• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

केंद्र क नजरि आब बिहार क जल पर, लूटबा लेल बना रहल नीति

March 2, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । दिल्ली क नजरि आब बिहार क जल पर अछि । जल कए प्राकृतिक संसाधन मानि दिल्ली एकर बंटवारा क कानून बना रहल अछि । कानून बनि गेल त बिहार कए सबस बेसी घाटा होएत । केंद्र पर इ गंभीर आरोप विधानसभा में जल संसाधन मंत्री विजय कुमार चौधरी लगेलथि अछि । विभागीय अनुदान मांग क जवाब क क्रम मे श्री चौधरी नहि केवल सदन बल्कि जनता कए सेहो एहि डाका क प्रति आगाह केलथि।
ज्ञात हुए जे 1950 मे सेहो बिहार संग एहिना व्‍यवहार कैल गेल छल, जेकर नतीजा आइ गरीब आ पिछडल बिहारक रूप मे सामने अछि। मुदा आब ओ समय नहि रहल । ओहि समय मे जेना श्रीबाबू बिहारक हित कए नजरअंदाज क दामोदर घाटी परियोजना मंजूर क लेलथि तेना आब बिहार कए नजरअंदाज करब कोनो राज्‍य सरकार लेल संभव नहि अछि ।
श्री चौधरी कहला जे केंद्र क एहि नीति क खिलाफ एकटा आओर लड़ाई लड़बा लेल बिहार कए तैयार भ जेबाक चाही । पहिने कोयला आ अन्‍य खनिज बिहार लग बतौर प्राकृतिक संसाधन छल, मुदा आइ केवल जल अछि। केंद्र आब ओहि जल पर सेहो डाका देबाक प्रयास मे अछि। बिहारक जल कए दोसर राज्‍य लेल उपलब्‍ध करेबाक कुचक्र रचल जा रहल अछि। बिहार क संसाधन स दोसर राज्‍यक विकास करबाक नीति एक बेर फेर लागू करबा मे केंद्र लागल अछि।
ओ कहला जे सबटा खेल राष्ट्रीय जल नीति क आईना मे भ रहल अछि। एहि नीति क तहत जल बंटबाराक कानून बनि रहल अछि। इ संघीय ढांचा पर चोट अछि । संविधान कहैत अछि जे जल राज्य क विषय छी, केंद्र कए केवल अंतरराज्यीय या अंतरराष्ट्रीय जल क मसला मे हस्तेक्षप क अधिकार अछि। जल कए प्राकृतिक संसाधन मानि बराबरी क आधार पर बांटबा क नीति क बिहार सरकार विरोध केलक अछि। हम अपन जल आन राज्‍य कए नहि देब । बिहार लग जल अछि त हमर जल बराबर सब कए बांटल जाएत, मुदा इ नीति बा फार्मूला केवल जल पर किया? दोसर प्राकृतिक संसाधन पर किया नहि? सब इलाका क अपना भूगोल अछि। कोनो राज्य कए भूगोल फायदा पहुंचेलक अछि त कोनो राज्‍य कए घाटा । भूगोल क कारण स दोसा राज्‍य क तुलना मे बिहार लग बेसी जल अछि । मुदा एतबो नहि अछि जेकरा बिहार लेल अतिरिक्‍त जल मानि लेल जाए । एकर बावजूद केन्द्र क नीयत साफ नहि अछि । केंद्र अगर बिहार क जल पर डाका देबाक नीति पर आगू बढल त पक्ष-विपक्ष कए एकजुट भ एकर विरोध करबा लेल तैयार रहबाक आवश्‍यकता अछि किया त सवाल कोनो दल या खास क्षेत्र स नहि बल्कि बिहार क अछि । श्री चौधरी कहला जे राज्य क बंटवारा क बाद, बतौर प्राकृतिक संसाधन, बिहार लेल की अछि, बस जल त बचल अछि । ओ कहला जे केन्द्र क पचडा मे तिलैया-ढाढर, उत्तर कोयल सन योजना पडल अछि। अंतरराज्यीय मामला भेला स विवाद केन्द्र कए सुलझेबाक अछि। मुदा गप नहि भ रहल अछि। केंद्र क उपेक्षा क बावजूद राज्य सरकार पिछला छह साल मे 2.7 लाख हे. अतिरिक्त सिंचन क्षमता क सृजन केलक अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

खगडिय़ा मे लागत फूड पार्क : तारिक

Esamaad Epaper Website

आखिर बंद भ जाएत मुजफ्फरपुर क साई सैग सेंटर

Esamaad Epaper Website

भारतीय हेबाक गर्व करैत फेर पिटेलहुं हम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि