• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

कोनो राज्‍य लेल बिहारी बोझ नहि जरुरत छथि : नीतीश

March 18, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

सुनील कुमार झा
नई दिल्ली । दिल्‍ली स्थित बुरारी मे आइ बिहार बसल छल। बिहार शताब्दी सम्मान समारोह क अवसर पर बिहारियत चरम पर छल। मंच स ल कए दूर अंतिम कतार मे ढार व्‍यक्ति तक अपना कए बिहारी कहबा लेल आतुर देखा रहल छल। निश्चित रूप स इ बिहारी स्मिता क पुनर्जारण जेकां छल। कार्यक्रम क मुख्‍य अतिथि मुख्‍यमंत्री नीतिश कुमार सेहो एहि अवसर पर पूरा देश कए इ संदेश देलथि जे बिहार क लोक कोनो समाज लेल बोझ नहि बल्कि हर समाज क जरूरत बनि गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे बिहार क लोक मेहनत आ अपन हुनर स दुनियाभरि मे अपन पहचान बनेलथि अछि आ दोसर समाज लेल आइ जरुरत बनि चुकल छथि। एहि लेल राज्य क बाहर जाकए काज करबा लेल बिहारी कए अपमानित नहि करबाक चाही। मुख्यमंत्री कहला जे विभिन्न संगठन क लोग अतीत मे प्रवासी बिहारी कए अपमानित करबाक कोशिश करैत रहलाह अछि, मुदा सच इ अछि जे बिहार क लोक भीख मांगबा लेल नहि, बल्कि मेहनत करबा लेल जगह जगह घूमैत अछि। महाराष्ट्र आओर असम मे पिछला साल किछु आपत्तिजनक घटना भेल छल मुदा हम कहैत छी जे अगर चांद पर सेहो मानव श्रम क जरूरत होएत त बिहार क लोक जेबा स पाछु नहि हटत। किया कि बिहार क लोक लग सबटा काज सब ठाम करबाक श्रेष्ठ प्रतिभा रखैत अछि। ओ कहला जे वर्ष 2006 मे बिहार क प्रवासी पंजाब मे वर्क परमिट ल कए मजदूरी करैत छलाह मुदा आइ पंजाब क उद्यमी बिहार स मानव श्रम बजेबा लेल भांति -भांति क जुगत लगा रहल छथि।
श्री कुमार कहला जे बिहार क लोक स्वभाव स विहारी होइत अछि। ओ प्रकृति स प्रवासी अछि आ एहि कारण दुनिया क तमाम हिस्‍सा मे जा कए ओ अपन श्रम आ ज्ञान साबित करैत आयल अछि। एहि प्रवृति कए बिहारी लेल जीविका क मजबूरी नहि बुझब गलत अछि। समारोह मे विशिष्ट बिहारी सम्मान स सम्मानित पूर्व विदेश सचिव श्याम शरण आ भारतीय प्रतिभूति आ विनिमय बोर्ड (सेबी) क अध्यक्ष उपेन्द्र कुमार सिन्हा दिस देखैत श्री कुमार कहला जे इ सब साबित करि चुकल छथि जे कोनो प्रकारक परीक्षा मे शीर्ष स्थान हासिल करबा लेल बिहार क छात्र हरदम उद्यत रहैत छथि आओर नौकरी भेटलाक बाद समाज क सेवा सेहो मन स करैत छथि।
मुख्यमंत्री कहला जे बिहार मे पर्याप्त रोजगार क अवसर उपलब्ध करेबा लेल ठोस डेग उठाउल जा रहल अछि। श्री कुमार कहला जे एकर तात्पर्य इ नहि जे बिहार क लोक आब दोसर राज्‍य नहि जाएत। ओ पूरा देश आ विश्‍व मे जेबाक हकदार छथि। देश मे सब ठाम बसबाक आ काज करबाक आजादी अछि आ बिहारी स इ हक कियो नहि छीन सकैत अछि।

Tags: Bihardelhinitish
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

मुलायम लेल लालू स बेहतर नीतीशक प्रशासन

Esamaad Epaper Website

बिहार कए उपनिवेश बनेबाक प्रयास मे केंद्र : शिवानंद

Esamaad Epaper Website

मनोज तिवारी खोलताह बिहार मे स्पो‌र्ट्स अकादमी

Comments 2

  1. devendra mishra says:
    10 years ago

    suni mon khush bhel.

    Reply
    • गिरिजेश झा says:
      10 years ago

      हे अहाक विचार अत्ति उत्तम अछी /हम सब बिहार के वाशी के पास एकता नहीं छे ताहि कारन हम सबल छी /लेकिन ज्ञान में सब स आगू छी / इ कारन ओ सब हमरा सब के दबाब चहेत अछी / होम सब बुध्ही बिबेक और बल के समय पर उपयोग करे छी/

      Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिजली क ग्रिड फेल, सरकार पास!

by संपादक
August 7, 2012
0
Esamaad Epaper Website

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि