पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अमेरिकी राष्ट्रपति बराक ओबामा, पूर्व अमेरिकी राष्ट्रपति बिल क्लिंटन आ प्रधानमंत्री डॉ. मनमोहन सिंह क क्लब मे शामिल भ गेलथि। हुनका सब कए रोटरी इंटरनेशनल क इंटरनेशनल पोलियो पल्स कमेटी पोलियो इरेडिकेशन चैंपियनशिप एवार्ड स सम्मानित केलक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए इ सम्मान रोटरी इंटरनेशनल क इंटरनेशनल पोलियो पल्स कमेटी क चेयरमैन डॉ. राबर्ट स्कॉट राजधानी मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे प्रदान केलथि। एहि मौका पर मुख्यमंत्री कहलथि जे इ सम्मान हुनकर व्यक्तिगत नहि अछि, बल्कि ओहि लोक क काज क लेल सम्मानित कएल गेल अछि जे बिहार मे पोलियो उन्मूलन क काज मे लागल अछि। मुख्यमंत्री आशा जतउलथि जे बदलैत बिहार क पहचान पोलियो उन्मूलन क लेल सेहो होइत।
तारामंडल में आयोजित एहि समारोह मे मुख्यमंत्री कहलथि जे कोसी त्रासदी क बाद हाई रिस्क एरिया कए चिन्हित करि विशेषज्ञ क सुझाव पर काज भ रहल अछि। ओना सिर्फ पोलियो क दवा स सब किछु ठीक नहि होबै वाला, कुपोषण सेहो एकटा कारण अछि। प्रवासी मजदूर क बच्च कए ठीक तरीका स पल्स पोलियो अभियान मे शामिल नहि करबाक एकटा सेहो समस्या अछि। ओ कहलथि जे एकरा लेल इ जरूरी अछि जे पल्स पोलियो अभियान होली आ छठ क समय चिन्हित छहटा जिला मे चलाउल जाए, जेहि ठाम स पोलियो क मामला सामने आ रहल अछि। एकरा अतिरिक्त प्रभावित जिला क प्रखंड स्तर पर तैनात अधिकारी क संग इ मसला पर ओ खुद बैठक करताह।
कनाडा स आएल रोटरी इंटरनेशनल पोलियो प्लस कमेटी क चेयरमैन डॉ. राबर्ट स्कॉट एहि अवसर पर कहलथि जे पोलियो उन्मूलन क प्रति बिहार मे चलि रहल कार्यक्रम मे हुनका खूब प्रगति देखेलन। बिहार मे 99 फीसदी बच्चा कए टीकाकरण भेल अछि। इ नेतृत्व क सशक्तता कए देखबैत अछि। इ पुरस्कार क महत्व किछु एहि तरह स बुझल जा सकैत अछि जे बराक ओबामा, बिल क्लिंटन, डॉ. मनमोहन सिंह, न्यूजीलैंड आ ऑस्ट्रेलिया क पूर्व प्रधानमंत्री कए एहि स पहिने इ पुरस्कार भेट चुकल अछि।