृद्ध क बदला मे दोसर पीढ़ी क रचनाकार कए जूरी मे जगह देबाक समय आबि गेल अछि। जड़ता आब टूटबाक चाही।

Tags: Biharmaithilimithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

जितवारपुर मे मधुबनी आर्ट गैलरी क शिलान्यास

खुशी एहन जे नोरा गेल आंखि

विकासक दुहारि खोलत इ पुल : जोशी

Comments 2

  1. atuleshwar jha says:
    13 years ago

    विनोद जीकें साहित्य अकादमी पुरस्कारक लेल शुभकामना। मुदा पुरस्कार घोषणा मे विलम्ब किछु शोचनीय प्रश्नक जन्म देलक अछि आखिर देरी कियाक भेल?

    Reply
  2. Prakash Kr. Jha says:
    13 years ago

    Kavi ke bahut-bahut badhaai.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि