गया। गया जिला मे देश क तेसर सैन्य प्रशिक्षण अकादमी (ओटीए) क शुभारंभ भ गेल अछि।सेना क प्रशिक्षण कमान क प्रमुख लेफ्टिनेंट जनरल सुरेंद्र नाथ देश क तेसर सैन्य प्रशिक्षण अकादमी क शुभारंभ केलथि। नाथ कहला जे पुणे आ चेन्नई क बाद गया मे इ तेसर सैन्य प्रशिक्षण अकादमी अछि, जेकर मूलमंत्र शौर्य, ज्ञान आ संकल्प अछि। ओ हला जे अबैवाला समय मे इ विश्व क अग्रणी सैन्य प्रशिक्षण संस्था साबित होएत। ओ कहला जे सेना मे अधिकारी कए 20 प्रतिशत पद रिक्त अछि। सेना कए एखन करीब 14 हजार अधिकारी क दरकार अछि। छठम वेतन आयोग लागू भेलाक बाद काफी संख्या मे युवा क सेना क प्रति रुझान बढल अछि। नाथ इ सेहो स्वीकार केलथि जे सेना मे महिला अधिकारीक कमी अछि, एहि लेल हुनका प्रोत्साहित करबाक अछि।