• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

ई प्रतिघात बहुत किछ कहैत अछि !

January 7, 2011
in विचार, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

हि‍तेंद्र गुप्‍ता
पूर्णिया के बीजेपी विधायक राजकिशोर केसरी ह्त्या केर मामला दिन पर दिन उलझल जा रहल अछि. मामला ओतेक सीध नहि अछि जतेक देखायत अछि. लोक एकर तह मे जतेक जाए के कोशिश करय छथिन्ह ओतेक नव-नव गप सुनय मे आबि रहल अछि. विधायक केसरी…विपिन राय…रुपम पाठक…विधायक जीक चेला-चपाटी…पुलिस… पत्रकार सभक भूमिका सवालक घेरा मे अछि.
एमएलए केसरी के संग-संग हत्या करय वाली रुपम पाठक के लsक सेहो दस तरहक बात सुनय मे आबि रहल अछि. आओर इलाका के लोक सभ सं बेसि बात छुपल नहि छनि. एहि ठंडी मे घूर तापैत पूरा इलाका मे लोक एहि बारे मे गप करय छथिन्ह. सर्दी के सभसं हॉट टॉपिक बनि गेल अछि. तरह-तरह के बात करि रहल छथिन्ह. आओर एहि गप..चर्चा मे दूनु गोटे सवालक घेरा मे छथिन्ह.
पुलिस सेहो एहि मामला के हाई प्रोफाइल होबय के कारण दबौने रहल. जेडीयू-बीजेपी के सरकार होए के कारण पुलिस एहि मामला मे बेसि विधायक जीक संग देलक. विधायक जीक कहय के अनुसार चलल. हत्या सं पहिने रुपम पाठक के दर्ज मामला पर ध्यान देल गेल रहैति त प्रतिघातक ई दृश्य सं बाचल जा सकय छल.

पत्रकार के मामला लोक के सामने लनाय चाही
इलाका के पत्रकार भाई लोकनि सेहो सवालक घेरा मे छथिन्ह. जखन हुनका सभ के एतेक पता छलनि त ओ पहिने जे मामला दर्ज भेल छल ओहि समय सं एकरा जोर-शोर सं उठौने रहतथिन्ह. हत्या केर बादहुं पत्रकार सभ खुल क नहि आगां आबि रहल छथिन्ह. या त ओ केसरी जी सं प्रभावित छलाह आ फेर बस प्रेस विज्ञप्ति टाइप खबर पर निर्भर छलाह. जे डीएम…एसपी आओर एमएलए कहय छलखिन्ह सेहे छापय लेल भेजय छलखिन्ह. एहि मामला मे पुलिस एकटा पत्रकार के पूछताछ के लेल ल गेल अछि. एहि के खिलाफ बिहारक… इलाका के पत्रकार सभ आवाज नहि उठा रहल छथिन्ह. सभ चुप्पी साधने छथिन्ह. ई खबर के लिहाज सं… पत्रकारिता के लिहाज सं आओर प्रेसक स्वतंत्रताक लिहाज सं नीक नहि अछि. प्रशासन त मानैत अछि पेपर… अखबार के पत्रकार सभ दू-चारि दिन खबर करताह मामला शांत भ जाएत. फेर ककरो कोनो चिंता नहि.

सुशील मोदी कए थू-थू
एहि मे बिहारक उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी के सेहो पाक-साफ नहि कहल जा सकय छनि. ओ बिना कोनो जांच कएने रुपम पाठक पर दस तरहक आरोप लगा देलखिन्ह आओर अपन पार्टी विधायक के क्लीन चिट द देलखिन्ह. रुपम पाठक एकटा स्कूल चलाबय छलीह… पढ़ल-लिखल समझदार छलीह. आब जेहि तरहे होए विधायक जीक घर अनाय-जनाय छलन्हि. अगर रुपम जीक दिमागी हाल खराब छलैनि त कि एमएलए साहेब अपना घर किएक आबय-जाए दै छलखिन्ह? अगर ब्लैकमेल करय छलीह त कि विधायक जी एहि बारे मे कोनो शिकायत करौने छलखिन्ह? कि स्कूल के सुविधा दिआबय के नाम पर केसरी जी आओर हिनकर सहयोगी विपिन राय रुपम पाठक सं संपर्क नहि बढौने रहथिन्ह? पुलिस पत्रकार के पूछताछ के लेल त तुरंत ल गेल मामला के अहम कड़ी विपिन राय के किएक नहि ल गेल?
अगर रुपम मानसिक रुप सं ठीक नहि रहतीह त ओ केसरी जी सं अकेले मे मिलय के बजाय ओतय सभ लोक के बीच मे चाकू मारि सकय छलीह. ओ त जब कोनो चीज सर सं ऊपर गुजरय लागैत अछि त लोक किछिओ करय लेल तैयार भ जाएत अछि. एक तरहे रुपम पाठक लेल ई मामला चरम पर… पराकाष्टा पर पहुंचि गेल होएत तैं ओ ई कदम उठौने होएतीह.
फेर समाज मे… एहि पुरुष प्रधान समाज मे महिला के लोक दस तरहे बदनाम करैत अछि. पुरुष बाचल रहैत अछि… महिला के दस तरहे अग्नि परीक्षा देबय पड़ैत अछि. भ सकैत अछि केसरी जीक चक्कर मे दोसरो लोक सभ हुनका परेशान करय के शुरू क देने होएथिन्ह जेहि सं आजीज आबि ओ एहि कदम के उठाबय लेल बाध्य भ गेल होतीह.

नीतीश कुमार पर आंच
एहि मामला मे आंच मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर सेहो आबि रहल छनि. ओ जांच के बात करय छथिन्ह आओर हुनकर उप मुख्यमंत्री विधायक जीके पाक-साफ बता रहल छथिन्ह. हुनका ई पता लगाबय पड़तन्हि जे कोन हाल मे पहिने के मामला वापस लेल गेल छल. कि रूपम पाठक विधायक जीक प्रेशर सं परेशान भ गेल छलीह? आखिर केसरी जीक लगातार चारि बेर चुनाव जीतय के कारण कतहुं बाहुबल त नहि छल?
नीतीश जी एहि बेर जोर-शोर सं जीत क अएलाह अ मुदा एहि जीत मे हुलास पांडेय…सुनील पांडेय के रंगदारी वाला मामला… विधायिका बीमा भारती के बाहुबली पति सं मारि खा अस्पताल मे भर्ती होनाए…आओर आब केसरी जीक हत्या….सभ सरकार के बदनामी के लेल काफी अछि. नीतीश जी अहां कानून व्यवस्था के नाम पर फेर सं कुर्सी पर बैसलौं… मुदा ई हाल रहत त लोक के अहां पर सं विश्वास टूटय लागत. अहां के सख्त कदम उठाबय के जरूरत अछि आओर लोक अहांके संग देत.
एहिठाम मामला रूपम के कदम के… काज के समर्थन करय के नहि अछि मुदा सरकार के त ई पता लगैबाके चाही कि ओ कोन स्थिति आबि गेल जे एकटा टीचर के चाकू उठाबय लेल बाध्य होबय पड़ल? सवाल ईहो अछि अगर केसरी जी पाक-साफ छलाह… लोकप्रिय छलाह… बाहुबली नहि छलाह… रुपम जीके कोनो तरहे परेशान नहि करय छलखिन्ह…यौन शोषण मे कोनो हाथ नहि छलन्हि… तखन कि ई विरोधी के साजिश छल? कि ई हुनका राजनीतिक रूप सं सफाया के लेल कएल गेल? कोनो बात होए लोक के सामने मामला के दूध के दूध आओर पानी के पानी त होबाके चाही. सभ लोक जानय चाहय छथिन्ह जे आखिर ई भेल किएक?
लेखक वरीय पत्रकार आ हैलो मि‍थि‍लाक मोड़यूलेटर छथि‍

Tags: पूर्णियामोदीरूपमवि‍धायक
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

शौचालय क अभाव मे सवा करोड़ क आईसीयू क उदघाटन अटकल

Esamaad Epaper Website

बिहार क तरक्की देख खुश भेल वर्ल्ड बैंक

19टा शहर लेल 3000 करोड़: रमेश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि