नई दिल्ली। बिहार क विश्वविख्यात नालंदा विश्वविद्यालय कए नव सिरा स जीवित करबा लेल शुरू भेल कवायद क बीच दिल्ली मे मेंटर ग्रुप क बैठक भेल। बैठक मे मेंटर ग्रुप क अध्यक्ष अमर्त्य सेन आ दोसर सदस्य समेत विदेश मंत्री एसएम कृष्णा आ बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो हिस्सा लेलथि।
दिल्ली क हैदराबाद हाउस मे नालंदा विश्वविद्यालय कए नव रूप देबा पर चर्चा भेल। कृष्णा बैठक मे कहला जे केंद्र सरकार एहि संसदीय सत्र मे नालंदा विश्वविद्यालय विधेयक पेश करत। ओ बिहार सरकार क सक्रियता क प्रशंसा करैत कहला जे राज्य सरकार एहि विश्वविद्यालय क लेल 446 एकड़ क जमीन मुफ्त उपलब्ध करा रहल अछि। अमर्त्य सेन सेहो विश्वविद्यालय क स्थापना क दिशा मे भ रहल काज पर संतोष जाहिर करैत कहला जे इ अनूठा विश्वविद्यालय होएत। ओ कहला जे विश्व क दोसर विश्वविद्यालय स संपर्क जरूरी होएत। ओ पुरान सभ्यता पर आधारित अन्य विश्वविद्यालय जेना बेलोनिया आदि स तुलना करैत कहला जे एहि विश्वविद्यालय स संबंध स्थापित करबाक चाही
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आशा जतेलाह जे केंद्र सरकार एहि विधेयक कए जल्द स जल्द संसद स पारित करवा लेत। ओ सुझाव देलथि जे इ सुनिश्चित हेबाक चाही जे विधेयक स्थायी समिति क विचारार्थ नहि जाए। जवाब मे कृष्णा आश्वासन देलथि जे विधेयक अगस्त मे पारित भ जाएत। नीतीश इ सेहो आग्रह केलथि जे गवर्निग बॉडी बनबा तक मेंटर ग्रुप बरकार रहबाक चाही आ इ ग्रुप दिशा-निर्देशित करे। नीतीश कुमार कहला जे इ सुनिश्चित होबाक चाही जे विश्वविद्यालय अंतरराष्ट्रीय भेलाक संग-संग स्थानीय लोक स समन्वय स्थापित करि सकए।
बैठक मे सिंगापुर क विदेश मंत्री जार्ज यो, बीजिंग विश्वविद्यालय क प्रो. वांग बैंगवी, हारवर्ड विश्वविद्यालय क प्रो. सुगाता बोस, लार्ड मेघनाद देसाई, राज्यसभा सदस्य एनके सिंह आदि गणमान्य व्यक्ति शामिल भेलाह।