पटना । विश्वविद्यालय मे शिक्षक क बहाली क लेल नव प्रक्रिया लागू कैल जाएत। नियुक्ति क लेल आब लिखित परीक्षा आयोजित होएत। इ परीक्षा 30 अंक क होएत। 20 अंक क मौखिक परीक्षा सेहो दिए पडत। राज्यपाल सह कुलाधिपति देबानंद कुंवर क संग कुलपति सबहक भेल बैठक मे इ निर्णय लेल गेल। दोसर पैघ फैसला इ रहल जे आब विश्वविद्यालय मे कार्यरत शिक्षक कए रोजाना हाजिरी नहि बनेबाक अछि। कुलाधिपति शिक्षक क स्तर पर चिंता व्यक्त करैत कहला हिनकर स्टैंडर्ड अपेक्षा क अनुरूप नहि अछि। राजभवन मे आयोजित बैठक मे कुलाधिपति सबटा कुलपति कए शैक्षणिक आ प्रशासनिक अनुशासन बना कए रखबा लेल निर्देश देलथि। शिक्षक आ शिक्षकेत्तर कर्मचारी क रिक्त पद कए भरबाक निर्देश दैत कुंवर कहला जे शिक्षक क बहाली क लेल 30 अंक क लिखित आ 20 नंबर क मौखिक परीक्षा लेल जाए। शेष 30 नंबर क मूल्यांकन शैक्षणिक करियर आ 20 नंबर क मूल्यांकन पढेबाक क्षमता क आधार पर हुए। नव प्रक्रिया क मकसद सुयोग्य शिक्षक क बहाली अछि। बैठक मे निर्णय लेल गेल जे एहि बेर तरंग क आयोजन तिलकामांझी भागलपुर विश्वविद्यालय आ एकलव्य क आयोजन बिहार विर्श्वविद्यालय करत।