• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

आब छात्र कए सेहो भेटत साइकिल

November 12, 2009
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

nitish-stuपटना। लड़की कए साइकिल देबाक योजना क सफलता कए देखैत राज्य सरकार आब लड़का कए सेहो साइकिल देबाक निर्णय लेलक अछि। राजधानी क गांधी मैदान मे मानव संसाधन विकास विभाग द्वारा आयोजित दू दिवसीय शिक्षा दिवस समारोह क उद्घाटन करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे हाई स्कूल क 5 लाख छात्र कए चालू वित्तीय वर्ष मे साइकिल क लेल दू-दू हजार टका नकद देल जाइत। अभियान क वीडियोग्राफी कराउ जाइत आ गड़बड़ करै वाला कए उलटा लटकाउल जाइत। एहि मौका पर मुख्यमंत्री एकटा परिशिष्ट क लोकार्पण सेहो केलथि।
देश क प्रथम शिक्षा मंत्री मौलाना अबुल कलाम आजाद क जन्मदिवस पर आयोजित शिक्षा दिवस समारोह मे मुख्यमंत्री कहला,’हमार लक्ष्य सबटा बच्चा कए स्कूल पठेनाई अछि। कार्यक्रम क दौरान मुख्यमंत्री रामनगर क समाज सेवी प्रेमा शाह कए 2 लाख क चेक आ प्रशस्ति पत्र द कए सम्मानित केलथि। बिहार गौरव सम्मान स 16टा छात्र कए पुरस्कृत कैल गेल।
मुख्यमंत्री कहला, जहिया हम सत्ता संभालने रही तहिया बिहार मे 25 लाख बच्चा स्कूल स बाहर छल। इ संख्या आब सिमट कए 10 लाख रहि गेल अछि। दक्षता परीक्षा क परिणाम क चर्चा करैत ओ कहला जे किछु लोक हमरा पर अनपढ़ कए शिक्षक बहाल करबाक आरोप लगा रहल छलाह। स्कूल मे पढ़ा रहल शिक्षक कए अपमानित कैल जा रहल छल। मुख्यमंत्री रहि चुकल एकटा नेता त इ सेहो कहैत छलाह जे ओ ज्यों सत्ता एलाह त सब कए नौकरी स निकालि देताह। आब 99.5 प्रतिशत शिक्षक पास करि गेलाह, त उक्त नेता कए कम स कम माफी मांगि लेबाक चाही।
मुख्यमंत्री विभिन्न प्रतियोगिता परीक्षा मे सफलता क परचम लहरा चुकल शिंजनी, धर्मेन्द्र कुमार पांडेय, तपेश्वर सिंह, सुष्मित, रंजना कुमारी, ऋचा सिंह, अमृत जीवन, आनंद गुप्ता, राम मुरारी कुमार, राकेश कुमार, आर्य कुमार दास, गर्विता सिंह, प्रियंका कुमारी, अमूल्य रत्न, नरेन्द्र नाथ झा आ मयंक कुमार कए 30 हजार स 1 लाख टका तक क चेक आ प्रशस्ति पत्र दकए सम्मानित कैलाह। नीतीश कहलथि जे देश भरि मे सब ठाम बिहार क लोक बाजी मार लैत छथि। ओ कहलथि जे बिहारी कोनो बंदरघुड़की स डरै वाला नहि अछि। बिहारी मुंबई सेहो जाइत, पूणा सेहो जायत, हमरा कतहु जाए स कियो नहि रोकि सकैत अछि, इ हमर अधिकार छी। ओ कहला जे बिहार क स्वाभिमान कए जगेबा लेल अगिला साल स बिहार दिवस मनाउल जाइत। एहि दिन सबटा स्कूल मे परिचर्चा आ गोष्ठी आयोजित कैल जाइत। उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे कक्षा 1 स 5 क बच्चा मे अखबार क प्रति ललक जगेबा लेल सरकार चल पढ़ कुछ बन नामक अखबार प्रकाशित करत। शिक्षक क काज ओकरा पढि़ कए बच्चा कए सुनेब होयत।

Tags: nitishनीतीश कुमारमुख्यमंत्री
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार कए भेटल पहिल इंदिरा प्रियदर्शनी वृक्ष मित्र अवार्ड

Esamaad Epaper Website

बिहारक जीडीपी आठ प्रतिशत रहबाक अनुमान

Esamaad Epaper Website

खूब भ रहल लैला-मजनू क बिक्री

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि