• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

खगड़िया मे मोटरसाइकिल पर लादल गेल बाढ राहतक सामान

July 24, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

गबन, दुविर्नियोजन आ क्षति स सरकार कए लागल 380.99 करोड़ टका क चूना

पटना । कैग रिपोर्ट क अनुसार ग्रामीण विकास, जल संसाधन, सामान्य प्रशासन, पशुपालन सहित 18टा विभाग मे गबन, दुविर्नियोजन आ हानि स सरकार कए 380.99 करोड़ टका क क्षति भेल अछि। एतबे नहि बिहार मे चारा घोटाला सन एकटा आओर घटाला दोहरा सकैत अछि। एजी क ताजा रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे दू साल पहिने राज्य मे आयल बाढ क दौरान खगड़िया जिला मे बाढ़ पीड़ित क राहत सामग्री स्कूटर आ मोटर साइकिल स ढोएल गेल। भारत क नियंत्रक आ महालेखा परीक्षक (कैग) क विधानमंडल मे पेश भेल वर्ष 2009 क रिपोर्ट मे एकर खुलासा भेल अछि। रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे अगस्त स अक्टूबर 2007 क बीच मानसी रेलवे स्टेशन स 3115 क्विंटल गहूम आ चाउर उठाउल गेल आ ट्रक स कंपनी क खगड़िया गोदाम तक पठाउल गेल । जखन एहि ट्रक क निबंधन संख्या क मिलान कैल गेल त पाउल गेल जे 32 वाहन मोटरसाइकिल स्कूटर आ जीप क रूप मे निबंधित छल।
एतबे नहि बिहार कोषागार संहिता क नियम 300 कहैत अछि जे जखन तक तुरंत भुगतान क जरूरत नहि हुए, कोषागार स धन क निकासी नहि कैल जाए, पर अररिया, पूर्वी चंपारण, सहरसा आओर सीतामढ़ी जइसन कईटा जिला मे जिलाधिकारी 131 करोड़ क राशि कोषागार स निकाल कए राखि लेलथि। एहि मे स 81 करोड़ क रकम बिना कोनो तात्कालिक जरूरत क निकालल गेल छल। डीएम त डीएम, मामूली कर्मचारी, पंचायत सेवक तक कए अग्रिम क रूप मे देल गेल 114 करोड़ क राशि क समायोजन नहि भ सकल अछि। सात सार्वजनिक क्षेत्र क उपक्रम ठीक तरीका स वसूली नहि केलक, जाहि स 371 करोड़ क राशि क वसूली नहि भ सकल। एहि मे सर्वाधिक 260 करोड़ टका बिहार राज्य वित्त निगम क अछि। खाद्य आपूर्ति निगम स सेहो 30 करोड़ स अधिक क राशि नहि वसूल भ सकल अछि।
सीएजी क एहि बेर क रिपोर्ट सेहो पिछला सालक भांति सरकार क कईटा विभाग क कामकाज क कलई खोल कए राखि देलक अछि। राष्ट्रीय ग्रामीण स्वास्थ्य मिशन क तहत पांच जिला मे जननी सुरक्षा योजना क तहत 9.17 करोड़ क भुगतान कैल गेल। एहि मे 298 लाभार्थी क जांच कैल गेल त पता चलल जे एहि मे 6.66 लाख टकाक क फर्जी भुगतान भेल अछि। रिपोर्ट क अनुसार प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना क एहन 500 स 999 क बीच आबादी वाला गाम कए सड़क स जोड़बा लेल सरकार जून 2006 मे मुख्यमंत्री सड़क योजना शुरू केने छल। रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे 72 सड़क क चयन गलत प्राथमिकता क कारण करि लेल गेल। सरकार एहि योजना क लेल 1339 करोड़ क आवंटन उपलब्ध करेलक मुदा बिहार ग्रामीण सड़क विकास अभिकरण खर्च नहि करि सकल। एहि दरम्यान 40 प्रतिशत सड़क बनि सकल। कैग क मानि त सड़क क निर्माण लेल प्राथमिकता सूची नहि बनाउल गेल। एकर चयन जन प्रतिनिधि यानी विधायक आ विधान पार्षद क दबाव पर कैल गेल। सम्पूर्ण ग्रामीण रोजगार योजना आ काज क बदला मे अनाज योजना क तहत दैनिक मजदूर कए बांटबा लेल भेटल 86.53 लाख क चाउर बर्बाद भ गेल जखकि 11.51 करोड़ क चाउर क उपयोग नहि भ सकल।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

दिल्ली दरबार मे बिहारक आवाज भेल बुलंद

Esamaad Epaper Website

कुंठित भ बांझ बनल झारखंडक राजनीतिक सर्जनशीलता

Esamaad Epaper Website

बिहार मे 807 किमी सड़क क होएत कायाकल्प

Comments 1

  1. jai kumar jha says:
    13 years ago

    बढ़िया प्रस्तुती आउर तथ्य खोजबाक सार्थक प्रयास के लेल आभार… बिहारक हालत जस के तस अई …दुर्भाग्यजनक व शर्मनाक

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि