पटना। बिहार देश क सम्भवतः पहिल एहन राज्य बनि गेल अछि जाहि ठाम पहिली स लकए आठवीं वर्ग तक क करीब सबटा 70,000 विद्यालय ऑनलाइन भ गेल अछि। एहि विद्यालय क स्थिति क बारे मे जानकारी एकटा क्लिक क संग अहांक सामने आबि सकैत अछि।
डब्ल्यू डब्ल्यू डब्ल्यू डॉट स्कूल रिपोर्ट कार्ड्स डॉट इन नामक वेबसाइट पर एहि विद्यालय स सम्बंधित छोट स छोट आ पैध स पैघ जानकारी प्राप्त केल जा सकैत अछि। एहि जानकारी मे विद्यालय मे विद्यार्थी क संख्या, शिक्षक क संख्या, शिक्षा क स्थिति, फोन नम्बर, भवन क स्थिति सहित सबटा जानकारी उपलब्ध कराउल गेल अछि।
जिला शिक्षा सूचना व्यवस्था (डीआईएसई) नामक योजना क लेल केन्द्रीय मानव संसाधन विभाग आ यूनिसेफ एकरा लेल मदद कए रहल अछि। सूत्र क अनुसार देश मे एखन धरि 13 लाख स बेसी विद्यालय अपन रिपोर्ट कार्ड बना लेलक अछि।
शिक्षा विभाग क सूत्र क मुताबिक एहि योजना क तहत राज्य क सबटा प्राथमिक आ मध्य विद्यालय कए राखल गेल अछि। राज्य क शिक्षा विभाग क एकटा अधिकारी क कहब अछि जे बिहार मे एहि योजना क गति काफी तेज अछि। ओ कहला जे सबटा विद्यालय क प्राचार्य विद्यालय क अद्यतन स्थिति क जानकारी प्रखंड शिक्षा अधिकारी कए देलथि अछि, जतए स जिला शिक्षा अधीक्षक क माध्यम स इ सचिवालय तक पहुंचल, जतए एकरा डाटा क रूप देल गेल। एहि कारण एहि रिपोर्ट कार्ड मे उपलब्ध कराउल गेल जानकारी मे गलती क सम्भावना नहि कए बराबर अछि। राज्य शिक्षा विभाग क अधीन काज करनिहार वाली बिहार शिक्षा परियोजना परिषद मुख्य रूप स एहि कार्य कए केलक अछि।