• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home चित्रालय

खुशी एहन जे नोरा गेल आंखि

February 8, 2012
in चित्रालय
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

सुपौल स ममता शंकर
जानकी स भारती, फनीश्वर नाथ रेणू स नागार्जुन आ विद्यापति स मंडन मिश्र सब आइ एक भ गेलथि। ”बिहारक शोक” पर ”मिथिलाक सपना” साकार भ गेल। खुशी एहन जे आंखि नोरा गेल। मिथिला क मिलन देखबा लेल पहुंचल लोकक नोरायल आंखि देख केंद्रीय मंत्री सीपी जोशी सेहो एहि भौगोलिक दर्द कए महसूस केलथि। ओ कहला जे एहि भूमि कए जोडबाक मौका पाबि अपना कए ओ धन्‍य बुझि रहल छथि। एहि अवसर पर मुख्‍यमंत्री सेहो कहला जे आइ किछु बजबाक दिन नहि अछि। आजुक दिन खुशी क दिन अछि आ एहि अवसर कए अहां सब दशहरा, दीपावली, होली आ ईद जेकां बनाउ।
लगभग नौ साल मे तैयार एहि महासेतु कए केंद्रीय पथ परिवहन मंत्री सीपी जोशी आइ लोकार्पित क देलथि। ‘कोसी महासेतु’ नाम स नवनिर्मित एहि पुल क आधारशिला 2003 मे तत्कालीन प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी रखने छलाह। एहि पुल कए लोकार्पणक मौका पर बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो उपस्थित छलाह। मिथिला क विकास मे सड़क-संपर्क क सबस पैघ दुहारि खोलनिहार एहि ‘महासेतु’ क लोकार्पण भेला स एहि इलाका क सामाजिक, आर्थिक आ राजनीतिक स्‍तर पर पैघ बदलाव देखल जाएत। कोसी नदी पर चार सौ करोड़ टका स सेहो बेसी क लागत स बनल एहि चारि लेन क पुल क लम्बाई लगभग दू किलोमीटर अछि। एहि ठाम करीब 55 साल पहिने सडक पुल छल जेकर ध्‍वस्‍त भेला स सडक संपर्क टूटि गेल छल। 1934 क भूकंप मे ध्वस्त भेल भवटियाही क कारण रेल संपर्क पहिने स टूटल छल। एहन मे दूनू भाग क लोग कए ऐ दोसर स भेंट करबा लेल एकटा पैघ दूरी तय करै पडैत छल। एहि पुल कए चालू भेला स मुज़फ्फ़रपुर, दरभंगा आ मधुबनी ज़िला क सीधा सड़क-संपर्क सुपौल, सहरसा आ मधेपुरा ज़िला स भ गेल अछि।
लोकार्पण क दौरान क्षेत्र क विस्थापित सब विरोध प्रदर्शन सेहो केलथि आ मुख्यमंत्री कए कारि झंडा देखेलथि, मुदा एहि समस्या कए आम तौर पर कोसी अंचल क लोक नजरअंदाज करि बहुप्रतीक्षित पुल कए चालू भेला स प्रसन्नता जाहिर केलथि।
लोकार्पण क अवसर पर पथ निर्माण मंत्री नंद किशोर यादव , उर्जा मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव, सांसद विश्व मोहन कुमार, सांसद हुकुम देव नारायण यादव, अध्यक्ष भारतीय राष्ट्रीय राज मार्ग प्राधिकरण एके उपाध्याय, विधायक अनिरुद्ध प्रसाद यादव, नीरज कुमार सिंह बबलू, अमला देवी, सुजाता देवी, विजय कुमार मिश्र, संजय झा, हारूण रसीद सतीश साह, संजय सरावगी, आनंदी प्रसाद यादव, मुख्य सचिव नवीन कुमार सहित विभिन्न विभाग क पदाधिकारी आ राजनीतिक कार्यकर्ता मौजूद छलथि।

Tags: Biharkoshikosimithila
ShareTweetPin

Related Posts

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

वाह रे तोहर भाग्य, वाह रे हम्मर भाग्य

August 14, 2013

किछु एहन होएत नालंदा विश्वविद्यालय

May 18, 2013
Next Post

विकासक दुहारि खोलत इ पुल : जोशी

आउ मिलि कए खुशी मनाउ : नीतीश

Esamaad Epaper Website

जीरो ग्रांट पर बनत रजौली- बख्तियारपुर सड़क

Comments 1

  1. Prakash Kr. Jha says:
    10 years ago

    Sampurna Mithilawasi ke badhaai a ummeed kari je Rail Bridge seho jaldiye chalu bha jay.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिजली क ग्रिड फेल, सरकार पास!

by संपादक
August 7, 2012
0
Esamaad Epaper Website

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि