पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार विधान परिषद मे एकटा प्रश्नक उत्तर मे सीधा कांग्रेस कए निशाना बना कहलथि जे बिना विकास ककरो वोट नहि भेटत। कांग्रेस जे करि रहल अछि, ओहि स ककरो फायदा नहि होयत। केंद्र बिहार मे सड़क नहि बना रहल अछि, हम सड़क बनेबा लेल अनुमति मांगी रहल छी, त अनुमति सेहो नहि द रहल अछि आ सदन मे कांग्रेसक विधायक हल्ला करि रहल दथि जे सड़क नहि बनि रहल अछि। अजीब गप अछि, केन्द्र मे बैसल कांग्रेसी चाहैत छथि जे बिहार मे हुनकर पार्टी क सरकार क गठन भ जाए, मुदा एकरा लेल राजग सरकार कए असफल करबाक चक्कर मे बिहारक विकासक विरोध भ रहल अछि। हम कहैत छी जे कांग्रेसी विधायक अपन दिल्ली मे बैसल नेता स बिहार मे सड़क आ पुल बनबा दथि, हम तैयार छी। मुख्यमंत्री कहला जे केन्द्र क सहमति क प्रत्याशा मे एनएचएआई क सड़क क मरम्मत आ निर्माण राज्य क राशि स भेल अछि। एहि पर 711 करोड़ व्यय भेल अछि। कांग्रेस विधायक आ केंद्र सरकार कए एकर स्वागत करबाक चाही,मुदा केन्द्र त राशि क भुगतान रोकि लेलक अछि। ओ प्रश्नकर्ता कांग्रेस विधायक दल क नेता महाचन्द्र प्रसाद सिंह स एनएचआई 77 हाजीपुर-मुजफ्फरपुर क चौड़ीकरण आ गोढिय़ा क समीप पुल निर्माण क अनुमति केन्द्र स लेबा मे सहयोग मंगलथि। मुख्यमंत्री कहला जे एनएचआई क मानक क तहत पुल आ सड़क निर्माण मे राज्य सरकार सक्षम अछि। हमरा मात्र केन्द्र क सहमति चाही। मुख्यमंत्री कहला जे पहिने बोर्ड लगा देल जाइत छल जे इ केन्द्र क सड़क अछि, मुदा हम एहन नहि करि रहल छी किया कि हमरा लेल सबटा बिहारक सड़क अछि। एहि सोच स हम केंद्र क हिस्सा क सड़क क मरम्मत करा देलहुं, मुदा केंद्र आब टका नहि द रहल अछि। एहि पर कांग्रेसी सदस्य उत्तेजित भ गेलाह। मुख्यमंत्री बेर-बेर कहला जे हम अहां स सहयोग चाहैत छी, सड़क बिहारक छी ओ सरकार या विपक्षक नहि छी, सड़क बनबाक चाही, हमरा अहां सहयोग दी त हम अहां संग दिल्ली जेबा लेल तैयार छी। एहि पर प्रश्नकर्ता महाचन्द्र प्रसाद सिंह कहला जे हुनका स जे सहयोग भ सकत ओ मुख्यमंत्री कए देबा लेल तैयार छथि।