पटना। बिहार क विकास क एकटा छोट सन बानगी आओर सामने आयल अछि। ग्रामीण विकास योजना सहित महात्मा गांधी राष्ट्रीय ग्रामीण रोजगार गारंटी अधिनियम (मनरेगा) क अन्य योजना क उत्कृष्ट क्रियान्वयन लेल नालंदा क चयन कैल गेल अछि। प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह गुरुवार कए नई दिल्ली मे आयोजित एकटा समारोह मे एकरा लेल नालंदा क जिलाधिकारी संजय कुमार अग्रवाल कए सम्मानित करताह। नालंदा राष्ट्रीय पुरस्कार लेनिहार बिहार क पहिल जिला अछि। एहि पुरस्कार लेल चयनित अन्य जिला मे छत्तीसगढ़ क सरगुजा, महाराष्ट्र क नांदेड़, अंडमान आ निकोबार क निकोबार, आंध्र प्रदेश क विजयनगरम आ तमिलनाडु क कोयम्बटूर जिला शामिल अछि।
वर्ष 2002 बैच क भारतीय प्रशासनिक सेवा (आईएएस) अधिकारी अग्रवाल कहैत छथि जे बिहार शिक्षा आ स्वास्थ्य क क्षेत्र में सेहो आगू चलि रहल अछि। भविष्य क हुनकर योजना में प्राथमिकता वाला क्षेत्र स्वास्थ्य आ शिक्षा अछि। बिहार क किशनगंज स प्रारम्भिक शिक्षा पूरा केलाक बाद पहिने चार्टड अकाउंटेंट रहल अग्रवाल राज्य कए नैनपन स तरक्की क बाट पर देखबा लेल सपना देखैत रहलाह अछि। करीब दू वर्ष स नालंदा क जिलाधिकारी क रूप मे कार्य क रहल अग्रवाल एहि स पूर्व जहानाबाद जिला क जिलाधिकारी क रूप में कार्य क चुकल छथि। जहानाबाद जिला क सदर प्रखंड क सिकरिया ग्राम पंचायत कए विकास क बाट पर अनबा लेल आ ओकरा मॉडल पंचायत क दर्जा दियेबा लेल हिनकर योगदान उल्लेखनीय अछि। नालंदा क एहि उपलब्धि पर सेहो अग्रवाल कहला जे इ पुरस्कार न केवल व्यक्तिगत सम्मान अछि, बल्कि बिहार क सेहो सम्मान अछि। एहि सम्मान मे पूरा टीम क योगदान अछि, जेकर मेहनत स जिला एहि सम्मान कए हकदार भेल। ज्ञात हुए जे नालंदा मे पिछला दू वर्ष स सूखा क स्थिति छल, जाहि पर कईटा काज भेल। जिला मे बरसात क पाइन क संचयन लेल पिछला दू वर्ष में 800 स बेसी आहर आ पईन बनाउल गेल आ ओकर जीर्णोद्धार कैल गेल। एकर बाद कृषि क क्षेत्र मे काफी प्रगति भेल, एहि स क्षेत्र स लोकक पलायन रुकल।