पटना। बेली रोड पर रेलवे इंजन क हार्न इलाका क लोक लेल नव छल। रेल इंजन कए देखबा लेल जुटल भीड इ बता रहल छल जे विकासक भूख एहि इलाका मे कतेक बढि चुकल अछि। पाटलिपुत्र टिसन एखन चालू नहि भेल अछि, मुदा एहि ठाम जमा भीड बता रहल छल जे इ टिसन केतबा उपयोगी होएत। गंगा पर पुल तैयार भेलाक बाद एकर महत्व देखबा लेल बाट नहि ताकए पडल। बच्चा, युवा आ वृद्ध रेल इंजन कए करीब स देखबा लेल एना जुटल मानू इंजन कहियो देखने नहि हुए। मुदा इ भीड इंजन देखबा स बेसी एकटा सपना कए साकार होइत देखबाक छल। पाटलिपुत्र टिसन तक रेलवे ट्रैक क परीक्षण पूरा भ गेल। खगौल-दीघा नहर पर निर्माणाधीन ओवर ब्रिज क नीचा स रेलवे लाइन बेली रोड भ कए पाटलिपुत्र टिसन तक बिछा देल गेल अछि। एहि पटरी पर पहिल बेर रेल इंजन कए दौड़ाउल गेल अछि। ट्रैक क परीक्षण क कारण किछु काल लेल बेली रोड पर यातायात बाधित रहल। पूर्व मध्य रेलवे दिस स 15 मार्च कए पाटलिपुत्र टिसन तक इंजन ल जेबाक योजना बनल छल, मुदा बेली रोड पर ट्रैक बिछेबा मे देरीक कारण इ विलंब भेल। रेलवे ट्रैक परीक्षण क बाद बेली रोड पर स तत्काल पटरी हटा लेल गेल अछि, ओवर ब्रिज क निर्माण कार्य पूरा भेलाक बाद एकरा फेर जोडि देल जाएत। कहल जा रहल अछि जे 31 मार्च तक ब्रिज क निर्माण पूरा करबाक छल, मुदा एखन एहि मे आओर समय लागत। तहिना पाटलिपुत्र टिसन क भविष्य गंगा पर बनि रहल सेतु पर निर्भर करैत अछि। रेलवे क दस्तावेजक अनुसार एहि पुल कए मार्च 2013 तक बनि जेबाक अछि मुदा जाहि रूप मे एहि साल एहि पुल लेल बजट मे आवंटन कैल गेल अछि ओहि स इ संभव नहि बुझाइत अछि। एहि सालक बजटक अनुसार पटना गंगा पुल क अनुमानित लागत 8,35,00 लाख अछि, जखन कि एहि पर एखन धरि 6,11,70 भ चुकल अछि, एहि साल बजट मे एहि पुल लेल केवल 50 लाख टका देल गेल अछि। एहि पुल कए पूरा करबा लेल 31 मार्च 2012 तक क डेटलाइन देल गेल अछि, जखन कि एहि पुल कए पूरा करबा लेल एखनो 1,7330 लाख टकाक जरूरत अछि, जे अगिला बजट मे सेहो एकमुश्त भेटब कठिन अछि। एहिप्रकार स 2013 क सेहो इ पुल तैयार नहि भ रहल अछि।