• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

एनएचएआइ कए सौंपल गेल गांधी सेतु

July 13, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

 पटना । महात्मा गांधी सेतु आब नेशनल हाइवे अथॉरिटी ऑफ इंडिया (एनएचएआइ) क जिम्‍मा मे चल गेल। आब एनएचएआइ एहि पुल क मरम्मत करबा लेल प्रयास करत। पटना क पहाड़ी स्थित जीरो माइल स हाजीपुर क रामाशीष चौक तक पुल समेत सड़क एनएचएआइ कए एहि उम्‍मीद स देल गेल अछि जे ओ बिहारक एहि जीवन रेखा कए नव जीवन प्रदान करत। केंद्रीय सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय इ निर्णय करत जे महात्मा गांधी सेतु क मरम्मत लेल कोन तरीका अपनाउल जाए। सोमदिन केंद्रीय सड़क आ परिवहन मंत्रालय आओर राज्य सरकार क बीच पटना मे एहि पर सहमति बनल। मंत्रालय क सचिव आ बिहार कैडर क आइएएस अधिकारी एके उपाध्याय आ राज्य सरकार दिस स पथ निर्माण विभाग क सचिव प्रत्यय अमृत एहि पर चर्चा केलथि। बैठक क बाद उपाध्याय कहला जे पुल क सुपर स्ट्रक्चर बदलबा लेल नव सिरा स अध्ययन कैल जाएत। एखन धरि क मरम्मत आ एखन धरि क खराबी क आकलन करि फिजिबिलिटी रिपोर्ट तैयार कैल जाएत। एकर बाद कोनो आगूक कार्रवाई कैल जाएत। केंद्र सरकार क एहि निर्णय स राज्य सरकार राहत क सांस लेलक अछि। एकर संगहि एहि पुल कए ल कए संशय क स्थिति खत्म भ गेल। ज्ञात हुए जे गैमन इंडिया क डिजाइन कैल एहि 5575 मीटर लंबा पुल मे कुल 48टा पाया अछि। एकर निर्माण 1979 मे प्रारंभ भेल आ पूर्ण रूप स तैयार हेबा स पहिने तत्कालीन मुख्‍यमंत्री क आग्रह पर प्रधानमंत्री इंदिरा गांधी मई,1982 मे एकर उद्घाटन करि देलथि। कुल 65 करोड़ क लागत स बनल इ पुल महज 20 साल मे मौतक कगार पर पहुंच चुकल अछि। जखन कि गांधी सेतु राष्ट्रीय राजमार्ग 19 क हिस्सा बनाउल गेल अछि। केंद्रीय सचिव उपाध्याय अपन पटना यात्राक दौरान पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव स सेहो भेंट केलाह। ओ मंत्री क समझ इ आश्वासन देलथि जे शीघ्र गंगा पुल क मरम्मत शुरू होएत। एकर अलावा नेशनल हाइवे 107 पर कोसी नदी पर बनल डुमरी पुल क मरम्मत पर सेहो केंद्र आ राज्य क बीच सहमति बनल अछि। इ तय कैल गेल अछि जे 16 अगस्त कए एकरा लेल निविदा जारी करि देल जाएत। राज्य सरकार एहि पुल क चारिटा पाया आ ओकर बीच क स्पैन क निर्माण लेल करीब सौ करोड़ क आवश्यकता जतेलक अछि। डुमरी पुल क दूटा पाया घंसला स अक्तूबर, 2010 स एहि पर आवागमन बंद अछि। बाद मे आइआइटी, रूडकी क इंजीनियर करीब आधा दर्जन पाया मे खराबी क गप कहलक। इ पुल बंद भ गेला स कोसी क कईटा जिलाक पटना स सीधा संपर्क भंग अछि। सरकार विकल्प क तौर पर डुमरी पुल लग एकटा स्टील पुल क निर्माण केलक अछि जे जल स्तर बढ़ला पर बंद भ जाइत अछि। खगड़िया-पूर्णिया फोर लेन पर पथ निर्माण मंत्री कहला जे खगड़िया स पूर्णिया तक नेशनल हाइवे कए फोर लेन मे तब्दील करबाक मांग पर परिवहन मंत्रालय सैद्धांतिक रूप स सहमत भ गेल अछि। उपाध्याय कहला जे एनएचडीपी-3 क सबटा 1015 किलोमीटर सड़क कए फोर लेन करबाक प्रस्ताव पर केंद्र सरकार गौर करत। ओ इस्ट वेस्ट कॉरीडोर क निर्माण कार्य कए मार्च, 2012 तक पूरा करबा लेल राज्य सरकार स अररिया आ सुपौल मे जमीन अधिग्रहण क कार्य शीघ्र पूरा करबाक लेल कहलथि अछि।

Tags: Biharpatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

ब्रांडेड कपडा क निर्माण लेल मुजफ्फरपुर तैयार

मुजफ्फरपुर मे शुरू भेल मॉल क निमार्ण

Esamaad Epaper Website

अंतरराष्ट्रीय संग्रहालय मे होएत आर्यभट्ट आ चाणक्य गैलरी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि