• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

कांग्रेस संग सरकार नहि बनाएब: लालू

October 19, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021


पटना । राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद चुनाव क बाद कांग्रेस क संग तालमेल क सरकार बनेबाक संभावना स इनकार केलथि। लालू कहला जे कोनो हालात मे कांग्रेस क संग तालमेल क सरकार बनेबाक कोनो संभावना नहि अछि। लालू प्रसाद कहला जे रामविलास पासवान क लोजपा संग ओ भारी जीत हासिल क रहल छथि आ अपन दम पर सरकार बनेताह। राजद क राष्ट्रीय उपाध्यक्ष रघुवंश प्रसाद सिंह क बयान कए हुनकर व्यक्तिगत बयान कहैत लालू कहला जे त्रिशंकु विधानसभा क स्थिति मे सेहो राजद आ कांग्रेस मे कोनो तालमेल नहि भ सकैत अछि। राजद सुप्रीमो कहला जे ओ एहि मामला पर रघुवंश बाबू स गप केलथि अछि।
कांग्रेस पर हमला करैत लालू कहला जे ओ अपन भविष्य तकबा लेल बिहार विधानसभा चुनाव मे उतरल अछि। ओ कहला जे कांग्रेस ककरो दोस्त नहि भ सकैत अछि। लालू कहला जे रघुवंश बाबूक योजना नरेगा कए कांग्रेस अपन उपलब्धि बता लोक कए गुमराह करि रहल अछि। इ योजना राजद सन पार्टी केंद्र मे छल तखने संभव भेल, कांग्रेस एहन योजना कए खाका तैयार नहि कए सकैत अछि।
राजद अध्यक्ष बिहार क वर्तमान सरकार कए सब मोचा पर विफल करार दैत कहला जे पूरा राज्य सूखा क चपेट मे अछि आ सरकार किसान क कोनो सहायता नहि केलक। ओ कहला जे मुख्यमंत्री पिछला चुनाव मे बिजली क उत्पादन बढेबाक आ उद्योग-धंधा लगेबाक वादा केने छलाह मुदा बिहार मे पिछला पांच साल मे एक मेगावाट अतिरिक्त बिजली क उत्पादन नहि भेल अछि आ ने कोनो उद्योग-धंघा लागल अछि। ओ कहला जे नीतीश उद्योग धंधा क नाम पर हर पंचायत मे शराब क दुकान जरूर खुलवा देलथि अछि। यादव राज्य सरकार पर दलित कए बांटबाक आरोप लगबैत कहला जे मुख्यमंत्री महादलित कए जमीन, इंदिरा आवास, रेडियो आ टेलीविजन दैत छलाह मुदा ककरो किछु नहि भेट। ओ कहला जे हुनकर पार्टी सत्ता मे आईल त उच्च वर्ग क लोक कए संग लकए चलताह।
लालू प्रसाद यादव कहला अछि जे ओ नीतीश जेकां अनुबंध पर नौकरी नहि देताह बल्कि हुनकर सरकार बनल त अनुबंध पर राखल गेल सबटा शिक्षक कए स्थाई करि देताह। साइकिलक बदला मे मोटरसाकिल देबाक घोषणा करनिहार लालू साफ केलथि जे हुनकर राज मे एहन अन्याय नहि होएत। ओ कहला जे चारि हजार मे आइ की होइत अछि, महंगाई जेना नीतीश राज मे आसमान पर अछि एहन मे त इ टका मुंह चिढा रहल अछि। ओ कहला जे नीतीश क राज मे केवल घोटाला भेल अछि, तीन मास मे नालंदा क महिला बच्चा पैदा क रहल अछि, आब कहू त एहनो कतहु भेल अछि। ई सरकार सब तरह स जाइ लेल तैयार अछि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

पहिल चरण लेल प्रचार क शोर थमहल

Esamaad Epaper Website

मिथिलाक ह्रदयस्थली मे ककर चलत?

Esamaad Epaper Website

वैशाली क लाल बचेलक बिहारक इज्जत

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि