• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

एक बेर फेर गोवा स आगू बिहार

February 24, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । किछु गप एहन अछि जे मानस पटल पर जमीं जाइत अछि आ आंकडा देखि विश्वास नहि होइत रहैत अछि। किछु एखने आंकडा पर्यटन आ पर्यटक कए ल कए अछि। पर्यटकक मामला मे लगातार दोसर साल बिहार एकटा एहन प्रदेश कए पाछु छोडि देलक अछि जे अपन पर्यटन उद्योग कए ल कए जानल जाइत अछि। पिछला पांच साल मे बिहार मे देशी क गप छोडू विदेशी पर्यटक क संख्या मे सेहो अप्रत्याशित वृद्धि देखल गेल अछि। राज्य क पर्यटन मंत्री क मानी त पर्यटन क मामला मे एहि साल सेहो बिहार गोवा जइसन महत्वपूर्ण पर्यटन स्थल कए पाछु छोड़ि देलक अछि।
पर्यटन विभाग क ताजा आंकड़ा क अनुसार वर्ष 2010 मे करीब 4.93 लाख विदेशी पर्यटक बिहार एलाह, जखनकि एहि दौरान 1.57 करोड़ स बेसी देशी पर्यटक राज्य क धार्मिक, ऐतिहासिक आ अन्य पर्यटन स्थल क भ्रमण केलथि। निश्चित रूप स पाहुनक स्वागत करबाक सबस बेसी मौका गया जिला कए भेटल। पिछला साल गया मे कुल 2.25 लाख पर्यटक पहुंचलाह।
आंकड़ा दिस नजरि दी त पिछला पांच साल मे बिहार मे विदेशी पर्यटक क संख्या बढ़िकए चारि गुना स बेसी भ चुकल अछि। 2006 मे बिहार एनिहार विदेशी पर्यटक क संख्या मात्र 94, 446 छल। जखनकि पिछला साल दिसम्बर महीना तक दोसर देश स एनिहार पाहुनक संख्या बढ़िकए 4.12 लाख भ गेल। पर्यटन विभाग क अनुसार इ आंकड़ा एहि अवधि मे गोवा एनिहार विदेशी पर्यटक स बेसी छल। एहि कारण स राजधानी क आसमान पर विमान क हलचल सेहो काफी बढ़ि गेल अछि। आंकड़ा बता रहल अछि जे उड़ान क अवागमन सालभरि मे लगभग दूगुना भ चुकल अछि। इ वृद्धि तखन आएल अछि जखन देश-दुनिया मंदी स दहशत मे अछि, कंपनी सब छंटनी करि रहल अछि आ अधिकारी कए खर्चीला दौरा नहि करबाक फरमान देल जा रहल अछि। एहन में पटना हवाई अड्डा पर यात्री क संख्या बढ़ब सुखद आश्चर्य अछि। दरअसल इ सब विदेशी पर्यटक क राज्यक प्रति बढै़त आकर्षण क कारण भ रहल अछि।
विदेशी पर्यटक क बढ़ैत आमद कए देखैत राज्य सरकार एकरा कमाई क जरिया बनबए चाहैत अछि। एहि लेल सूबा क पर्यटन आ धरोहर क प्रति सरकार क ध्यान तेजी स केन्द्रित भेल अछि। गौर करि त राज्य मे बोधगया, नालंदा, राजगीर, वैशाली जइसन स्थल विदेशी पर्यटक क आकर्षण क मूल केन्द्र रहल अछि। पिछला साल खगोल शास्त्री आर्यभट्ट क तारेगना मे विदेशी क जमावड़ा लागल छल। अगर हम पटना क अंतरराष्ट्रीय एयरपोर्ट पर यात्री क संख्या पर गौर करि त जनवरी 2008 मे इ 29112 छल, जखनकि जनवरी 2009 मे 27509। एहि तरह स विमान मूवमेंट क्रमशः 486 आ 396 छल। मई 2009 क बाद यात्री क संख्या मे लगातार इजाफा भ रहल अछि, त अगस्त 09 क बाद विमान क मूवमेंट सेहो बढ़ल अछि। मई, जून, जुलाई, अगस्त, सितम्बर, अक्टूबर, नवम्बर आ दिसम्बर 2009 मे 2008 के इन्हीं महीनों में आने वाले यात्रियों की तुलना में क्रमशरू 11.65, 26.83, 45.87, 78.80, 71.71, 102.26, 66.68 आ 104.82 फीसदी क वृद्धि भेल अछि। जखनकि अगस्त, सितम्बर, अक्टूबर, नवम्बर आ दिसम्बर 2009 मे 2008 क एहि महीना क तुलना मे विमान क मूवमेंट मे 39.72, 36.89, 70.69, 50 आ 89.20 फीसदी क वृद्धि भेल अछि। जखन कि प्रदेश मे कुल 29टा छोट-पैघ हवाई पट्टी मे स मात्र दू टा पटना क जयप्रकाश नारायण आ बोधगया क एयरपोर्ट कए अंतरराष्ट्रीय दर्जा भेटल अछि। एकटा बाधा इ सेहो अछि जे पटना मे भौगोलिक परिस्थिति क कारण एयरपोर्ट क विस्तार कए लकए संकट अछि। विमान क मूवमेंट क संख्या एहि प्रकार स बढ़ल आ विस्तार पर विराम लागल रहल त नव सुविधा बोधगया क दिस स्थानांतरित भ सकैत अछि।
राज्य कए पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू क कहब अछि जे राज्य मे विदेशी पर्यटक क संख्या मे वृद्धि बिहार मे बदलाव क सूचक अछि।

Tags: Biharbihar tourism development corporationgoa
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार कए भेटल लाबा-दुआ

Esamaad Epaper Website

बंगाल प्रेम स बेसी बिहार विरोधी रहल बजट

Esamaad Epaper Website

बिहार कए कैल गेल नजरअंदाज: नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि