• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

कनियाँक छोड़िकए विदेश भागि चुकल दूल्हा सबहक रद्द होएत पासपोर्ट

June 13, 2018
in समाचार
A A
10
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

बहुत रास शिकायत भेटलाक बाद चण्डीगढ़ पासपोर्ट ऑफिस लेलक फैसला

आब पासपोर्ट लेल नहिं होएत पुलिस वेरिफिकेशन

मणिभूषण झा
चण्डीगढ़ । विवाह करय क किछु दिन बादे कनियाँ क छोड़िकय विदेश भागयवला दूल्हा सबहक पासपोर्ट रद्द कैल जाएत। हजारक संख्या मे एहन शिकायत भेटलाक बाद चंडीगढ़ पासपोर्ट ऑफिस ई कठोर कदम उठेलक । एहि पर काज सेहो प्रारंभ भए गेल अछि, पछिला तीन दिन मे 7टा पासपोर्ट रद्द कैल जा चुकल अछि । एहि काज क करय में पीड़ित महिला सब कर्मचारी सबकए सहयोग कए रहल छथिन्ह । चंडीगढ़ क रिजनल पासपोर्ट आफिसर सिबास कविराज कहलथि जे बहुत पहिने से एहन शिकायत भेंटि रहल छल जे एनआरआई लड़का सब विदेश सँ आबि एतय विवाह करय छथि आ किछु दिन पत्नी संग रहिकय बाद मे हुनका छोड़ि विदेश चलि जाईत छथि । एहन कैकटा केस अछि जहि मे औरत अपन पतिक इंतजार कतेको वर्ष सँ कए रहल छथि मुदा ओ वापस नहिं एलथि ।

तीन दिन में 7 पासपोर्ट रद्द कैल गेल

चंडीगढ़ पासपोर्ट कार्यालय पासपोर्ट रद्द करय क योजना पर काज केनाई प्रारंभ कए देने अछि । पछिला तीन दिन मे 7टा पासपोर्ट रद्द कैल गेल अछि । विदेश भागनिहार दूल्हा सबकए पासपोर्ट रद्द एहिलेल कैल जा रहल अछि जे हुनका सबकए वापस आबय लेल मजबूर कैल जा सकय । चंडीगढ़ आ आसपास क इलाका मे एहन लड़की सबकए संख्या ज्यादा अछि जिनका छोड़ि लड़का विदेश भागि गेल छथि ।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

15 हजार महिला केलथि शिकायत, बेसी पंजाब सँ

रीजनल पासपोर्ट ऑफिस सिबास कविराज क कहब छनि जे एहन महिला क अपन पतिक खिलाफ करबाओल गेल एफआईआर, लुकआउट नोटिस, वारंट वा कोर्ट में चलि रहल केस क कापी देबय पड़तन्हि । एहि सब दस्तावेजक आधार पर पासपोर्ट रद्द कैल जायत । कविराज कहलथि जे एहन 15000 सँ बेसी शिकायत अछि जहिमे महिलाक पति हुनका छोड़ि कए विदेश भागि गेल छथि । एहिमे पंजाबक सबसँ बेसी लोक शामिल छथि । किछु शिकायत हरियाणा सँ सेहो भेटि रहल अछि ।

एम्हर, आब पासपोर्ट लेल नहिं होएत पुलिस वेरिफिकेशन

पासपोर्ट बनेबाक लेल होबयवला पुलिस वेरिफिकेशन क प्रक्रिया आब पासपोर्ट आफिस खत्म कए देलक । आब खाली संबंधित थाना मे आवेदक क क्रिमिनल रिकॉर्ड देखल जायत । पहिने पुलिस आवेदक क घर जा कए वेरिफिकेशन करैत छल आ दू टा गवाहक साईन सेहो आवश्यक होईत छल । आब आवेदक बताओल गेल पता पर रहय छथि कि नहि ओ पोस्टमैन कन्फर्म कए पासपोर्ट ऑफिस कए बताओत। जों आवेदक ओहि एड्रेस पर नहिं रहैत हेताह त पासपोर्ट डिलिवर नहिं होएत।

Tags: PassportPolice Verification
Share10TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

रेल यात्री सबकए नवंबर सँ भेटत फ्लेक्सी फेयर स राहत : पियूष गोयल

देश मे यूरियाक लेल होबय वला आंदोलन आ हल्ला-हंगामा केना थमल? केना दूर भेल एकर किल्लत ?

सरकार केलक रिकॉर्ड 350 लाख टन गहूँमक खरीद, आर वेयरहाउस किराया पर लेत

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि