पटना : मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे दीघा-सोनपुर रेल सह सड़क पुल निर्माणाधीन अछि आ बिहार एकर पूर्ण हेबाक आओर बेसी बाट नहि ताकि सकैत अछि। सड़क पुल लेल राज्य सरकार पहिने राशि द रहल अछि आब अगर केंद्र रेल पुल लेल राशि देबा मे देर करत त बिहार सरकार अपन टका स रेल पुल सेहो बना लेत, किया त बिहार कए विकसित हेबा लेल आब कोनो बाधा मंजूर नहि अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगलदिन मुख्यमंत्री सचिवालय मे आयोजित बिहार राज्य पुल निर्माण निगम क 38 म स्थापना दिवस कए संबोधित करैत कहला जे एहि पुल क शिलान्यास तखन भेल छल जखन ओ रेलमंत्री छलाह। तत्कालीन प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी एक शिलान्यास रखने छलाह। पुल क निर्माण क लक्ष्य 2007 तक राखल गेल छल, बाद मे एकरा बढ़ाकए 2009 तक क देल गेल। आब एकर लक्ष्य 2015 क देल गेल अछि, मुदा राशि एखनो नहि देल जा रहल अछि। एहन मे केंद्र क हाथ स समय पर पुल तैयार भ सकत एकर उम्मीद कम अछि। ओ कहला जे जहिया इतिहास मे बिहार क विकास क जिक्र होएत, ओहि मे बिहार राज्य पुल निर्माण निगम क चर्चा जरूर होएत। ओ कहला जे कहिया आर्थिक संकट स बंद हेबाक दुहारि पर ठार निगम आद मात्र फायदा मे नहि अछि बल्कि अनेक स्थान पर महासेतु क निर्माण क रहल अछि। एहि मे गुणवत्ता क संग समय क ध्यान सेहो राखल जाए। पुल क पैघ पैमाना पर निर्माण क कारण एहि वर्ष क अन्त तक बिहार क कोनो इलाका स 6 घंटा मे पटना पहुंचबाक सपना सकार होएत। ओ कहला जे राज्य मे यातायात क्रांति भेल अछि। संसाधन क कमी क बावजूद काज भ रहल अछि। केन्द्र सरकार बिहार क जायज मांग मानि लैत त विकास कए पंख लागि जाएत। विशेष दर्जा भेट जाएत त आधारभूत संरचना मे आओर टका उपलब्ध भ सकत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa