पटना । लगभग 40 साल पुरान सपना जमीन पर उतरबा लेल तैयार अछि। ओना इ सपना एतबा बेर टूटल आ जुडल अछि जे एखनो सहसा विश्वास करब मुश्किल भ रहल अछि, मुदा इ सच अछि जे पटना मे गंगा क कछैर मे दीघा स लकए कच्ची दरगाह क बीच फोर लेन सड़क निर्माण क सपना कए जमीन पर उतारबा लेल सोमदिन एकटा पैघ फैसला भेल। कैबिनेट एहि सड़क निर्माण कए अपन मंजूरी द देलक। सरकार हुडको स ऋण लकए आ अपन राशि स गंगा एक्सप्रेस वे क निर्माण कराउत। पूर्व मे इ सड़क दीघा स दीदारगंज तक बनबाक छल मुदा आब एकरादीदारगंज स आगू बढ़ाकए कच्चीदरगाह तक बढ़ा देल गेल अछि। ओहि ठाम एकरा एनएच-30 क कनेक्टिवटी भेट जाएत आ फेर गंगा पर प्रस्तावित छह लेन क पुल स सेहो इ जुड़ जाएत। गंगा एक्सप्रेस वे क लंबाई आब 23.50 किमी भ गेल अछि।
चार साल मे निर्माण क काज पूरा क लेबाक लक्ष्य तय कैल गेल अछि। सोमदिन कैबिनेट क बैसार मे योजना कए स्वीकृति देत 1160 करोड़ टका सेहो एहि लेल मंजूर कैल गेल। गंगा एक्सप्रेस-वे क निर्माण मे 3160 करोड़ क खर्च आउत। जाहि मे 2000 करोड़ क मदद हुडको स भेटत। राज्य सरकार मात्र 770 करोड़ लगाउत।
एहि सडक क इतिहास बड पुरान अछि। कुल तीनटा सरकार एकरा बनेबाक प्रयास केलक। सबस पहिने 70 क दशक मे इ सपना देखल गेल, मुदा जखन गंगा पर पुल लेल केंद्र राशि नहि देलक तखन आवश्यकता कए देखैत बिहार सरकार एहि सडक लेल मंजूर राशि कए महात्मा गांधी सेतू लेल निर्गत क देलक । 90 क दशक मे सेहो इ बनेबाक प्रयास भेल मुदा टकाक व्यवस्था नहि भ सकल। नीतीश कुमार सेहो पिछला कई साल स एहि लेल प्रयास क रहल छलाह, मुदा गप नहि बनि पाबि रहल छल। पहिने एकरा पीपीपी मोड मे बनेबाक निर्णय भेल छल। मुदा तकनीकी अड़चन आ निर्माण कंपनी क बेरुखी क बाद राज्य सरकार एकरा अपने बनेबाक निर्णय केलक अछि। भू-अर्जन आदि पर करीब 390 करोड़ क खर्च आउत। निर्माण क क्रम मे पटना, सारण आ वैशाली क जमीन अधिगृहित कैल जाएत। पूर्व मे इ प्रक्रिया बहुत हद तक पूरा भ चुकल अछि। हुडको स भेटल कर्ज क अदायगी 16 साल मे करबाक अछि । जेकरा लेल सरकार टाल टैक्स सेहो वसूलत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर