• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

गेट्स कए नीक लागल तेतरिया क पटिया

May 14, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020


तेतरिया (बांका) स समदिया
बांका जिला क कटोरिया प्रखंड स्थित तेतरिया गाम। ताड़ क पत्ता क छतरी तर बिछल पटिया पर बैसल गेट्स क मुंह स निकलल पहिल शब्द -सोल आफ इंडिया इज रियली फाइन। इ केवल शब्द तक सीमित नहि रहल।
दुनिया क दोसर सबस अमीर आदमी जखन चटाई पर संग बैसल महिला स गप शुरू केलथि त समय कम भ गेल। स्थिति इ रहल जे हुनकर निजी सचिव बेर-बेर घड़ी दिस इशारा करैत रहलाह आ समयक पाबंद बिल ओकरा अनसुना करैत रहलाह। महिला स ओ घर स ल कए बाहरक स्थिति तक पर चर्चा केलथि। पति क व्यवहार, आर्थिक विकास मे पति क भूमिका जइसन प्रश्न मे भेटल उत्तर स ओ अपना कए इ बुझेबा मे असमर्थ भ रहल छलाह जे इ महिला अशिक्षित छथि।
एहि दौरान ओ दुभाषिए क जरिए महिला स खूब मजाक सेहो केलथि। महिला क किछु गप पर त आंखि-भौं चमका कए आश्चर्य जतेलथि, मुदा हुनकर गरीबी आ विकास स दूर रहबाक चर्चा मे ओ गंभीर मुद्रा मे सोचए लगैत छलाह। गेट्स गाम कए बुझबा-परखबाक कोनो कोशिश बाकी नहि रखलथि।
हेलीकाप्टर स उतरबाक बाद ओ सर्वप्रथम महिला संगठन द्वारा जलछाजन क तहत गाम मे तैयार पोखरि देखबा लेल विदा भेलाह। पोखरि देखी ओ कहला जेएतबा गर्मी मे त इ स्वीमिंग पुल क काज करत। फेर ओ महिला द्वारा तसर उत्पादन क लेल कैल गेल अर्जुन क खेती देखबा लेल विदा भेलाह। खेत क आडि़ पर चलैत गेट्स पूछला जे एहि में पाइन कोनो देल जाइत अछि। उत्तर भेटल वर्षा जल एकमात्र स्रोत अछि।
आदिवासी महिला जखन गीत गाबिकए हुनकर स्वागत केलथि त ओ एकबेर नहि कई बेर- हाऊ स्वीट कहबा लेल विवश भेलथि। रौद स बचबा लेल महिला द्वारा साड़ी स तैयार छतरी कए ओ बेर-बेर देखैत रहलाह। बाद मे किछु बच्चा कए देखि इ बुझबाक प्रयास केलथि जे हिनकर टीकाकरण होइत अछि कि नहि। लगभग डेढ़ घंटा तक पटिया पर बैस बिल गेटस महिला स गप करैत रहलाह। कुर्सी लेल मारामारी करनिहार अधिकारी आ नेता स अलग दुनिया क एहि अमीर कए एहि तरह स पटिया पर बैसल देख पूरा गाम भी भौंचक छल।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

अलग राज्यक माँग कतेक सार्थक !!

स्लम-पर्यटन पर नहि गेल रही बिहार : बिल गेट्स

Esamaad Epaper Website

नियुक्त हेताह 4800 ड्राइवर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि