• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

एयरपोर्ट वाला दरभंगा मे बस स्टैंड लेल जमीन नहि

March 29, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

दरभंगा। सुनबा मे अजीब लागत मुदा इ सच अछि जे दरभंगा मे एयरपोर्ट त अछि मुदा बस स्‍टैंड लेल जमीन नहि अछि। दरभंगा नगर निगम बस स्‍टैंड लेल एखन धरि जमीन नहि ताकि सकल अछि। पहिने राजकुमारगंज आ वर्तमान मे कादिराबाद स्‍िथत बस स्टैंड दूनू नगर निगम भाडाक जमीन पर बना रखने छल। मुदा आब कादिराबाद स्थित बस स्‍टैंड लेल लीज पर देल जमीन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय वापस चाहैत अछि। विश्‍वविद्यालय नगर निगम क लीज बढेबाक आग्रह मानबा लेल तैयार नहि अछि। विवि प्रशासन 31 मार्च कए जमीन खाली करबा लेल नगर निगम कए कहि देलक अछि। पिछला 60 साल मे बस स्‍टैंड लेल जमीन नहि ताकि सकल नगर निगम क प्रशासन आब वैकल्पिक व्यवस्था नहि भेला तक आ विधि व्यवस्था क मद्देनजर जनहित मे बस स्टैंड कए एखन खाली करबा मे असमर्थता जाहिर केलक अछि। नगर निगम विवि प्रशासन स अनुरोध केलक अछि जे एखन एकरा निगम क जिम्‍मा मे छोडि देल जाए। मुदा विवि प्रशासन नरगौना मे आवासीय भवन बनेबाक योजना पर बबाल भेलाक बाद अपन योजना लेल जमीन तकबा मे लागल अछि। नरगौना पैलेस मामला मे विवि प्रशासन पर इ आरोप लागल छल जे ओ अपन जमीन लीज पर देने अछि आ कामेश्‍वर नगर मे बिना पर्यावरण क चिंता केने भवन निर्माण करि रहल अछि। एहि प्रकरणक बाद विवि प्रशासन सचेत भेल आ नगर निगम कए अपन जरूरत क हवाला दैत लीज बढेबा स मना करि देलक अछि।
उल्लेखनीय अछि जे दरभंगा मे जे महराजक बस स्‍टैंड छल ओ बिहार राज्‍य पथ परिवहन निगम अधिग्रहण केने अछि आ निजी बस स्‍टैंट लेल नगर निगम आइ धरि जमीन तक उपलब्‍ध नहि करा सकल अछि। कादिराबाद बस स्टैंड क जमीन मिथिला विवि क अछि जाहि ठाम पहिने अस्‍तबल छल आ पोलो खेलबा लेल घोडा राखल जाइत छल। इ जमीन विवि प्रशासन नगर निगम कए लीज पर द रखने छल। लीज क अवधि मार्च 2012 मे खत्‍म भ रहल अछि। विवि प्रशासन एक दिस लीज बढेबा लेल तैयार नहि अछि त दोसर दिस निगम स अपन बकाया भुगतान सेहो देबा लेल कहलक अछि। एहन मे नगर निगम विवि पर होल्डिंग टैक्स मद मे 1.74 करोड़ क बकाया भुगतान क दावा करि देलक अछि। इ झगडा दूनू संस्‍था क बीच पहिनो भेल अछि। होल्डिंग टैक्स भुगतान गप उठेबा पर निगम आ विवि प्रशासन क बीच बकाया पर मामला उलझैत रहल अछि। पूर्व नगर आयुक्त विनोद कुमार झा एहि उलझल मामला मे बस स्‍टैंड खाली करबा स बचैत रहलाह। हुनक कार्यकाल मे इ तय भेल छल जे दूनू क बीच हिसाब-किताब भेलाक बाद जमीन खाली कैल जाएत। मामला शांत भेलाक बाद जतए विवि प्रशासन सेहो सुस्‍त भ गेल ओतहि निगम प्रशासन सेहो जमीन तकबा लेल कोनो प्रयास नहि केलक। बिहार क सरकारी कार्यालय क ‘एहिना चलैत रहत’ क प्रवृति कए आगू बढबैत नगर निगमक निकम्‍मा प्रशासन कए झटका तखन लागल जखन विवि प्रशासन बस स्टैंड कए खाली करबा लेल कही देलक अछि। शहर कए गाम जेका बना देनिहार दरभंगा नगर निगम प्रशासन अपन निकम्‍मापन कए नुकेबा लेल विवि प्रशासन पर आब भांति भांतिक दबाव बना रहल अछि। जिला प्रशासन क आला अधिकारी एहि मे हस्तक्षेप क रहल छथि। सवाल अछि आखिर आजादीक बाद दरभंगा नगर निगम केलक की अछि। शहरक आधारभूत ढांचा आजादी क बाद कमजोर भेल अछि। सडक सिकुरल अछि, नाला आब नाली बनि चुकल अछि। नगर निगम जखन टेंपो स्‍टैंड लेल जमीन नहि ताकि पाबि रहल अछि त आखिर कोन आधार पर मानल जाए जे ओ बस स्‍टैंड लेल जमीन ताकि लेत। विवि प्रशासनक कहब उचित अछि जे वैकल्पिक व्यवस्था जखन एतबा दिन मे करबाक कोनो प्रयास नहि भेल त आगूक गारंटी के लेत। विधि व्यवस्था क नाम पर जनहित मे बस स्टैंड लेल जमीन कहिया धरि नगर निगम कए देल जाएत। आखिर नगर निगम कहिया समर्थ होएत।

Tags: Bihardarbhanga
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

दरभंगा नेशनल स्‍कूल बनत स्‍वतंत्रता स्‍मारक

Esamaad Epaper Website

महिला प्राथमिक शिक्षक प्रशिक्षण महाविद्यालय कए भेटल अपन परिसर

Esamaad Epaper Website

बिहार क विकास मे भागीदार बनबाक इच्छुक अछि ब्रिटेन

Comments 1

  1. girijesh jha says:
    11 years ago

    mithila ke vikash karu or apan mithila ke aagu badhabu

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि