पटना। छात्रा सब कए साइकिल देलाक बाद आब बिहार सरकार महादलित कए रेडियो कीनबा लेल टका देत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बाबा साहब डॉ. भीमराव अम्बेडकर जयंती क मौका पर महादलित क लेल कईटा घोषणा केलथि, मुदा सबस रोचक घोषणा महादलित कए रेडियो देबाक रहल। मुख्यमंत्री कहला जे ट्रांजिस्टर कीनबा लेल सरकार महादलित कए कूपन देत, जाहि स ओ अपन पसंदक कंपनीक बनल कोनो प्रकारक रेडियो कीन सकैत छथि। ओ कहला जे सबटा दलित परिवार कए सरकारी अनुदान पर मनपसंद ट्रांजिस्टर खरीदबा लेल ट्रांजिस्टर मेला लगाउल जाएत। ओ कहला जे बिहार क बढल विकास दर क लाभ अंतिम आदमी तक पहुंचेबाक अछि। न्याय क संग विकास क लेल मानव क विकास जरूरी अछि। एहि लेल बिहार मे मानव विकास मिशन क गठन कैल जा रहल अछि। बिहार साक्षरता दर मे उल्लेखनीय वृद्धि हासिल केलक अछि। अगिला जनगणना तक देश क पांच साक्षर राज्य मे बिहार क नाम शामिल करेबा लेल हमरा सब कए जुटि जेबाक चाही। मुख्यमंत्री कहला जे एहि लेल महादलित क मोहल्ला मे साक्षरता क विशेष अभियान चलाउल जाएत। महादलित कए शिक्षित करबा लेल विकास मित्रक मानदेय सेहो एक हजार बढ़ाकए चारि हजार टका करि देल गेल अछि। पटना क श्रीकृष्ण मेमोरियल हाल मे डॉ. भीमराव अम्बेडकर जयंती समारोह सह महादलित विकास मित्र क जागरूकता सम्मेलन क उद्घाटन पर मुख्यमंत्री क घोषणा स हाल ताली क गड़गड़ाहट स गूंज उठल आओर मानदेय बढेबाक घोषणा स 9530 विकास मित्र क संग ओकर परिवारक चेहरा सेहो खिल उठल। मुख्यमंत्री राज्य अनुसूचित जाति सहकारिता विकास निगम द्वारा चयनित 8602 लाभार्थी क बीच 2153.79 लाख क ऋण आ अनुदान वितरण क शुभारंभ सेहो केलथि।