• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

एकटा आर असंभव कए संभव करबा मे जुटलाह प्रत्यय अमृत

August 7, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

दानापुर स दीदारगंज तक बनत आब गंगा एक्सप्रेस वे, पंद्रह अगस्त क बाद निकालत आरएफक्यू
पटना।
बिहार मे एखन किछु एहन लोक अछि जेकर गप पर अहां विश्‍वास कए सकैत छी। एहि सूची मे सबस उपर जे नाम अछि ओ अछि असंभव कए संभव करि देनिहार पथ निर्माण विभाग क सचिव प्रत्यय अमृत कए। अमृत बिहार क लोकक एकटा पूरान सपना कए पूरा करबाक प्रयास मे लागल छथि, ताहि लेल एकर पूरा हेबाक संभावना पहिने स बेसी देखा रहल अछि। सपना अछि मुंबई मे समुंद्र क कछैर मे बनल मरीन ड्राइव जइसन सडक पटना मे गंगाक कछैर मे सेहो हुए। एहि सपना कए पहिल बेर आइ स लगभग 40 साल पहिने पटनाक लोक देखने छल। कई बेर एकरा लेल योजना बनल आ एक बेर त धनक व्‍यवस्‍था सेहो भ गेल छल, मुदा गंगा पर पुल बनेबा लेल केंद्र जखन धन नहि देलक तखन एहि सडकक लेल राखल टका स गंगा पर पुल बना देल गेल। एकर बाद सेहो एहि सडक लेल कई बेर चर्चा भेल, योजना बनल, मुदा मामला बहुत आगू नहि बढल। आब एक बेर फेर सक्रियता बढल अछि। मुदा एहि बेर दूटा गप नव अछि एकटा त एहि परियोजना स प्रत्यय अमृत सन लोकक जुडब आ दोसर पथ निर्माण विभाग पूर्व मे मरीन ड्राइव नाम स बनल एहि योजना मे संशोधन करि एकर नाम गंगा एक्सप्रेस वे करि देलक अछि। विभाग एहि लेल नव सर्वे करा परियोजना लेल विस्तृत परियोजना रिपोर्ट तैयार करा चुकल अछि। परियोजना लागत लगभग 2230 करोड़ अछि ताहि लेल तय कैल गेल अछि जे एकरा पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशिप (पीपीपी) मोड मे पूरा कैल जाएत। मुदा एकरा लेल इ अनिवार्य छल जे केन्द्रीय पथ परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय स एहि परियोजना कए मंजूरी भेट जाए। पिछला सप्‍ताह मंत्रालय गंगा एक्सप्रेस वे कए पीपीपी मोड मे शुरू करबा लेल मंजूरी सेहो द देलक। विभागीय अधिकारीक कहब अछि जे योजनाक केवल नाम बदलल अछि। गंगा एक्सप्रेस वे योजना दानापुर मे गंगा क कछैर स शुरू होएत आ बांकीपुर-दानापुर पथ क समानांतर बढ़ैत दीदारगंज तक जाएत। कुल 19.8 किमी लंबा इ सड़क फोरलेन होएत। बीच मे कई ठाम छोट-छोट पुल बनत। बांकीपुर-दानापुर पथ मे निकलबा लेल कई ठाम खास प्वाइंट सेहो बनाउल जाएत। योजनाक संबंध मे पथ निर्माण विभाग क सचिव प्रत्यय अमृत क कहब अछि जे परियोजना लेल पंद्रह अगस्त क बाद आरएफक्यू (रिक्वेस्ट फार क्वालिफिकेशन) आमंत्रित कैल जाएत। एक मास मे आरएफक्यू क माध्यम स निर्माण मे दिलचस्पी रखै वाला कंपनी क सूची तैयार करि लेल जाएत। एकर बाद आरएफक्यू स तय कंपनी स आरएफपी (रिक्वेस्ट फार प्रपोजल) मांगल जाएत। एहि स इ तय होएत जे कोन कंपनी परियोजना क काज लेत। राशि जुटेबाक संबंध मे ओ कहला जे गंगा एक्सप्रेस वे योजना क आर्थिक पक्ष इ अछि जे एकर निर्माण लेल पथ परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय स कुल परियोजना लागत 2230 करोड़ क बीस प्रतिशत 446 करोड़ वायबिलिटी गैप फंड (वीजीएफ) क रूप मे भेटत। 20 प्रतिशत राशि राज्य सरकार कए देबाक अछि आ शेष साठ प्रतिशत ओहि कंपनी कए खर्च करबाक अछि जे निर्माण क जिम्मा लेत। निर्माण कंपनी सड़क पर एक तय अवधि तक टोल लगाकए राशि संग्रह करत।

Tags: Biharpatnaगंगा एक्सप्रेस वेप्रत्यय अमृत
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

आइयो लोक हमरा कलुआ कहि कए बजबैत छथि : शशिरंजन

Esamaad Epaper Website

यूपी-बिहार क बीच 30टा रूट पर चलत बस

आब के कहत ''ये है मेरा बिहार'', चल गेलाह सम्राट पंडित श्याम दास मिश्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि