• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

खुलल राज, भेटल अकबरनामा

October 9, 2009
in समाचार
A A
71
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

panji
दरभंगा। अकबरकालीन दस्तावेज पर जड़ल ताला आखिरकार टूटल। राज्य सरकार क पदाधिकारी आ दरभंगा राजक प्रतिनिधिक क उपस्थिति मे पिछला 60 साल स तोड़ल ताला तोड़ल गेल। एकरा लेल मंत्रिमंडल सचिवालय विभागक एकटा टीम दरभंगा पहुचल छल। दरभंगा क रामेश्वर सिंह क्षेत्रीय अभिलेखागार क तिजोरी खोलैत काल पैघ संख्या मे आम लोक सेहो परिसरक आसपास जमा छल। एहि अभिलेखागार क निर्माण दरभंगा क राजा रामेश्वर सिंह क स्मृति मे कैल गेल अछि। ज्ञात हुए जे एहि ठाम रखल तिजोरी क चाबी सरकार स हरा गेल छल आओर एकर दोसर चाबी बनब संभव नहि छल। एहि तिजोरी मे ओ दस्तावेज भेटल जेकर माध्यम स अकबर रामनवमीं क दिन सन् 1499 मे राज पुरोहित क्षत्रपति ठाकुर क पुत्र पंडित महेश ठाकुर कए दरभंगा राज क बागडोर सौंपने छलाह। राज्य अभिलेखागार क निदेशक विजय कुमार कहला जे तिजोरी मे मुख्य रूप स 18हम सदी मे लिखल अकबरनामा, फिरदौस रचित शाहनामा, राज घरानाक 21 पीढ़ीक वंशावलीक मूल प्रति, 19सम सदी क कांग्रेसी नेता स कैल गेल पत्राचारक किछु दस्तावेज आ अंगरेजक संग राज दरभंगा क भेल एकरारनामक मूल प्रति शामिल अछि। विजय कुमार कहला जे इ सबटा दस्तावेज अमूल्य अछि। सबटा दस्तावेज कए पटना ल जेबाक फैसला कैल गेल अछि, मुदा स्थानीय सांसद सहित कईटा समूह एकर विरोध करि रहल अछि। दरभंगा क अनुमंडलपदाधिकारी एहि गपक खंडन केलथि जे तिजोरी स कोनो आभूषण निकलल अछि। ओ साफ कहलथि जे तिजोरी मे मात्र दस्तावेज राखल छल जे अपनाआप मे अमूल्य संपत्ति अछि। ज्ञात हुए जे एहि संदभ मे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क इतिहास विभाग क प्रोफेसर रत्नेश्वर मिश्र आ अन्य इतिहासकार मंत्रिमंडल सचिवालय विभाग क प्रधान सचिव गिरीश शंकर क ध्यान एहि कात समय-समय पर आकृष्ट करबैत रहला अछि। मिश्रक समाद अछि जे दरभंगा क क्षेत्रीय अभिलेखागार मे अकबर कालीन आ अन्य कई महत्वपूर्ण दस्तावेज उपलब्ध अछि, जे रखरखाव क अभाव मे नष्ट भ रहल अछि।
की छल दरभंगा राज
तुगलक साम्राज्य क पतन के बाद मुगल बादशाह अकबर इ महसूस केलथि जे मिथिला मे कोनो ब्राह्माण कए राजा बनाकए ओहि क्षेत्र मे शांति स्थापित कैल जा सकैत अछि आओर एहि स बेहतर राजस्व सेहो अर्जित कैल जा सकैत अछि। अकबर एहिना केलथि। दरभंगा राज 2410 वर्ग मील तक फइलल छल। इ उत्तर बिहार स ल कएपूर्वी बिहार क पूर्णिया तक फइलल छल। अशोक पेपर मिल, वाल फोर्ड, कोलकाता, तीनटा चीनी मिल क संगहि ‘द इंडियन नेशनÓ, ‘आर्यावर्त’, ‘मिथिला मिहिरÓ जइसन समाचार पत्र क प्रकाशन क लेल सेहो राज परिवार मन पड़ैत अछि। एकरा संगहि दरभंगा एविएशन क हवाई जहाज बिहार मे उड़ैय वाला पहिल निजी एयरलाइंस छल। 18 सर्किल मे 4495 गाम एहि राज क अंतर्गत छल, जेकर देखरेख 7500 कर्मचारी करैत छलाह।
अकाल व स्वतंत्रता आंदोलन
ओना त इ धारणा अछि जे राज परिवार क प्रतिबद्धता अंग्रेजी हुकूमत क प्रति छल। मुदा दरभंगा महाराज आजादी क आंदोलन मे आंदोलनकारी क खूब आर्थिक मदद गुपचुप करैत रहला। स्वयं महात्मा गांधी 21 मार्च, 1947 कए एकटा पत्र मे लिखने छथि जे दरभंगा महाराज हुनकर पुत्रक समान छथि। बंगाल क ऐतिहासिक दुर्भिक्ष मे महाराज लक्ष्मेश्वर सिंह तीन लाख टका क मदद ओतुका लोक लेल देने छलाह।
आजादी क बाद जखन सरकार जमींदारी प्रथा क उन्मूलन केलक त दरभंगा राज सेहो समाप्त भ गेल। दिल्ली, कोलकाता, रांची, मुंबई, मसूरी, वाराणसी, इलाहाबाद जइसन अनेक जगह पर ‘दरभंगा हाउसÓ आइयो राज परिवार क स्मृति क केंद्र अछि। ‘कोलकाता ओल्ड एंड न्यूÓ, ‘मिथिला ए यूनियन रिपब्लिकÓ,’ द जीनियोलाजिकल हिस्ट्री ऑफ इंडियाÓ,’द क्नाइट्स आफ इंग्लैंडÓ सन अनेक पुस्तक मे दरभंगा महाराज क ऐतिहासिक संदर्भ संकलित अछि।

Tags: Bihardarbhangamaithilimithilaraj darbhangaअकबरदरभंगादस्तावेज
Share71TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

पीपड़ क गाछ बनल बिहार पर्यटनक लोगो

Esamaad Epaper Website

किसान कए सेहो भेटल काली पूजा पर सनेस

Esamaad Epaper Website

चौधरी हेताह बिहार क नवका मुख्य सूचना आयुक्त

Comments 2

  1. ashish anchinhar says:
    13 years ago

    badd neek muda rajprivar chori jan besi sn besi jan privark smachar par dhyan del jayt tan neek.

    Reply
  2. Gopi Raman Choudhary says:
    13 years ago

    समाद पढि बहुत नीक लागल ।
    अहिना अनवरत समाद अवैत रहय ई शुभकामना ।

    गोपी रमण चौधरी
    जमशेदपुर, झारखण्ड ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि