• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

गरमा रहल अछि अशोक पेपर मिल क मामला

March 22, 2012
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

दरभंगा। दरभंगा जिलाक इकलौता औद्योगिक परिसर रामेश्‍वर नगर क माहौल गरम अछि। रामेश्‍वर नगर स्थित अशोक पेपर मिल लेल एक दिस जतए किसान आ कामगार यूनियन प्रबंध आ सरकार कए जनता कए गुमराह करबा लेल आंदोलनक धमकी द रहल अछि त दोसर दिस मिल प्रबंधन जिला प्रशासन स सुरक्षाक गुहार लगा रहल अछि। एहि संबंध मे जिलाधिकारी आर. लक्ष्मणन कहला अछि जे अशोक पेपर मिल प्रबंधन क शिकायत पर प्रशासन क नजरि अछि। मिल प्रबंधन स जुड़ल लोक सुरक्षा क गुहार लगा रहल छथि, जेकर अध्ययन कैल जा रहल अछि। किसान आ मजदूर लोकक मांग पर जिलाधिकारी कहला जे अपन गप कहबाक छूट सब कए अछि, मुदा कानून क दायरा मे कोनो गप हेबाक चाही। ओ कहला जे मजदूर क वाजिब गप सुनल जेबाक चाही। ओ कहला जे दूनू पक्षक शिकायत क जांच कैल जा रहल अछि आ दोषी पर समुचित कार्रवाई होएत। डीएम श्री लक्ष्मणन इ सेहो कहला जे मिल परिसर मे शांति बना रखबाक लेल स्थानीय थाना कए निर्देश द देल गेल अछि।
दोसर दिस रामेश्‍वर नगर मे किसान आ मजदूर लामबंद भ मिल प्रशासन क खिलाफ मोरचाबंदी क तैयारी शुरू क देलथि अछि। किसान सबहक कहब अछि जे अशोक पेपर मिल कए चालू करबाक प्रति सरकार गंभीर नहि अछि। किसान सब मिल क जमीन वापस करबाक मांग सेहो उठा रहल अछि। एहि मौका पर किसान सभा क जिला सचिव श्याम भारती प्रबंधक क आलोचना करैत कहला जे मिल कए चालू करबाक नाम पर करोड़ों टका क घोटाला भेल अछि। ओ पूरा मामलाक जांच सीबीआई स करेबाक मांग केलथि अछि। ओ कहला जे 23 मार्च कए पटना मे विधान सभा क समक्ष अशोक पेपर मिल्स चालू करेबा लेल धरना देल जाएत।
एहि बीच पूर्व विधायक आ कामगार यूनियन क अध्यक्ष उमाधर प्रसाद सिंह कहला अछि जे सर्वोच्च न्यायालय क आदेश क बावजूद 14 साल मे एनसीएफएल मिल कए नहि चलेलक। जखन-जखन मजदूर क हक क गप उठैत अछि त मिल प्रबंधन कोनो न कोनो आरोप लगाकए फरार भ जाइत अछि। ओ कहला जे एक बेर फेर मिल प्रबंधन एहने नाटक करबाक कोशिश क रहल अछि। ओ कहला जे एहि प्रबंधन कए कहियो मिल चलेबाक इच्‍छा नहि भेल। अपन आवास पर पत्रकार स गप करैत ओ कहला जे पहिने सेहो प्रबंधन वित्तीय संस्थान स 35 करोड़ टका मिल चालू करबाक नाम पर ल चुकल अछि आ टका लेलाक बाद फरार भ गेल। 15 सालक फरारी क बाद फेर प्रबंधन कोना आ किया पहुंचल, एकर जांच हेबाक चाही। ओ कहला जे मिल प्रबंधन क खिलाफ निगरानी स जांच चलि रहल अछि। भविष्य निधि संगठन बकाया क कारण मिल क परिसंपत्ति कए जब्त करबा लेल नोटिस लगा चुकल अछि। ओ कहला जे प्रबंधन बहुत सवालक उत्‍तर देबा स भागि रहल अछि। श्रम न्यायालय बेगूसराय कामगार क वेतन भुगतान करबाक आदेश देने छल, मुदा ओहि पर कोनो अमल नहि कैल गेल। श्री सिंह कहला जे 1996 मे सर्वोच्च न्यायालय द्वारा निर्धारित शर्त क सेहो अनुपालन मिल प्रबंधन द्वारा आइ धरि नहि कैल गेल। न्यायालय तीन वर्ष मे मिल क पुनर्वास क योजना क तहत 504 करोड़ टका निवेश क आदेश देने छल, मुदा निवेश त दूर, उलटे वित्तीय संस्थान स 35 करोड़ टका उठा प्रबंधन फरार भ गेल। ओ कहला जे आखिर मिल क पदाधिकारी कोन हैसियत स परिसर मे लौटलाह अछि एकर जांच हेबाक चाही। श्री सिंह आरोप लगेलाह अछि जे मिल प्रबंधन मिल मे लागल कई करोडक मशीन सब कए बेचबाक प्रयास क रहल अछि, किछु मशीन त बेचल जा चुकल अछि। जनता क परिसंपत्ति कए लूटबाक प्रयास भ रहल अछि आ जिला प्रशासन मूक दर्शक बनल बैसल अछि। ओ कहला जे दरभंगा क किसान आ मजदूर मिल प्रबंधनक मिल क मशीन बेचबाक कोशिश कए नाकामयाब क देत।

Tags: darbhanga
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

गंगासागर पोखर क जीर्णोद्धार लेल सरकार 54 लाख

Esamaad Epaper Website

बिहार दिवस : इतिहास तकैत तारीख

Esamaad Epaper Website

भीखमंगी लेल प्रेरणास्रोत छथि राजो

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि