इ प्रतिकूल परिस्थिति मे शानदार प्रदर्शन करबा लेल देल जाए वाला तमगा अछि। इ पुरस्कार अछि सफलता क लेल अटूट निष्ठा आ अनथक परिश्रम क। उतार-चढ़ाव स भरल एक साल, जे पश्चिम क विकसित अर्थव्यवस्था क नींव हिलेबाक गवाह बनल, ओ एहन कंपनी आ व्यक्ति कए परखबा क अवसर सेहो देलक, जे तमाम झंझावात कए पछाडि़ कए अपन जीत क झंडा बुलंद करबा मे कामयाब रहलथि। ओ नेतृत्व क पारंपरिक तरीका मे अपन भरोस कायम रखला आ हुनका शानदार नतीजा क तौर पर एकर इनाम सेहो भेटल।
ईटी अवॉर्ड्स फॉर कॉरपोरेट एक्सीलेंस 2009 क लेल बिहार क अर्थव्यवस्था कए एक बेर फेर स पटरी पर अनबा लेल राज्य क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए साल क सर्वश्रेष्ठ बिजनेस सुधारक आ राष्ट्रीय ग्रामीण रोजगार गारंटी योजना (नरेगा) क अवधारणा देनिहार जीन ड्रेज कए साल क बेहतरीन पॉलिसी चेंज एजेंट घोषित कैल गेल अछि। महिन्द्रा एंड महिन्द्रा के चेयरमैन केशुब महिन्द्रा कए दशकों तक कैल गेल भारतीय उद्योग जगत क सेवा क लेल लाइफटाइम एचीवमेंट अवॉर्ड्स स नवाजल गेल।
एहि स पूर्व कॉरपोरेट एक्सीलेंस क लेल इकनॉमिक टाइम्स अवॉर्ड्स 2009 क फैसला करबा लेल जूरी 20 मुंबई मे कठोर आ गंभीर चर्चा क बाद कहल गेल जे महिन्द्रा एंड महिन्द्रा क वाइस चेयरमैन आनंद महिन्द्रा एहि साल क बिजनेस लीडर छथि। ब्रिटानिया इंडस्ट्रीज क मैनेजिंग डायरेक्टर विनीता बाली बिजनेसवुमेन चुनल गेलथि। जीवीके ग्रुप क कंपनीक मालिक जीवीके रेड्डी कए आंत्रप्रेन्योर ऑफ द ईयर चुनल गेल, आइडिया सेल्युलर साल की बेहतरीन उभरैत कंपनी बनल। मैनेजमेंट गुरु आओर चिंतक राम चरण साल क ग्लोबल इंडियन बनलाह। एकर अलावा टाटा एनर्जी रिसर्च इंस्टीट्यूट (टेरी) क कॉरपोरेट सामाजिक जिम्मेदारी (सीएसआर) क लेल पुरस्कार देल गेल, हीरो होंडा कए साल क सर्वश्रेष्ठ कंपनी कहल गेल।
जूरी महसूस केलक जे एहि साल क पुरस्कार ओहन लोक आ कंपनी कए देल जाए जेे तमाम मुश्किल परिस्थिति आ अनिश्चितता क बीच सफलता क राह बनेलथि। आनंद महिन्द्रा सत्यम कम्प्यूटर कए कीनि कए एकटा पैघ जोखिम लेलथि आ संग ही तमाम स्थानीय आ बहुराष्ट्रीय खिलाड़ी कए पछाडि़ कए एमएंडएम कए ट्रैक्टर आ यूटिलिटी व्हीकल क क्षेत्र मे बाजार क अगुवा कंपनी बनलथि।
बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।