पूर्ण पेंशन क लेल अहर्ता सेवा 20 वर्ष भेल
पेंशन पुनर्रीक्षण एक जनवरी, 2006 क प्रभाव स लागू
आर्थिक लाभ एक अप्रैल, 2007 क प्रभाव स देय
पटना। बिहार सरकार छठम वेतन आयोग क अनुशंसा कए आलोक मे केन्द्रीय कर्मचारी क जेकां राज्य सरकार क कर्मचारी कए सेहो पेंशनक लाभ देबा लेल तैयार भ गेल अछि। राज्य मंत्रिमंडल क आइ भेल बैठक क बाद उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी समाद देलथि अछि जे मंत्रिपरिषद केन्द्रीय कर्मचारी क जेकां राज्य सरकार क कर्मचारी कए सेहो पेंशन क लाभ देबाक प्रस्ताव कए मंजूरी प्रदान करि देलक अछि। ओ कहला जे पेंशन पुनर्रीक्षण एक जनवरी, 2006 क प्रभाव स लागू कैल जाइत आओर एकर आर्थिक लाभ एक अप्रैल, 2007 क प्रभाव स देय होयत। मोदी कहला जे पुनर्रीक्षण पेंशन क राशि सेवानिवृत्ति क समय पेंशनधारी कए प्राप्त वेतनमान क पुनर्रीक्षित वेतन बैंड क प्रारंभिक वेतन आओर ग्रेड वेतन क योग क 50 प्रतिशत स कम नहि होइत। ओ कहला जे सरकार निर्णय लेलक अछि जे पूर्ण पेंशन क लेल जे पूर्व मे 33 वर्ष क अहर्ता सेवा छल ओकरा घटाकए 20 वर्ष करि देल गेल अछि। एहि तरहे सेवानिवृत्ति क तिथि कए दस वर्ष क सेवा पूरा करै बाला कए सेहो आब पेंशन क लाभ देल जाइत। पूर्व मे इ सीमा 20 वर्ष क छल।